धार्मिक स्थल परिचयः काली मन्दिर, कालिकापुर, मधुबनी
कहबी छैक जे असत् मेटा जाएत छैक मुदा सत् सदिखन नव-नव रूप मे निखार पबैत रहैत छैक। ठीक तहिना मधुबनी जिलान्तर्गत कलुआही प्रखन्ड मे अवस्थित एकटा छोट गाम अछि कालिकापुर। एतय अत्यन्त प्रसिद्ध काली मन्दिर ग्रामीण समाज द्वारा बनायल गेल अछि। आस्था रखनिहार कहैत छथि जे आइ धरि भगवतीक दरबार सँ कियो खाली हाथ नहि लौटल अछि। एतय जे भक्त जाहि कोनो परिस्थिति मे मैया काली सँ जे याचना कयलन्हि, भगवती हुनकर झोरी तहिना भरि देलखिन। एहेन गहींर आस्थाक केन्द्रविन्दु काली मन्दिर केर निर्माण समय-समयपर अलग-अलग तरहें होयबाक इतिहास भेटैत अछि। हालहि ग्रामीण सब मिलिकय एकरा नव स्वरूप प्रदान कयलन्हि अछि। प्रस्तुत अछि भगवती मन्दिरक किछु भव्य स्वरूपः
![](http://www.maithilijindabaad.com/wp-content/uploads/2018/04/kaliji-mandir-kalikapur-e1523352289791.jpg)
फोटो क्रेडिटः अनिल झा (सोशल मीडिया पोस्ट)
मधुबनी आ जयनगर केँ जोड़यवला राष्ट्रीय उच्चपथ पर अवस्थित अछि कलुआही। मधुबनी सँ करीब १८ किलोमीटर मुदा कलुआही सँ ५ किलोमीटर केर दूरी अछि एहि गाम कालिकापुरक। गामक आसपास अन्य प्रसिद्ध गाम सभ मे नरार, हरिपुर, महुआ, एकडारा, पाली (मोहन) पड़ैत अछि। खजौली, बासोपट्टी, राजनगर आ जयनगर प्रखंडक इलाका सभ सेहो सटले अछि। लगभग १२ हजार जनसंख्याक एहि मे गाम मे पुरुषक जनसंख्या आ नारीक जनसंख्याक अनुपात ४९ एवं ५१ अछि। जतय गामक साक्षरता कुल ५०% अछि ताहिठाम महिला साक्षरता अत्यल्प २०% मात्र अछि। अनुसूचित जनजाति लगभग १%, अनुसूचित जाति लगभग १२% केर संग अन्य समस्त जातिक हिन्दू तथा मुसलमान केर सेहो वास भेटैत अछि। खजौली आ कोरहिया रेलवे स्टेशन सँ सेहो ई गाम नजदीक पड़ैत अछि। दरभंगा जंक्शन सँ एहि गामक दूरी लगभग ४७ किलोमीटर अछि। एनएच १०५ केर बरदेपुर सँ लगभग २.५ किलोमीटर केर दूरी पर अवस्थित अछि ई सुन्दर गाम मिथिलाक।