‘सीता – मिथिलाक योद्धा’ – प्रसिद्ध लेखक अमिश त्रिपाठीक नव कृति, आलिया भट्ट द्वारा ट्रेलर लांच

मुम्बई, १९ मई, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

‘मिथिलाक योद्धा: सीता’ – अमिश त्रिपाठीक नवका किताबक ट्रेलर लांच केली अभिनेत्री आलिया भट्ट
 
भारतवर्षक हिन्दू दर्शन तथा विभिन्न प्रचलित पौराणिक गाथा केँ नव अन्दाज मे लिखनिहार बहुचर्चित लेखक अमिश त्रिपाठी एक बेर फेर हिन्दू धर्म व आस्थाक चिर-परिचित मूर्ति सीता पर अपन नव पोथी लिखलनि अछि। ‘सीताः वारियर अफ मिथिला’ नाम सँ लिखल गेल ई पोथीक ट्रेलर ३ दिन पूर्व मुम्बई मे अभिनेत्री आलिया भट्ट केर हाथ सँ किछु नव आर अनोखा विमोचन कएल गेल अछि।
 
मई १६ कोइमोइ डट कम दल द्वारा प्रकाशित समाचारक मुताबिक बालीवूड अभिने्त्री आलिया अभिश त्रिपाठी केर बहुप्रतिक्षित पोथी ‘सीता – वारियर अफ मिथिला’ केर ट्रेलर लांच जुहू स्थित ग्रन्थ बुकस्टोर पर केली। अमिश संग आलिया निर्भया योद्धा सीता केर दृश्य सहितक किताब केँ अपन अलग अन्दाज मे सार्वजनिकीकरण कएलनि।
 
एहि पोथी ‘सीता – मिथिलाक योद्धा मे अमिश लेडी सीता केँ एकटा अलगे रूप मे अवतार करौलनि अछि, हम सब जतेक किछु सुनने वा देखने छी ताहि सब सँ भिन्न प्रस्तुति एहि पोथी मे कएल गेल अछि। अमिशक पोथी मे लेडी सीता केँ एकटा सशक्त आ स्वतंत्र महिलाक रूप मे प्रस्तुत कएल गेल अछि, जे बाल्मीकि रामायण व अद्भुत रामायण केर आधार पर सच सेहो मानल जाएत छैक।
 
पाठक लेल एहि तरहक नव रूप मे लेडी सीताक प्रस्तुतीकरण एकटा अलगे रुचि आर जिज्ञासा बनौलक अछि जाहि मे उपरोक्त ट्रेलर मार्फत आरो नव उत्साह उत्पन्न कएल गेल कहल गेल अछि। ट्रेलर केर लांचिंग अवसर पर प्रतिक्रिया दैत अमिश कहलनि, “ट्रेलर लांच कयकेँ हम काफी आह्लादित छी, एकटा आडियो-विजुअल दृश्यक संग लेडी सीता केँ ओहिना देखायल गेल अछि जेना कि ओ हमर पोथी मे वर्णित छथि। आर ओतबे आह्लाद हमरा एहि अवसरपर आलिया जे व्यवसायिक सिनेमा मे समाज लेल सन्देश देबाक महत्वपूर्ण कार्य केली अछि तिनका द्वारा ई लांचिंग प्रस्तुतीकरण सँ अछि।
 
आलिया जे कि आधुनिक समयक महिलाक हुबहू प्रतिनिधित्व करयवाली महिला मानल जाएत छथि, ओहो अमिशक किताब मे वर्णित सीताक एहि विभिन्न नव स्वरूप सभक दर्शन कय काफी उत्साहित छलीह। ई अभिनेत्री बालीवूड मे अपन अलग अलग रूप मे सशक्त भूमिकाक अदाकारी लेल अपन अलगे छाप छोड़य मे सफल भेली अछि।
 
एहि अवसर पर आलिया बजलीह, “अमिश संग पहिल भेंट हुनक नव कृति – ‘सीता – मिथिलाक योद्धा’ केर दृश्य प्रस्तुतीकरणक मौकापर होयब सौभाग्यक बात थिक। हम काफी खुशी छी जे हमरा सभक पहिले भेंट एतेक विशिष्ट भेल। हम हिनकर लिखल इम्मोर्टल्स अफ मेल्हुआ पढने छी जे खूब पसीन पड़ल छल। हमरा बुझने अमिश मे मिथोलाजी केँ समकालीन आधुनिक शैली मे व्यक्त करबाक विशेष कला आदति जेकाँ छन्हि। काफी प्रखर आ वीर छथि आ हिनकर पोथी मे यैह बात हमरा बहुत नीक लगैत अछि। बस खाली किताबे नहि होएत छन्हि हिनकर किताब…. ओहि मे अनुभव निहित होएत छैक!”