रामाशीष सिंह (पत्रकार ) कन्हौली, खजौली,तिथि – 27.08.2017


समस्याक  समाधान कोना होयत

समस्या होयत अछि, आ सब समस्या के समाधानों सेहो होयत अछि , मुदा निदान कोना होयत?
एकर लेल जागरूकता आवश्यक अछि, निरंतर जागरूकता मात्र प्रजातंत्र के मूल अछि ।
मुदा आजादी के ७० साल बादो

रामाशीष सिंह(पत्रकार) मुखिया जी
रामाशीष सिंह(पत्रकार) मुखिया जी

लोक जागरूक नै अछि, वो सब समस्या के समाधान में उदासीन एवं नमस्तक रहैत अछि ।

आयल दिन समाज में भूर्ण हत्या, दहेज़ उत्पीड़न, बाल विवाह, हत्या संगे अनेको रास घट्ना होयत रहैत अछि । एकर रोक थाम लेल कानून बनल अछि , मुदा हम सब अमुक बनल रहैत छी। जे इ घटना तs अन्य व्यक्ति के साथ घटित भेल अछि, हमारा की मतलब, हमारा ई झंझट में परय के कोन जरुरत, कियाक परी ई फोकट के झंझट में ।
कि कानून अपने आप अपन काज कs लेत ? कानून के साक्ष्य चाही, मुदा मनुष्य में स्वार्थभाव के कारणे साक्ष्य नै मिल पबैत अछि , आ कानून असफल भs जायत अछि। समाजक ई उदासीनता प्रवृति आय सँ नै महाभारत काल में सेहो पितामाह,दोर्णाचार्य,कृपाचार्य जाका महारथी एवं वीर योद्धा सब के समक्ष द्रोपतीक चीरहरण भेल मुदा सब नमस्तक बनल रहल ।
          “जखनधरि समाज जागरूक नै होयत. संगठित भs समस्या के निदान में भाग नै लेत,

                                  तs समाज में समस्या निरंतर बैढ़ते रहत । “



विज्ञापन हेतु संपर्क – +91 9534303907

ईमेल – [email protected]