जून २८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
युवा अभियानी सहित बड़-बुजुर्ग आ सम्भ्रान्त समाजसेवी लोकनिक सामूहिक प्रयास सँ सौराठ सभा २०१७ जेकर शुरुआत २५ जून, २०१७ सँ भव्य उद्घाटन समारोहक संग कएल गेल अछि ओ पुनः अपन पूर्वहि केर रंग मे रंगाएत देखाय लागल अछि।
सोशल मीडिया मार्फत ५ वर्ष पूर्व स्वयं दहेज मुक्त विवाह सौराठ सभागाछी सँ कएनिहार दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक सदस्य चन्दन झा जनतब देलनि अछि जे आइ सौराठ सभागाछी सँ कुटमैती तय होयबाक सिलसिला फेरो आरम्भ भऽ गेल। एहि क्रम मे बहुते रास दूल्हा अपन-अपन परिवारक संग उपस्थिति देलनि। तहिना कन्यागत पक्ष सब सेहो आबिकय ओहि दूल्हा सभ सँ पूछताछ करैत पूर्वहि केर परम्परा अनुरूप अपन घर मे मौजूद विवाह योग्य कन्या लेल समुचित वर केर खोज कएलनि। तुरन्ते भेटल जानकारी मुताबिक एक वर जिनक नाम घनश्याम झा आर पिताक नाम विजय कांत झा घर बेलाही थाना कलुआही छन्हि, हुनकर विवाह खुशी नाम्ना कन्या संग कन्याक पिता श्रीकांत झा घर जितवारपुर द्वारा सम्पूर्ण आदर्श विवाह पद्धति पर तय कएल गेल अछि। ई विवाह सेहो ओहि तर्ज पर होयत जाहि लेल सभाक विशिष्टता जग-विख्यात अछि। यानि, आइये सब बात निर्णीत भेल, आइये सिद्धान्त लिखायल आर बिना कोनो विशेष ताम-झाम आ ब्यर्थ पूँजी पानि मे बहेने दुनू पक्षक अभिभावक लोकनि वर आ कन्याक विवाह सम्पन्न कय नव घर बसेबाक लेल समुचित आशीर्वाद देता। यैह उचित कर्म मैथिल ब्राह्मण केँ शोभा दैत अछि आर एहि तरहें जे ऐगला पीढी अबैत अछि ओ विशुद्ध मैथिल ब्राह्मण समान मानव समाज केर हित आ कल्याण लेल कर्मठ बनिकय देश-विदेश मे नाम कमाएत अछि। एहि विवाहक संबंध तय करबाक समय पर ग्राम पंचायत राज मधेपुर केर मुखिया अजय कुमार झा, पंचायत समिति सूर्यमोहन झा, समाजसेवी ललित कुमार झा, भवेश कुमार झा, आदिक उपस्थिति छल।
दोसर दिशि सौराठ सभा मे रौनक केँ पुनर्वापसी हेतु तत्पर समाजसेवी प्रफूल्ल चंद्र झा, युवा अभियानी आशीष कुमार मिश्र, ऐतिहासिक सौराठ सभा विकास समितिक सचिव अधिवक्ता डा. शेखर चन्द्र मिश्र, अध्यक्ष सतीश मिश्र, जानकी सेनाक अध्यक्ष मृत्युंजय झा सहित दर्जनों समर्पित गणमान्य व्यक्तित्व सब निरन्तर एहि दिशा मे लागिकय एक सँ बढिकय एक कार्यक्रमक आयोजन सौराठ सभा मे करा रहला अछि। आइ चारिम दिन ओतय पाग सम्मान दिवस सेहो मनाओल गेल अछि। काल्हि मंगल दिन सैकड़ों ब्राह्मण केँ चूड़ा-दही-आम केर भोजक आयोजन कएल गेल छल। तहिना आबयवला काल्हि यानि वृहस्पति दिन पारंपरिक शास्त्रार्थ परम्पराक आयोजन सेहो कएल गेल अछि जाहि मे दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय अन्तर्गत कतेको रास महाविद्यालय सब सँ योग्य शास्त्री लोकनिक जमघट लागत। एतय मिथिलालोक द्वारा मिथिलाक पाग व अन्य सामग्रीक एकटा स्टाल सेहो लगायल गेल अछि। डा. बिरबल झा केर संयोजन मे आरो विभिन्न आयोजनक खबैर सब आबि रहल अछि। तहिना मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन द्वारा साफ-सफाईक अभियान एहि धरोहर पर चलाओल गेल अछि। सभक समग्र सहयोग सँ ई धरोहर पुनः प्रकाशित होएत मैथिल ब्राह्मणक इज्जत केँ बचाओत ई कहय मे आत्मविश्वास भऽ रहल अछि।

1 Comment
Subh Samachar…
Mithila ke maan badhaie…
Jai Maa Mithale…