जीतियाक अवसर पर सामूहिकताक प्रदर्शन, मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन विराटनगरमे

विराटनगर, १३ सितम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

जीतियाक अवसर पर विराटनगर मे कतेको स्थान पर समारोहपूर्वक कार्यक्रम सभक आयोजन चलि रहल अछि। एहि क्रम मे पुर्वाञ्चल मैथिली जनसांस्कृतिक मञ्च द्वारा सोम दिन ११ सितम्बर केँ स्थानीय वीरेन्द्र सभागृह मे भव्य आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर नेपाल सरकार केर आपूर्ति मंत्री शिव कुमार मंडल प्रमुख अतिथि छलाह, तहिना नेपालक नामी साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल विशिष्ट अतिथि संगहि महिला नेत्री नीरा भगत थारू, सुची चौधरी, वसुन्धरा झा, आशा झा, आभा अनुपमा, रंजू पोद्दार, पूनम कर्ण, कविता झा, विद्या मिश्र, संजू साह, वीणा मिश्रा, माला मिश्रा, पूजा गुप्ता तथा अन्य गणमान्य लोकनि भाग लेलनि। एहि आयोजनक अध्यक्षता वरिष्ठ गायक रामा मंडल कएलनि, तहिना संयोजिका व आयोजन संस्थाक अध्यक्षा राधा मंडल स्वयं छलीह जे समय-समय पर उद्घोषणक कार्य करैत कार्यक्रम केँ बहुत सुडौल ढंग सँ पूरा केलीह।

राजदेवी सांस्कृतिक समूह सँ आबद्ध दर्जनों कलाकार – गायक, नर्तक सभक भव्य प्रस्तुति आ विकास झा द्वारा मंच संचालन कएल गेल छल। सांस्कृतिक कार्यक्रम मे नामी गायक विरेन्द्र झा, भागवत मंडल, तेजू मैथिल, सोनू मंडल, मनोज घोले सहित आरो कतेको रास प्रस्तुति भेल। बैद्यनाथ ठाकुर तथा पिंकी मेहताक जोड़ी द्वारा प्रहसन केर प्रस्तुति दर्शक-श्रोता सब केँ खूब हँसेलक। बीच-बीच मे कविता पाठ आ गजल सभक सेहो बड सुन्दर प्रस्तुति एहि आयोजनक खासियत छल। मैथिली कवि विद्यानन्द बेदर्दी, गजेन्द्र गजूर, प्रकाश प्रेमी, विमला देव, प्रवीण पाल आदिक रसगर-मिठगर कविता सब परोसल गेल छल।

एहि अवसर पर प्रमुख अतिथि आपूर्ति मंत्री शिव कुमार मंडल अपन भाषा-संस्कृति केर आगू लय चलबाक लेल जीतिया सनक सामूहिकता केँ प्रदर्शन करयवला पाबनि मे आयोजित कार्यक्रमक महत्व बहुत पैघ रहबाक बात कहलैन। ओ जोर देलनि जे एहि तरहक आयोजन बेसी सँ बेसी कयल जाय। लोकमानस मे अपन भाषा-संस्कृति प्रति जागरुकता आवश्यक अछि। एहि वास्ते भविष्य मे आरो सशक्त प्रयास करबाक लेल अपन सहयोग देबाक वचनबद्धता प्रकट कएलनि। विशिष्ट अतिथि विद्वान् डा. राजेन्द्र विमल पुनः समस्त आयोजक केँ हृदय सँ धन्यवाद दैत कहलनि जे मिथिलाक सनातन पहिचान केँ समुचित सिंचन करबाक कार्य एहि तरहक आयोजन सब सँ भेल अछि। सब जाति आ वर्गक लोक केँ समेटबाक कार्य जीतिया सनक महत्वपूर्ण पाबनि मे करबाक लेल आयोजक सहित एहि क्षेत्रक जनमानस मे जेहेन ललक देखायल अछि से मिथिलाक विशिष्टताक स्वस्फूर्त वर्णन करैत अछि। डा. विमल सब केँ मोन पाड़ैत कहलनि जे एहि स्थलक योगदान विश्व समुदाय केँ दिशा तय करबाक लेल अदौकाल सँ होएत रहल अछि, ई निरन्तरता मे रहय तेकर जिम्मेवारी हमरा-अहाँ वर्तमान पीढी पर अछि।

जीतिया महोत्सव मार्फत शिक्षाविद् भगवान् झा एवं रमेश कुमार मिश्र – मानव अधिकारकर्मी रणधीर कुमार चौधरी – चिकित्सक डा. विमल अग्रवाल, डा. संगीता मिश्रा, डा. रम्भा देव – कला-संस्कृति केर संरक्षण मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहाइर विद्या मिश्र, पत्रकारिता सँ मिथिला संस्कृति व अभियान केँ प्रकाशित कएनिहार ब्रह्मदेव यादव तथा नवीन कर्ण, युवा उद्यमी एवं मैथिली-मिथिला लेल परम सहयोगी संतोष चौधरी एवं संतोष देव, साहित्यिक योगदान हेतु वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल, मैथिली-मिथिला अभियान मे निरन्तर अपन जीवन समर्पित कएनिहार प्रवीण नारायण चौधरी सहित आरो विभिन्न महत्वपूर्ण व्यक्तित्व लोकनि केँ सम्मान पत्र सहित सम्मानित कयल गेल छल। सभाध्यक्ष रामा मंडल सेहो अपन अध्यक्षता राधा मंडल जी केँ सौंपि स्वयं गायक केर रूप मे पूरा रंग मे आबि एक सँ बढिकय एक गाना सब गेलनि। भागवत मंडल द्वारा अपन नव कृति ‘हमर प्राण मिथिला – हमर जान मिथिला’ केर प्रस्तुति देल गेल छल। सब कलाकार अपन बेस्ट पर्फोरमेन्स देबाक चेष्टा कएलनि। तहिना भव्यताक संग राजदेवी कलाकेन्द्र केर कलाकार सब नृत्य आदि प्रस्तुत कएलनि। हर तरहें ई आयोजन अपन लक्ष्य सिद्ध करैत आयोजक केँ खूब वाहवाही दियौलक।

विद्यापति केन्द्र केर स्थानीय संयोजक एवं हिन्दुस्तान समाचारपत्रक संवाददाता वरुण कुमार मिश्र सहित फारबिसगंज संयोजक गुड्डू ठाकुर, अभिजीत कुमार व अन्य सदस्य लोकनिक सहभागिता सेहो रहल एहि गरिमामयी कार्यक्रम मे। विदित हो जे विद्यापति केन्द्र रोजगार सृजन हेतु विभिन्न उपक्रम संचालन करैत आबि रहल अछि आर बहुत जल्दी ई अभियान विराटनगर (नेपाल) मे सेहो शुरु होमय जा रहल अछि।

आयोजक मंडली मे राकेश रौशन यादव एवम् मिथिला स्टुडेन्ट युनियन केर युवा छात्र लोकनिक सहभागिता बहुत सराहनीय देखल गेल। मैथिली भाषा-संस्कृतिक आयोजन मे दर्जनों सँ बेसी ‘प्रायोजक’ तथा सहयोगी हाथक चर्चा करैत संयोजिका सभक सहयोग लेल आभार प्रकट करैत धन्यवाद ज्ञापन कएलनि। कलाकार सब दूर-दूर सँ आयल छलाह। लहान, राजविराज आ विराटनगर केर विभिन्न क्षेत्र सँ आबि एहि महत्वपूर्ण मंच पर अपन प्रस्तुति दैत सब कियो गद्गद् छलाह। कतेको कलाकार केँ समय कम होयबाक कारण मौका तक नहि भेटलनि से ओ सब कनेक रुष्ट सेहो भेलाह। लेकिन राधाजी हुनका सब केँ ऐगला बेर मोन पाड़िकय पहिनहि भाग पेबाक आश्वासन दैत बौंसि लेलीह। कार्यक्रम सफलताक संग ‘मैथिली जिन्दाबाद – मिथिला जिन्दाबाद’ केर गीत पर थिरकैत आ सेल्फीक आनन्द लैत संपन्न भेल। समस्त सहभागी दर्शक लोकनि जीतिया पाबनिक यथार्थ शुभकामना – व्रतालू लोकनिक व्रत पूरा होयबाक कामना आर अपन भाषा-संस्कृति केर संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन हेतु सदैव आगाँ रहबाक दृढसंकल्प लैत अपना-अपना घर दिशि प्रस्थान कएलनि। जाहि लगन आ उत्साह संग समाजक महिला नेत्री लोकनि अपन पाबनिक उद्देश्य केँ संस्थागत कय रहली अछि एकर महत्व केँ भला के नकारि सकैत अछि।