रविन्द्र भारती खजौली मधुबनी २५/०३/२०१७
कायल रात्रि के आयल कारी बरखा सँ मधुबनी जिला सहित लगभग दर्जनों गाम में पाथैर आ पैन सँ भारी क्षति भेल । रात्रिक ठीक १२ बजे सँ लगभग आधा घंटा धरी पैघ – पैघ पाथैरक बरखा भेल ।वरखा सँ कोनो घर दवार के विशेष क्षति तं नै मुदा रबी राय पूर्णतः बर्बाद भगेल । दलहन फसल सब संगे पियॉज और आम के खेती के भरी चिंतित अछि , आमक मजार सब आहि बेर खूब नीक सँ मजर देने छल मुदा ई बरखा सब कुछ बर्बाद कय देलक जेहो फसल बचल अछि उहो में पाथैर लागला कारणे वो फसल ख़राब भ जायत। अखनधरी कोनो सरकारी घोषणा नै भेल . किसान दर्द बुझबा या हल पुछबा लेल कोनो नेता सब नै पहुँचल याह यदि चुनाव नजदीक रहैत आ वोट लेबाक रेहतैन तं अंगना दुरा के मैट एक कय देने रहैत . मुदा सैयद ई नेता सब के जन्म सिद्ध परम्परा सैयद छै . कृषक सब बुझु अद्दमरू भगेलाह . आब हुनका सब के मुह में एकैटा बात अछि जे विधाता कष्ट देलक वैह ई दुःख दूर करत .
सवाल छै जनता कहिया तक एहिना ठगाइत रहत । नेता जखन वोट लेल आबैत अछि तं अपना के जनता के अहाँक बीटा छी , अहाँक के पूत जनता के बड़ पैघ कर्मष्ट , जुझारू , ईमानदार के ठीकेदार बनैत रहैत अछि । मुदा कुर्सी मिलैत जनता के आन आ अपन शरणार्थी बुझैत अछि . जनता करै तं करै की , सब जनैत बुझैत बुरबक बनी जायत अछि . अहिना चलैत रहत की सबदिन जनता अहिना अपना के नेता के अधीन बुझत अधीन रहत।