चिराग वेलफेयर फाउन्डेशन द्वारा ‘रमजान किट’ केर वितरण मिथिला मुस्लिम समुदाय केँ

डा. रामसेवक झा, मधेपुर। जून २१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

भारतक विभिन्न क्षेत्र मे रहनिहार पिछड़ल जातिक लोक आर पिछड़ल क्षेत्रक लोक केर उत्थान वास्ते किछु युवा शक्तिक एकजुटता सँ आरम्भ कएल गेल चिराग फाउन्डेशन केर कार्यक्षेत्र शिक्षण, प्रशिक्षणक संग-संग नैतिक चरित्र निर्माण, लोकस्वास्थ्य, लोककला आर लोकसंस्कृति केर संरक्षण, संवर्धन तथा प्रवर्धन थिक, एहि क्षेत्र मे विभिन्न योगदानक माध्यम सँ पिछड़ल वर्गक लोक केँ उत्तम जीवनयापनक तौर-तरीका पता चलि सकैय, यैह उद्देश्यक लेल उपरोक्त फाउन्डेशनक स्थापना दिसम्बर २०१६ मे कएल गेल अछि। चिराग फाउन्डेशनक परिचय दैत एकर अध्यक्ष मो. वजहुल कमर कहलैन जे देशक वर्तमान राजनीतिक एवं सामाजिक हालात एहि पिछड़ल क्षेत्र आ जातिक लोक केर विकास केँ बिसैरकय गरीबीक निचला पायदान पर जियय लेल बाध्य कय देने अछि जेकरा फाउन्डेशन खत्मकय हर वर्गक समान विकास लेल कार्य करबाक लेल उद्यत् अछि। फाउन्डेशनक एकमात्र लक्ष्य छैक जे पिछड़ल क्षेत्र आ वर्गक लोक केर जीवनशैली मे सेहो समुचित विकास करैत समान रूप सँ मानवताक शिखर पर आनबाक अछि।

चिराग वेलफेयर फाउन्डेशन अपन लक्ष्य धरि पहुँचबाक लेल हर समय सक्रियतापूर्वक पिछड़ल समाजक लोक सब संग सहकार्य करैत आगाँ बढि रहल अछि। एहि संदर्भ मे मधुबनीक एक पिछड़ा क्षेत्र करहारा पंचायत केर मुस्लिम समाज लेल रमजान और ईद केर अवसर केँ ध्यान मे रखैत करीब ५० गरीब घर मे ‘रमजान किट’ केर वितरण कएल गेल अछि। एहि रमजान किट मे सेवई, खजुर आर नगदी सहित एकटा झोरा सेहो देल गेल अछि। एहि किट केर वितरण एहेन विपन्न लोक केर घर मे कएल गेल अछि जे वास्तव मे ईद एहेन पाबनिक मनेबाक सामर्थ्य नहि रखैत सम्पन्न वर्गक लोक सँ अपना केँ कटल मानैत छल। फाउन्डेशनक मनसा यैह छैक जे एहि किट केर प्राप्ति सँ ईहो परिवार सब धूमधाम सँ आन सम्पन्न लोक सब संग ईदक खुशियाली मे सम्मिलित होयत।

फाउन्डेशनक अध्यक्ष वजहुल कम द्वारा अन्य सदस्य विशेषतः बिहार संयोजक अब्दुस्समद पप्पू, बिलालुद्दीन, सनाउल्लाह सिद्दिकी, दानिश नादवी, जमाल शरिक, शमशाद आलम, शहनवाज रिजवी, बदीउज्जमा गुलाब, इकबाल हैदर, जुल्फिकार फैजी, सरफराज आलम गुड्डू, नासिर अहमद, मुर्तजा अहमद तथा अन्य केँ धन्यवाद कएलनि अछि आर एहि तरहक कल्याणकारी सामाजिक योगदान केँ निरंतर आगू बढेबाक लेल सदिखन तत्पर रहबाक अनुरोध सेहो कएलनि अछि।