Search

अन्तर्राष्ट्रीय कोर्ट मे भारतक पैघ जीत, पाकिस्तानी कोर्टक निर्णय विरुद्ध रोकल गेल जाधवक फाँसी

समाचारः साभार भास्कर अनलाइन

हेग.नीदरलैंड्स स्थित इंटरनेशनल कोर्ट ऑफ जस्टिस (ICJ) कुलभूषण जाधव (46) केस में फैसला सुना रहल अछि। कोर्ट कहलक जे जाधव केँ काउंसलर एक्सेस देल जाय। एहि मामिला में 15 मई केँ सुनवाई भेल छल। भारत और पाकिस्तान द्वारा अपन दलील पेश कएल गेल। भारत कहने छल जे पाक द्वारा जाधव धरि डिप्लोमैटिक पहुंच नहि दय केँ वियना संधिक वॉयलेशन कएल गेल अछि। ओतहि, पाक द्वरा एकरा नेशनल सिक्युरिटीक मुद्दा बतबैत अंतरराष्ट्रीय कोर्ट केर अधिकार क्षेत्र पर सवाल उठायल गेल। बता दी जे पैछला महीना पाकिस्तान केर मिलिट्री कोर्ट द्वारा इंडियन नेवी केर पूर्व अफसर जाधव केँ जासूसीक मामिला में फांसीक सजा सुनायल गेल छल। एहि के खिलाफ भारत द्वारा अपील भेल। 18 साल बाद दुनू देश इंटरनेशनल कोर्ट में आमने-सामन अछि। कोर्ट केर फैसला में अहम प्वाइंट्स…
– इंटरनेशनल कोर्ट ऑफ जस्टिस केर चीफ जस्टिस रोनी अब्राहम और बाकी 10 जज 3.24 मिनट (भारतीय समयानुसार) पर कोर्ट रूम पहुंचला। भारत और पाकिस्तान केर टीम सेहो कोर्ट रूम में मौजूद छल। एहि दौरान भारत केर चीफ लॉयर हरीश साल्वे मौजूद नहि छलाह।
– सबसँ पहिने जज द्वारा आरोप पढ़िकय सुनायल गेल। बताओल गेल जे जाधव केँ पाकिस्तान केर मिलिट्री कोर्ट फांसीक सजाय सुनेलक अछि। भारत द्वारा वियना कन्वेंशन केर वॉयलेशनक आरोप लगाओल गेल। जज कहलनि – हम पूरा केस पढ़िकय नहि सुनायब। सिर्फ एकर समरी बतायब।
– जाधव केँ 3 मार्च 2016 केँ गिरफ्तार कयल गेल छल। एकर जानकारी 25 मार्च केँ देल गेल। भारत द्वारा काउंसलर एक्सेस मांगल गेल और कतेको बेर मांग दोहरायल गेल। 23 जनवरी 2017 केँ पाकिस्तान द्वारा भारत केँ किछु सबूत देल गेल। 4 अप्रैल 2017 केँ पाकिस्तान केर फॉरेन कोर्ट द्वारा प्रेस रिलीज में कहल गेल जे जाधव केँ ओतुका मिलिट्री कोर्ट फांसीक सजा सुनेलक अछि।
– भारत विरोध केलक। जाधव केँ पाकिस्तानी कानून मुताबिक, 40 दिन मे सजाक खिलाफ अपील करक छल मुदा से भेल या नहि, ई बात एहि कोर्ट केर जनतब मे नहि अछि।
– अब्राहम केर मुताबिक- जाधवक गिरफ्तारी केँ लऽ कय डिस्प्यूट अछि। एकरा ध्यान मे राखय पड़त। भारत और पाकिस्तान दुनू वियना कन्वेंशन केर हिस्सा थिक।
– कोर्ट कहलक जे पाकिस्तान केर ऑब्जेशंस पुख्ता नहि अछि अतः ताहि पर विचार नहि कएल जा सकैछ। लेकिन ईहो ध्यान राखय पड़त जे एहि मामिला में दुनू देशक बीच म्युचुअल ट्रीटी (आपसी समझौता) अछि। एकरा 2008 में रिव्यू सेहो कएल जा चुकल अछि।
– वियना कन्वेंशन केर मुताबिक, ई जरूरी छैक जे सब सदस्य देश एक-दोसरक नागरिक केँ हर हाल में काउंसलर एक्सेस मुहैया कराबय।
ह्यूमन राइट्स केँ हवा में उड़ा दैछ PAK
– हरीश साल्वे कहला – “हमरा आशंका अछि जे पूरा सुनवाई भेला सँ या फैसला एबा सँ पहिने पाक जाधव केँ फांसी पर नहि चढ़ा दियय। जौँ एना भेल त दुनिया में गलत मैसेज जायत। दुनियाभैर में एहेन मामिला में ह्यूमन राइट्स बेसिक प्रैक्टिस मानल जाएत छैक, पाक एहि सबकेँ हवा में उड़ा दैछ।”
(भारत द्वारा आरो कि सब दलील देल गेल, जनबाक लेल  एतय क्लिक करू)
पाक द्वारा वीडियो देखेबाक कोशिश भेल
– पाकिस्तान जाधव केँ जासूस बतेबाक लेल ओकर कबूलनामाक वीडियो देखेबाक कोशिश केलक। लेकिन इंटरनेशनल कोर्ट पाकिस्तान केर वकील केँ एना करय सँ मना कय देलक। पाकिस्तान ई जोर दैत रहल जे जाहि वियना संधिक हवाला दैत भारत जाधव केर फांसी रोकबाक मांग कय रहल अछि, ओ संधि जासूस केर मामिला में लागू नहि होएछ। जाधव जासूस थिक, ई ओकर वीडियो सँ साबित होएत छैक। (पूरा खबर एतय पढू)
– बता दी जे पाकिस्तान ओहि वीडियो देखेबा पर जोर दय रहल छल, जाहि मे प्रोफेशनल इंटेरोगेशन नहि भेल छल। एना लगैत छल जे ई अलग-अलग एंगल सँ कैमरा और लाइटिंग अरेंजमेंट मार्फत प्लानिंग कयकेँ शूट कएल गेल हो। वीडियो कोनो इंटरव्यू समान लागि रहल छल। शायद ई पाकिस्तान केर कोनो जर्नलिस्ट और कैमरामैन द्वारा आईएसआई केर सेफ हाउस में शूट कयल गेल छल।
(जाधव केर 6 मिनटक कबूलनाम में छल 105 कट : एतय देखू पूरा वीडियो)
कि छैक मामिला?
– पाक केर मिलिट्री कोर्ट जाधव केँ जासूसी और देश विरोधी गतिविधियक आरोप में फांसीक सजा सुनेने छैक। भारत केर कहब छैक जे जाधव केँ ईरान सँ अगवा कयल गेल छैक। इंडियन नेवी सँ रिटायरमेंट केर बाद ओ ईरान में बिजनेस कय रहल छल।
– हालांकि, पाकिस्तान केर दावा छैक जे जाधव केँ बलूचिस्तान सँ 3 मार्च 2016 केँ अरेस्ट कएल गेल छल। पाकिस्तान द्वारा जाधव पर बलूचिस्तान में अशांति फैलेबाक और जासूसी करबाक आरोप लगायल गेल छैक।
– इंटरनेशनल कोर्ट में भारतक तरफ सँ सीनियर एडवोकेट हरीश साल्वे द्वारा 8 मई केँ पिटीशन दायर कएल गेल रहैक। भारत द्वारा ई मांग कयल गेल रहैक जे भारत केर पक्षक मेरिट जांचय सँ पहिने जाधव केर फांसी पर रोक लगायल जाएक।
18 साल पहिले भारत-पाक इंटरनेशनल कोर्ट में छल आमने-सामने
– 10 अगस्त 1999 केँ इंडियन एयरफोर्स द्वारा गुजरात केर कच्छ में पाकिस्तान नेवी केर एक एयरक्राफ्ट एटलांटिक केँ मारि खसाओल गेल छलैक। एहि में सवार कुल 16 सैनिक केर मौत भऽ गेल छलैक।
– पाकिस्तान केर दावा छल जे एयरक्राफ्ट केँ ओकरे एयरस्पेस में मारि खसाओल गेल। ओ एहि मामिला में भारत सँ 6 करोड़ डाॅलर मुआवजा मांगने छल। ICJ केर 16 जजक बेंच द्वारा 21 जून 2000 केँ 14-2 सँ पाकिस्तान केर दावा केँ खारिज कय देल गेल छल।

Related Articles