नेपाल मे मधेशी आक्रोश चरम पर, एखन धरि ५ आन्दोलनीक मृत्यु, कतेकोक जीवन संकट मे

नेपाल मे मधेशी विरुद्ध नस्लवादी प्रहरी द्वारा नरसंहारक चौतर्फा विरोध

राजविराज, मार्च १०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपाल मे नव संविधान एकतर्फी बनेबाक आरोप संग निरंतर विरोध करैत आबि रहल मधेशवादी राजनीतिक दल व गठबंधन संग आम मधेशी जनतापर नेपाली शासन द्वारा बर्बर दमनक नृशंस नरसंहार हालहि सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज सँ सटले उत्तर ३ किमीपर अवस्थित गजेन्द्र औद्योगिक क्षेत्र आ मलेठ गाम मे पूलिस द्वारा अंधाधुंध गोली चलेबाक कारण एखन धरि कुल ५ जन मरबाक पुष्टि भऽ चुकल अछि, जखन कि एखन आरो कतेको लोक जीवन आ मृत्युक बीच संघर्ष कय रहल अछि। समूचा देश मे माहौल अत्यन्त शोकपूर्ण भऽ जेबाक कारण एहि वर्षक होलीक उत्साह सेहो पूर्णरूपेण धुमिल पड़ि गेल देखा रहल अछि।

राजविराज सँ प्रकाशित न्युज टुडे अनुसार सप्तरीमे प्रहरी द्वारा चलायल गेल गोली लागि घायल भेल आरो एक जनक शुक्र दिन भोरे उपचारक क्रम मे मृत्यु भऽ गेल अछि। धरान स्थित बी पी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान मे उपचारक क्रम मे सप्तरीक जमुनी मधेपुरा गाविस वार्ड नम्वर–१ कटवी गाउँ निवासी ५० वर्षीय ईनरदेव यादवक मृत्यु होयबाक समाचार आयल अछि। पेट मे गोली लागल यादवक भोरे ९.३० बजेक समय मे मृत्यु भेल अस्पताल द्वारा कहल गेल अछि। एहि संगे सप्तरी मे शहीदक संख्या ५ पुरि गेल। एहि सँ पूर्व मलेठ गाविस वार्ड नम्वर– २ केर २५ वर्षीय सञ्जन मेहता, मलेठ–४ केर ५० वर्षीय पीताम्बर मण्डल, प्रसवनी–४ टेङ्गरी घर भेल ३५ वर्षीय सिनियर अहेव आनन्द कुमार साह आर मलेठ–४ केर विरेन्द्र महतोक मृत्यु भेल छल।

विदित हो जे एहि घटनाक प्रतिक्रिया पूरे देशक राजनीतिक अवस्था केँ बड बदतर ढंग सँ प्रभावित कएलक अछि। जाहि नेकपा एमाले केर जिद्द सँ आक्रोशित मधेश मे अभियान चलेबाक विरोध मे ई घटना घटल ओकरा द्वारा ३ दिन लेल एहि अभियान केँ स्थगित करैत आगाँ नेपालक मिथिलाक्षेत्र यानि प्रदेश २ सँ बाहरे कार्यक्रम जारी रखबाक बयान देल गेल अछि। प्रधानमंत्री प्रचण्ड देशक अवस्था केँ देखैत सब सँ संयमित रहबाक आ एमाले सँ एहि अभियान केँ एखन रोकि देबाक आग्रह कएलनि अछि। लेकिन एमाले अपन जिद्दक राजनीति सँ उल्टा एखनहु प्रधानमंत्री प्रचण्ड केँ स्थानीय निकायक चुनाव घोषित तिथिपर करेबाक चुनौती दैत कहलक अछि जे यदि चुनाव कराबय मे सफल नहि होयब त चैत्र भीतर गद्दी छोड़ू।

नेपालक संविधान सँ असन्तुष्ट संयुक्त लोकतांत्रिक मधेशी मोर्चा आ जनजाति-आदिवासी-मुस्लिम-दलित सहितक वृहत् संघीय गठबंधन द्वारा सेहो तरह-तरह केर विरोध कार्यक्रम सँ पूरा देश प्रभावित भऽ रहल अछि। एक दिश जतय सप्तरी जिला अनिश्चितकालीन बन्द झेलि रहल अछि तहिना विगत घटना उपरान्त २ दिन धरिक बन्दी पूरा मधेश क्षेत्र केँ भोगय पड़ि गेल। आइ १० मार्च केँ पूरा देश बन्दीक घोषणा गठबंधन द्वारा जारी कएल गेल अछि जेकर प्रभाव पूरे देशपर पड़ल अछि। काल्हि काठमांडू मे सेहो गठबंधन द्वारा विशाल विरोध जुलूस निकालल गेल छल।

नव संविधान बनेलाक बाद एकरा क्रियान्वयनक चुनौती रहल जगविदिते अछि। एक दिश संविधान बनाकय दिवाली मनेनिहार एकरा कोनो हाल मे लागू करबाक लेल जी-जान लगबैत बेजोड़ कसरत करैत देखा रहल अछि त दोसर दिश असन्तुष्ट पक्ष परिमार्जन सहितक संशोधन प्रस्ताव सदन सँ पास करबाक अड़ान लैत नेपाल केँ एहेन भुमड़ी मे राखि देने अछि जेकरा सँ निकास सहजहि संभव नहि प्रतीत होएछ। तरह-तरह केर अन्दाजी कल्पना सँ देश मे शान्तिक अवस्था दूर-दूर धरि नहि देखाय दैछ। वर्तमान राज्य संचालक केर खौंझी एहि सँ स्पष्ट अछि जे असन्तुष्ट पक्ष संग वार्ता कम आ दमन करबाक लेल शासन तंत्रक दुरुपयोग बेसी कएल जा रहल अछि। एहि दुरावस्थाक अन्त नेपाल देशक भविष्य पर सेहो सवाल ठाढ करैछ स्पष्टे अछि।

एहि बीच विभिन्न सामाजिक आ सांस्कृतिक संगठन द्वारा एहि वर्षक होली पर परंपरागत रूप सँ मनाओल जा रहल उत्सव नहि मनेबाक घोषणा कएल जेबाक समाचार आर सोशल मीडिया पर नेपाली पूलिस केर दमन विरुद्ध तरह-तरह केर प्रतिक्रिया सेहो देखा रहल अछि। नेपालक उच्च राजनीतिक, बौद्धिक आर नागरिक संगठन सब समन्वय मे लागल रहलाक बादो समस्याक निदान कतय ई कहब वर्तमान परिस्थिति मे अनिश्चित आर असंभव थिक।