विशेष सम्पादकीय
भारत मे राष्ट्रपति चुनाव नजदीक आबि गेल अछि। राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन द्वारा राष्ट्रपति उम्मीदवार पार्टीक एक पुरान समर्पित नेतृत्व देनिहार वर्तमान समय बिहारक राज्यपाल श्री रामनाथ कोविन्द केर नाम आगू कएल गेल आर एहि नामक संग राजनीतिक पैंतरा सेहो जोड़ि देल गेल अछि जे श्री कोविन्द दलित समुदाय सँ छथि, भाजपा मात्र ओ दल थिक जे एहि तरहें समर्पित कार्यकर्ता आ संगठन केर दृष्टि सँ सामर्थ्यवान नेतृत्वकर्ता केँ कतय सँ कतय पहुँचा सकैत अछि। सोशल मीडिया पर भाजपाक समर्थक तक एहि बात केँ पचा नहि पाबि रहल अछि जे ई कोन नव तरीका सँ भाजपा सेहो आन दल जेकाँ जाति-पाति आ वर्गक नाम लैत पदक सिफारिश करैत अछि। आखिरकार भाजपाक एहि पैंतराक जबाब यूपीए द्वारा सेहो आइ मीरा कुमार – एक दलित परञ्च विगत मे लोकसभा अध्यक्षा रहि चुकल पूर्व प्रधानमंत्री जगजीवन राम केर बेटीक नाम आगू कय देलक। एहि बीच लोकमानस मे मोदी सरकारक ३ वर्षक उपलब्धि पर चर्चा सेहो चलय लागल अछि। सच छैक, आखिर मोदीजीक ३ वर्षक काज कि सब भेल? आम जनधारणा मे २०१९ केर चुनाव पूर्व एहि विषय पर बहस एखनहि सँ शुरु देखा रहल अछि। सोशल मीडिया पर सेहो एहि विषय मे बँटल मत देखैत छी। हालहि अमित शाह जी केर एक साक्षात्कार पढबाक अवसर भेटल नवभारत टाइम्स पर। ताहि अनुरूपे बहुत बात स्पष्ट आ सहमत योग्य बुझा रहल अछि। आउ देखी एक नजरि एहि सम्पूर्ण उपलब्धि परः
१. स्कैम आ भ्रष्टाचार सँ त्रस्त भारतीय जनता केँ आफियत भेटल, नहि सिर्फ सरकार सँ उम्मीद बढल बल्कि हरेक भारतीय केँ अपन देश पर गौरव करबाक बहुत रास अवसर प्राप्त भेल। लोकक आत्मविश्वास बढल।
२. परिवारवाद, जातिवाद, आर सबसँ खतरनाक तुष्टीकरणक राजनीति सँ बहुल्यजनक खसैत आत्मबल केँ सम्हारबाक बड पैघ कार्य मोदी सरकार द्वारा भेल अछि।
३. जाहि नारा संग मोदीजी केर प्रवेश भारतीय सत्ता ऊपर भेल जे ‘साथ है, विश्वास है, हो रहा विकास है’ तेकरा सरकार हरे क्षेत्र मे विकास कय केँ पूरा करबाक काज आरम्भ कय देने अछि।
४. वन रैंक वन पेंशन पर सरकार जे देशक रक्षा लेल समर्पित जवान सँ वादा केने छलाह से पूरा कएलनि।
५. अंतरिक्ष मे भारत पैघ-पैघ कामयाबी हासिल केलक अछि। आइ भारतीय उपग्रह सँ पड़ोसी राष्ट्र तक केर सूचना आ संचार माध्यम केँ सहारा देल जा रहलैक अछि। एकर अलावे कतेको रास अनुसंधान आ विकास केर कार्य एहि क्षेत्र मे संपन्न भेल।
६. मोदी सरकार केँ फैसला लेबयवला सरकार वाली बात जे अमित शाह बेर-बेर कहैत आबि रहला अछि, सेहो गौर करयवला बात अछि। सर्जिकल स्ट्राइक एकर नमूना थिक। पाकिस्तान केँ सख्त संदेश देल जा चुकल अछि आर विश्व समुदायक बीच बेर-बेर मैसेज जा रहल अछि जे आखिरकार पाकिस्तानक हरकत केँ भारत कतेक दूर धरि वर्दाश्त करत। भारत कोनो तेसर विश्वयुद्ध केर कारक देश नहि बनय चाहैत अछि, लेकिन जखन आर्थिक विकासक समय कोनो देश काश्मीर आ अन्य आन्तरिक सुरक्षा मे सेंध लगाबय त ओकरा कतेक देर धरि वर्दाश्त करय। ई सब कार्य एखनहु चलि रहल अछि।
७. काला धन पर रोक लगेबाक दिशा मे सरकार द्वारा उठायल गेल कठोर कदम नोटबंदी केर बहुत दूरगामी परिणाम सोझाँ आयल अछि। चुनाव सहित विभिन्न स्थान पर यैह कालाधन सँ जनादेश मे परिवर्तन आनल जाएत रहल, तेकरा पर रोक लागि गेल अछि।
८. बेनामी संपत्ति केर खिलाफ सख्त कदम उठायल गेल अछि। १५ हजार करोड़ केर बेनामी संपत्ति जब्त कएल जा चुकल अछि।
९. जीएसटी कानून बनेनाय सेहो सरकार केर एक पैघ उपलब्धि कहि सकैत छी, एहि सँ आर्थिक क्रान्ति आयब सुनिश्चित अछि।
१०. हर तबका, हर वर्ग केर विकास भऽ रहलैक अछि, मात्र केकरो नाम पर वोट लय ओकरा ओतबे पिछड़ल छोड़ि देबाक दसकों-दसक केर घटिया नीति आ गपबाजी सँ कोनो काज नहि भेलैक अछि एहि बीच मे।
करोड़ों पिछड़ा वर्ग केँ सम्मान, करोड़ों दिव्यांग केँ सम्मान – भारतीय योग केँ विश्व पटल पर आनब, भारतक झंडा आ भारतीयता केँ गौरवबोध सँ ओत-प्रोत कय देब…. ई सब कार्य मोदीजी केर समय मे भेल अछि। देशक मजबूत अर्थव्यवस्था आइ भारत केँ दुनिया मे सबसँ तेजी सँ बढ़यवला अर्थव्यवस्था बना देलक अछि। IMF जे ७.२ प्रतिशत विकास दर केर अनुमान लगेलक अछि, ओ बिल्कुल यथार्थ आ बढनशील अछि। प्रत्येक व्यक्तिक व्यक्तिगत आय मे बढ़ोतरी भेल अछि। मुद्रा बैंक सँ ७.५ करोड़ युवा केँ लोन दियाओल गेल अछि। स्वच्छ भारत अभियान केर नारा मात्र सँ देशक जनमानस सेँ देशक अवस्था मे सुधार लेल जिम्मेवारीक बोध सेहो करायल गेल अछि।
सच छैक जे जनसमस्याक समाधान जनभागीदारी सँ होयत आर से मोदी सरकार करय मे सफल भेला अछि। भले मिथिलाक लोक मे एखनहु सरकारी धन-सम्पत्ति केँ नुकसान पहुँचेबाक आ बाटहि पर हगबाक दुर्गुण कतहु-कतहु व्याप्त अछिये, मुदा वृहत स्तर पर देश मे सुधार सब कियो नोटिस कय रहल छी।मोदी सरकार द्वारा ४.५ करोड़ गरीब केर घर मे शौचालय बनबाओल गेल अछि।
लोक केँ बैंकिंग सिस्टम सँ जोड़बाक काज भेल। २८.५२ करोड़ जनधन खाता खोलल गेल। २०१६-१७ मे सबसँ बेसी शौचालयक निर्माण भेल, सबसँ बेसी बिजलीक उत्पादन भेल। २०१६-१७ मे सबसँ अधिक राजमार्ग और ग्रामीण सड़क बनल। एहि आर्थिक वर्ष मे सर्वाधिक दोपहिया वाहनक निर्माण भेल, सबसँ बेसी यूरियाक उत्पादन भेल आर सबसँ बेसी विदेशी निवेश सेहो भेल। FDI मे 45 फीसदीक इजाफा भेल अछि।
आइ सेंसेक्स सबटा पुरनका रेकॉर्ड तोड़िकय ऊंचका स्तर पर अछि। एनडीए सरकार द्वारा वीआईपी कल्चर केँ खत्म कएल गेल। २ करोड़ लोक केँ गैस कनेक्शन देल गेल। जाहि १८ हजार गाम मे बिजली नहि पहुंचल छल ओहिमे सँ १३ हजार गाम मे बिजली पहुंचि गेल। इंद्रधनुष टीकाकरण कार्यक्रम केर तहत ४.५ करोड़ बच्चाक टीकाकरण भेल।
(उपरोक्त सब बात भाजपा अध्यक्ष अमित शाह द्वारा हालहि सम्पन्न एक प्रेस मे कहल गेल अछि।)