साभार फेसबुकः तिला संक्राति केर शुभ अवसर पर प्रकाशित अशोक झा भोली केर खिचड़ी अपन चारि यारक संग
जहिया सँ सामाजिक संजाल केर लोकप्रियता बढय लागल अछि, फोटो द्वारा स्मृति आम जन समक्ष राखबाक प्रवृत्ति सेहो बढि गेल अछि। आइ-काल्हि हरेक क्षण केँ लोक फोटो रूप मे संरक्षित राखय लेल चाहैत अछि। आब कैमरामैन आ कैमरा ताकबाक आवश्यकता नहि रहि गेल अछि। आब तऽ अहाँक हाथ मे मोबाइल अछि, मन मे कतेको रंगक विचार अछि, समयक संग अछि, रंग-बिरंगी दृश्य अछि – बस जखनहि मोन भेल तखनहि क्लीक करू। ईहो नहि जे फोटो अपने टा देखलहुँ वा फेर एल्बम मे सजाकय रखलहुँ जे मित्र-बंधु-परिजन केँ देखायब… बल्कि आब देखाबइयो लेल सुविधा अछि जे अपन मोमेन्ट्स केँ हजारों-हजार मित्र संग शेयर करबाक लेल फेसबुक या ट्विटर आदि द्वारा पोस्ट करू।
एहेन नव जमाना मे मैथिल जनमानस लेल तऽ मानू जेना रामराज आबि गेल अछि। अपन गाम-घर आ मूल संस्कृति सँ दूर रहितो ओ सब कतहु छथि तऽ अपन संस्कार केँ रक्षा करबाक भरपूर चेष्टा कय रहला अछि। आर, प्रदर्शन करबाक लेल जे भितर मे एकटा इच्छा सब केँ रहैत छैक तेकरा खानापूर्ति कय रहल अछि ई सामाजिक संजाल। जे मोन मे अछि से लिखिकय अपन मित्रवर्ग व बंधु-परिजन आदि सँ शेयर करू। घर मे वा समूह मे जतय कतहु कोनो खास कार्यक्रम भेल तेकर फोटो सेहो खींचू, विडियो सूट करू आर ओकरा आम जनमानस मे पहुँचेबाक लेल अपन प्रोफाइल पेज वा ग्रुप आदिक मार्फत – व्हाट्सअप आदिक मार्फत आम जनमानस मे पहुँचाउ। आर, जखन मिथिलाक खास पाबैनक दिन हो, तहिया अहाँ केना पाबैन मनेलहुँ ताहि क्षणक स्मृतिचिह्न फोटो सँ दोसर कि नीक होयत, से ताहि क्षणक फोटो सब पोस्ट करू। जीँ हाँ! एहि बेरुक तिला संक्राति मे सब सँ बेसी जे फोटो लोकप्रियता हासिल कएलक ओ थीक कोलकाता सँ श्री अशोक झा भोली द्वारा खिचड़ीक चारि यार – घी पापड़ दही अँचार केर अत्यन्त रमणीक फोटो। देखिते मुंह मे पानि आबयवाला। ओना तऽ अशोक जी अपनहि पलथी मारिकय बैसल छथि आ हुनक धर्मपत्नी पूर्ण मैथिलानीक अंदाज मे अपन पति केँ पुरान जमाना जेकाँ बियैन होंकैत खुएबाक अदा सेहो प्रस्तुत करैत एकटा फोटो मे देखायल छलाह…. लेकिन ताहू सँ बेसी जे फोटो लोकप्रिय बनल ओ थीक अगबे खिचड़ी आर ओकर चारू यार केर विलक्षण प्रस्तुति।
मैथिली जिन्दाबाद बहुत दिन सँ एकरा अपन पेज स्थान देबाक लेल आतूर छल, ध्येय एक्कहि टा जे मिथिलाक लोक केँ मिथिलांग सँ जोड़िकय राखल जाय आर एहेन विलक्षण फोटो आदि प्रस्तोता केँ सेहो समुचित प्रोत्साहन देल जाय। आउ देखैत छी – अशोक झा भोली केर ओ सबटा प्रस्तुति!!
अपन फेसबुक पर १५ जनबरी अशोक जी पोस्ट केलनिः
आइ देलियै दमसा क् गरमागरम खिच्चरिक संग तरुआ तरकारी , अहु सब त उम्मीद अछि दमसेनेहे होयब मित्रगण !!
जय हो मिथिला जय हो मैथिल !!!
आर एहि संगे दुइ टा अति रमणीक फोटो देलनि, जाहि मे निचांक फोटो दिल्ली सँ सुसान्त झा (पत्रकार) द्वारा शेयर करैत मनभावन आ देखिते खयबाक इच्छा जाग्रत करयवला फोटो कहलनि। तहिना ई फोटो बघवाक दलान ग्रुप पर सेहो शोभा बनल। कतेको लोक तऽ बेर-बेर देखलनि आर खिचड़ीक स्वाद घी केर बाटी सहित दही-पापड़-अँचार सहित लेलनि। एहि फोटोक प्रशंसक मे हमहुँ एकटा छी।


2 Comments
apnek jatek aabhaar vyakt kari otabe kam bijhana jaait achhi shrimaan praveen narayan choudhary ji, bahut bahut dhanyavaad, hamaro nahi bujhal chhal je e ekta mamooli san hamar photo etek pasand kayal jaayat , ek ber punah hriday sa aabhaar vyakt karait chhi “” MAITHILI JINDABAAD. COM ‘ KE AA SAMPADAK SHRI pRAVEEN BABU KE !!
DHANYAVAAD, JAI MAITHILI !!
अहाँक सदा-समर्पित मैथिली-मिथिला अभियान सदिखन अहिना प्रकाशमान् रहय! जय मिथिला – जय जय मिथिला!!