नवम्बर १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रवीण कुमार झा बनलाह मधुबनी जिला महासचिव
दहेज मुक्त मिथिला द्वारा हनुमान मंदिर प्रांगण लोरिका मे सदस्यता अभियान सह जागरूकता अभियान चलाओल गेल, जाहि मे दहेजक दुष्प्रभाव सँ कन्या भ्रूण हत्या, लैंगिक विभेद आ तेकर दुष्परिणाम सँ समाजक लोक केँ परिचित कराओल गेल। संगहि दहेज लोभी व्यक्ति वा परिवारक सामाजिक बहिष्कार कियैक नहि कयल जाय आर तेकर व्यस्वस्था कोना संभव होयत एहि विन्दु पर सेहो चर्चा भेल।
संस्थाक राष्ट्रीय महासचिव धर्मेन्द्र कुमार झा द्वारा दहेज मुक्त मिथिला अभियान एवम् संस्थाक बारे मे आम जनमानस केँ अवगत करबैत एहि सँ जुड़िकय एहि सामाजिक रोग व कूप्रथाक विरुद्ध आवाज़ उठेबाक अपील कयल गेल।
संस्थाक विस्तारीकरण केर क्रम मे मधुबनी जिला महासचिव केर रूप में अभियानी श्री प्रवीण कुमार झा केर मनोनयन सेहो कयल गेल अछि आर हुनका समाजक वरिष्ठ समाजसेवी श्री अजय कुमार झा, श्री भूलन झा, श्री आदिष्ट नारायण झा केर हाथे ई मनोनयन पत्र सौंपल जेबाक जनतब महासचिव झा करौलनि अछि ।
विदित हो जे उपस्थित जनमानस सेहो दहेज मुक्त मिथिला द्वारा चलायल जा रहल अभियानक भरपूर प्रशंसा करैत एकरा समयक मांग आ आवश्यकता बतौलनि। एहि तरहक जागरूकता अभियान संस्था द्वारा समय-समय पर चलायल जाएत रहल अछि। संस्थाक नवनियुक्त जिला महासचिव प्रवीण कुमार झा कहलनि जे दहेज मुक्त मिथिलाक उद्द्येश्य केँ जन-जन धरि पहुँचेबाक काज आरो जोर-शोर सँ करब आर हरेक पंचायत मे निगरानी समितिक गठन करब जाहि सँ उद्देश्य प्राप्ति शीघ्रातिशीघ्र होयत।
अभियानी श्री नारायण मिश्र और शिशुपाल चौधरी द्वारा युवाशक्ति सँ एहि पुनीत कार्य लेल आगू एबाक आ सक्रिय भागीदारी सुनिश्चित करबाक अपील कयल गेल। दहेज समाज लेल अभिशाप थिक आर एकरा सामाजिक कुरीतिक रूप मे देखबाक चाही, ई सभक मानब छल। महासचिव धर्मेन्द्र झा एहि अभियान केँ धरातल पर अधिक सुचारू रूप सँ चलेबाक बातपर जोर दैत कहलनि जे बेटा बेटी मे फर्क नहि करू आर बेटी केँ सेहो सुशिक्षित बना ओकरा आगू बढबाक अवसर प्रदान करू। समाजक सभ वर्ग सँ दहेज केर विरोध मे खुलिकय आगू एबाक अपील कयलनि। बैठक मे मौजूद श्री दीपक झा, अभिषेक मिश्र, सुमित झा, लाला मिश्र, मलहु पासवान, भजन पासवान, चंद्रमोहन झा, मनोज यादव एवं अन्य समस्त ग्रामीण सामाजिक व्यक्तित्व लोकनि एहि कार्यक्रम केँ एक मत सँ समर्थन कयलनि और दहेज प्रथा केँ समाज सँ दूर करबाक प्रयास में अपना योगदान देबाक संकल्प लेलनि।