सामाजिक संजाल केर सर्वोत्तम उपयोगः फेसबुक से सहरसा ग्रूप मिलन समारोह केर सुन्दर सफर

एहि ग्रुप केर एडमिन तथा मिलन समारोहक परिकल्पनाकार मध्य एक प्रमुख व्यक्तित्व संयोजक कुमार रविशंकर कहलैन जे अपन सामाजिक सरोकार केँ आभासी दुनियाक महत्वपूर्ण पटल “फेसबुक” पर सहरसा नामक समूह पर होएत रहैत अछि, एकरा सार्थक ढंग सँ जमीन पर उतारबाक लेल सेहो हम सब कृतसंकल्पित छी। पूर्वी मिथिलाक अति प्राचीन गढ सहरसा अपन बौद्धिक परम्परा केँ आदिपुरुष मंडन-भारती सँ ज्ञात इतिहास केर निर्वहन करैत आबि रहल अछि। उपरोक्त मिलन समारोह आ एकर पुनीत उद्देश्य सँ एहि बात केँ प्रमाण भेटैत अछि जेना कहियो शंकराचार्य केँ मंडन मिश्र केर घर देखेबाक वास्ते पैनभरनी हुनका कहने रहथिन जे जाहि स्थल पर चिड़ै-चुनमुन सेहो संस्कृत बुझय वैह स्थान हुनक घर छी – जे किंवदन्ति छैक जे प्रत्यक्षम् किम् प्रमाणम् यैह बात ई सहरसा ग्रुप आभासी पटल पर कयल गेल चिन्तन-मनन केँ सार्थक ढंग सँ जमीन पर कोना प्रयोग कयल जाय ताहि लेल ई मिलन समारोह करैत अछि।
सामान्यतया यैह देखल जाएछ जे फेसबुक पटल पर अधिकांश लोक समाज, राज्य, सुरक्षा, शिक्षा, रोजगार, विकास आदिक सम्बन्ध मे बड पैघ-पैघ दाबी करैत अछि। ओतहि एहेन-एहेन फोटो सब पोस्ट करैत रहैत अछि मानू जेना कतेक पैघ-पैघ महत्वपूर्ण कार्यक निष्पादन कय समाज-राष्ट्र-नागरिक आदिक लेल कतेक पैघ हित पूरा कयने हो। साहित्य, कविता, कथा, इतिहास-चर्चा, इत्यादि काफी महत्वपूर्ण सृजनक काज सब सेहो होएत रहैत देखा पड़ैछ। तखन जँ एतेक रास सकारात्मक शक्ति एक स्थान पर भेंटघांटहि केर बहन्ने एकजुटता प्रदर्शित करय त केहनो कठिन सँ कठिन काज सभक सहयोग सँ क्षण मे पूरा भ जेतैक। बिल्कुल ताहि तरहक सोच सँ परिपूर्ण युवा एडमिन समूह केर संग-संग जिलाक बहुत रास गणमान्य व्यक्तित्व सभक सङ्गोर सँ ई बैसारक आयोजन होएत अछि।
सहरसा ग्रुप मिलन समारोह मे रंगकर्म, सिनेकर्म, ललितकला, चित्रकला, विभिन्न कलाक संग भाषा, साहित्य और सोशल मिडिया केर बिन देखलहबा या देखलहबा कतेको रास मित्र लोकनिक एक ठाम आबि शक्ति-संयोग केँ बढेबाक मौका भेटतनि।
ग्रुप संचालक कुमार रविशंकर ईहो कहला जे कार्यक्रम केँ विगत वर्ष सब मे भेटल आमजनक सहयोग, स्नेह व समर्थन सँ एहि वर्षक आयोजनक उत्साह दोब्बर अछि। एहि वर्ष मुख्य अतिथिक तौर पर मैथिली-हिन्दीक नामी साहित्यकार तथा साहित्य अकादमीक पुरस्कार सँ सम्मानित स्रष्टा डा. शेफालिका वर्मा रहती। मिलन समारोह कार्यक्रम केर उद्घाटन सौरभ जोरवाल (भा. प्र. से.), एस.डी.ओ. सहरसा रहता। विशिष्ट अतिथि मे रमेश झा महिला महाविद्दालय केर प्राचार्या डा. रेणु सिंह तथा श्री प्रभाकर तिवारी, डी.एस.पी सहरसा रहता। कार्यक्रम मे युवा कवि आनंद झा, समकालीन कवि अरविंद श्रीवास्तव सहित आरो-आरो कवि लोकनि कविता पाठ करता। एहि आयोजन मे शशि सरोजनी रंगमंच संस्थान केर रंगकर्मी, गायक, कलाकार सब द्वारा भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कयल जायत। एकरा अलावे मैलोरंग, नई दिल्ली केर संस्था द्वारा एकल नाटक केर प्रस्तुति सेहो कयल जायत। ओ मैथिली जिन्दाबाद केर मार्फत कार्यक्रम मे सभक सहायता आ सहभागिता हेतु अपील कएलनि अछि।