सप्तरी मे पहिले मानसूनी वर्षा सँ बाढि, बाढिक निदान लेल कोसी समिति फेर हो सक्रिय

राजविराज, सप्तरी। जूलाई २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सप्तरीक प्रसिद्ध सीमावर्ती गाम तिलाठी मे बाढि सँ जलमग्न होयबाक भयावह स्थिति अछि, तहिना सप्तरीक अन्य-अन्य भाग जेना मलेठ सहित अनेको गाम मे बाढिक पानि घर-घर मे घूसबाक सूचना आबि रहल अछि।

समाचारः साभार कान्तिपुर, संवाददाता – अवधेश झा – नेपाली सँ मैथिली मे रूपान्तरित

मनसुन केर पहिल वर्षा होयबाक संग सप्तरी जिल्लाक तिलाठी गाम फेरो डुबान मे अछि । गामक दक्षिण मे भारत द्वारा निर्मित बाँध केर कारण हरेक वर्ष ई विपत्ति एतुका बासिन्दा केँ भोगय पड़ैत छैक ।स्थानिय तह केर दोसर चरणक लेल भेल निर्वाचन मे व्यस्त दल केर नेता लोकनि केँ एहि प्राकृतिक विपत्तिक बारे सोचबाक समय नहि होयब स्वाभाविके छैक । ‘ब्वासा देखाएर चल्ला चोर्न’ परकल काङ्रेस केँ मतलब नहि छैक । एमाले केर नेता सभक लेल त सप्तरीक नाम लैते मुंह कोत भ जाएछ । मधेसी नेता सब त काठमाण्डु सँ दुरबिन लऽ कय देखलाक बादो तिलाठी नहि देख पबैछ । तखन के मेटायत स्थानीय केर पीड़ा । निर्वाचन केर परिणाम बेचय मे व्यस्त मिडिया लेल ई सब झिना मसिना (फासफूस) बात मे ध्यान देबाक फुर्सते कतय छैक । बाजहे पड़तैक त भारत आर मधेसी नेता सब केँ दुइ चारि गो गारि-बात कहैत राष्ट्रवादी बनि जेतैक । स्थानिय सेहो कोन कम । गाम घर केर आस-पासक सब नदी नाला केँ जोति-कोरि खेत बना लेलक । कतिपय स्थान मे त टोलो बसि जेबाक अवस्था छैक । जे कियो जे किछु केलाक बादो सरकार अपन दायित्व सँ पाछू नहि हँटि सकैत अछि । कोशी बैरेज केर निर्माण होबय लागल समय ई समस्या सभक सम्भावित आकलन कएलाक बादे कोशी कोर्डनेशन कमिटी बनायल गेल छल । निष्कृय रहल ओ कमिटी केँ सक्रिय कय केँ अविलम्ब समस्याक समाधान करबाक चाही ।

बाढिक मूल कारण

पूर्व मे प्रकाशित जे पी आनन्द – नेपालक पूर्व संचार मंत्री आ वरिष्ठ राजनीतिकर्मी केर एक लेख मुताबिक कोसी बैराज निर्माण केर समय बाँध सँ बाहर बहयवला नदी सभक प्राकृतिक बहाव कोसी मिलान केर मार्ग अवरुद्ध कएला सँ सप्तरीक किछु क्षेत्र आ भारतहु केर सीमावर्ती क्षेत्र मे बाढिक खतरा बनल रहैत छैक। एहि दिशा मे कोसी लेल बनल समिति केँ पुनः सक्रिय करबाक सुझाव अवधेश झा – कान्तिपुर संवाददाता द्वारा उचित देल गेल प्रतीत होएत अछि।