नेपाल मे कोन-कोन जाति केँ राखल गेल अल्पसंख्यक केर सूची मे

समाचारः साभार न्युज अभियान डट कम

काठमांडू, ९ बैशाख । कुल जनसंख्याक ०.५० प्रतिशत सँ कम जनसंख्या रहल समुदाय केँ सरकार द्वारा अल्पसंख्यकक सूची मे राखेल गेल अछि।

एहि तरहें नेपालक कुल एक सय २५ जातिक मध्य ९८ जाति अल्पसंख्यक केर सूची मे पड़ल अछि। गृह मन्त्रालयक प्रस्ताव अनुसार विगत सप्ताहक मन्त्रिपरिषद् केर बैठक अल्पसंख्यक समुदाय केर मुद्दा तय केलक।

स्थानीय तहक निर्वाचन मे प्रतिनिधित्वक प्रयोजन लेल मात्र अल्पसंख्यक समुदाय तय कएल गेल अछि। गाउँकार्यपालिका तथा नगरकार्यपालिका सभामे दलित आर अल्पसंख्यकक उपस्थितिक प्रावधान अनिवार्य कएल गेल अछि।

०.५० प्रतिशत सँ कम जनसंख्या रहल समुदाय केँ अल्पसंख्यक सूचीमे राखबाक निर्णय होयबाक बात गृह मन्त्रालयक प्रवक्ता बालकृष्ण पन्थी द्वारा कहल गेल। अल्पसंख्यकक सूची राजपत्र मे प्रकाशन करबाक सहमति लेबाक वास्ते ताहि सम्बन्धी प्रस्ताव गृह मंत्रालय द्वारा कानुन मन्त्रालय मे पठायल गेल अछि। ९८ जातिक मध्य करीब १५ जाति केँ दलित अन्गर्तत सूचीकृत होयबाक चलते ओकरा सबकेँ अल्पसंख्यक अन्तर्गत नहि राखि दलिते अन्तर्गत आरक्षणक सुविधा भेटबाक बात कहल गेल अछि।

सरकार द्वारा सार्वजनिक कएल गेल अल्पसंख्यक जातिक सूचीमे शेर्पा, सोनार, घर्ती (भुजेल), कलवार, कुमाल, हजाम (ठाकुर), कानू, राजवंशी, सुनुवार, सुढी, लोहार, तत्मा (तत्वा), खत्वे, धोबी, माझी, नुनिया, कम्हार, दनुवार, चेपाङ (प्रजा), हलुवाई, राजपुत, कायस्थ, बढई, मारवाडी, सतार (सन्थाल) अछि।

तहिना झाँगड (धागर), बाँतर (सरदार), बरई, कहार, गनगाई, लोध, राजभर, थामी, धिमाल, भोटे, बिन, गडेरी (भेडियार), नुराङ, याक्खा, दराई, ताजपुरिया, थकाली, चिडिमार, पहरी, माली, बंगाली, छन्त्याल, डोम, कमर, बोटे, ब्रह्मु (बरामो), गाइने, जिरेल, दुरा, बादी, मेचे, लेप्चा, हलखोर पनि अल्पसंख्यक जातिक सूचीमे पड़ल अछि। आजुक नयाँ पत्रिका दैनिक द्वारा ई खबर छापल गेल अछि।

– See more at: http://www.newsabhiyan.com/news-details.php?nid=72954#sthash.pwvDJrJZ.dpuf