नेपाल सरकार द्वारा समुचित राहत आ फँसल लोककेँ उद्धार कार्य मे शिथिलताक चौतरफा निन्दा – सत्तापक्ष आ विपक्ष सहित समस्त राजनीतिकर्मी पर आम जनमानस द्वारा गंभीर प्रश्न ठाढ।
विदेशी उद्धारकर्मी द्वारा भाग्यशाली कतेको लोककेँ ७२ घंटाक बादो कैल गेल उद्धार – राहत कार्य लेल काठमांडु आ पोखरा केँ केन्द्र बनाय भारतीय राहतकर्मी द्वारा सर्वाधिक विस्तृत क्षेत्र मे राहत तथा उद्धार कार्य जारी – लोकमानस मे भारतक सौहार्द्र आ सहयोग प्रति कृतज्ञताक भावना।
राहत पर राजनीति शुरु – राज्य द्वारा देरी सँ सही मुदा काठमांडु सँ बाहर जयबाक लेल बस केर इन्तजाम – काठमांडु मे जहतर-पहतर त्रिपाल टाँगि रहि रहल लोक लेल सुरक्षित पनाहगाह केर इन्तजाम करबा मे मंत्रीमंडलक बैसार – गृह मंत्रालय पुनर्वास लेल वचन देलक – अफवाह पसारनिहार पर पूलिस द्वारा कार्रबाई।
काठमांडु सँ बाहर जाय लेल लोकक भीड़ तिनकुने सँ नया वानेश्वर धरि हजारोंक संख्यामे पंक्तिबद्ध भेनाय – भिनसर ७ बजे सँ बस द्वारा नेपालक विभिन्न भाग मे सरकारी देखरेख मे यात्री केँ मुफ्त यात्रा केर इन्तजाम कैल गेल।
दुर्गंधित लाश आ खुल्ला मे शौचालय केर बाध्यता सँ समूचा काठमांडु दुर्गंधित – लोकमानस मे हैजा पसरबाक चिन्ता – राहत शिविर मे कतेको लोक बीमार – भारत सहित अलग-अलग देश द्वारा राहत शिविर संचालन मे। विभिन्न देश द्वारा अपन नागरिक केँ सुरक्षित बाहर निकालबाक लेल हवाइ यात्राक व्यवस्था।
काठमांडु सँ बाहर कतेको ठाम हाल धरि कोनो तरहक राहत नहि पहुँचि सकबाक शिकायत – आम जनमानस मे सरकार प्रति असंतोष – राजनीतिकर्मी द्वारा देरी सँ जागबाक निन्दा। माओवादी तथा मधेशवादी द्वारा अपन-अपन तरहें राहत तथा उद्धारकार्य लेल निर्देशन जारी। नेपाली मिडिया द्वारा भित्री क्षेत्रक रिपोर्ट पर ध्यानकेन्द्रन। हालत मे क्रमश: सुधार होइत!