अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस विशेष
भारतक प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदीक विशेष पहल पर विगत २ वर्ष सँ समूचा दुनिया मे योग केर महत्व केँ आत्मसात करबाक लेल अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस मनायल जा रहल अछि। आइ २१ जून पूरे विश्व मे अंतरराष्ट्रीय योग दिवस मनायल जा रहल अछि।
भारत समेत दुनियाक १५० देश मे धूमधाम सँ ई आयोजन मनायल जा रहल अछि आइ। भारतक विभिन्न स्थान पर, नेपालक राजधानी काठमांडू सहित अन्यान्य शहर मे, अमेरिका मे, बेलायत मे व प्रत्येक ओहि देश मे जतय भारतीय राजनयिक संबंध मजबूत अछि, ओहि सब स्थान पर आजुक दिवस लेल विशेष आयोजन राखल गेल अछि। लाखों आदमी आइ सक्षम योग-गुरुक संग योगाभ्यास करैत दिवसक महत्व केँ आत्मसात करता।
भारतीय दर्शन मे वर्णित योग केर वैशिष्ट्य अलगे गरिमा रखैत अछि। हाल किछु वर्ष मे बाबा रामदेव समान स्टार योग गुरु द्वारा विश्वक हरेक कोण मे योग केँ पहुँचेबाक कार्य कएल गेल अछि। योग अपनाउ – रोग भगाउ केर सन्देश देल गेल अछि। बाबा रामदेव समान अन्य विभिन्न योग केर ज्ञाता प्रशिक्षक प्रचारक लोकनि विगत हजारों-हजार वर्ष सँ एकर उचित विधि आ व्यवहार पर अलग-अलग तरहें जानकारी दैत आयल छथि। आर्ट अफ लिविंग केर संस्थापक आध्यात्मिक गुरु श्री श्री रविशंकर द्वारा सेहो विश्व भरि मे योग पर कैम्प लगेबाक संग जीवन मे तनावमुक्त आ हँसैत-खेलाएत कोना जीवन जिबी ई सब सिखायल जाएत रहल अछि।
एहि महत्व केँ भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो निज अभ्यास सँ जनैत छथि, आर २०१४ केर भारतीय आम निर्वाचन मे सत्ता पबैत देरी संभवतः ईहो एकटा अति महत्वपूर्ण कार्य हुनका द्वारा कएल गेल जे भारतीय योग परंपरा केँ विश्व परिवार मध्य लोकप्रिय बनेबाक आ सुस्थापित करबाक लेल २०१४ मे यूएन मे प्रस्ताव राखलनि। दुनिया केर कुल १९३ मे सँ १७५ देश भारतक प्रस्ताव केँ मान्यता देने छल। २०१५ सँ अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस केर शुरुआत भेल।
प्राप्त समाचार अनुसार योगगुरु बाबा रामदेव गुजरातक राजधानी अहमदाबाद मे करीब ५ लाख लोकक संग योग कय रहला अछि। तहिना उत्तर प्रदेश मे आजुक दिवस पर छुट्टीक घोषणा कएल गेल अछि। स्वयं प्रधानमंत्री मोदीजी आइ यूपी केर राजधानी लखनऊ मे योग करता। एतय विराटनगर मे सेहो भारतीय राजदूतावास केर कैम्प कार्यालय प्रमुख श्री पी के चालिया केर पहल पर मोरंग ब्यापार संघ मे योग कैम्प लगाओल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सब केँ आजुक विशेष दिवस योग केँ आत्मसात करैत स्वस्थ बनबाक शुभकामना अछि।
हरिः हरः!!