अपन मिथिला सेवा समाजक बैसार सउदी अरब देशक नेपाली गार्डेन मे संपन्न

राम कुमार महतो, सउदी अरब। फरबरी ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर साउदी अरेबिया देशक कार्यसमूह द्वारा यैह शुक्र दिन दमाम सिको बिल्डिंग केर पास नेपाली गार्डेन मे एकटा बैसार कएल गेल जाहि मे राम कुमार महतोक अगुवाई मे संस्था सँ जुड़ल आगामी योजनादि पर चर्चा कएल गेल अछि ।

३ मार्च २०१७ केँ दहेज मुक्त मिथिला अभियानक छठम् वर्ष पूरा होयबाक दिन एहि अभियान केँ अपन संस्था द्वारा पोषण प्रदान करबाक लेल दृढप्रतिज्ञ सदस्य लोकनि ई बैसार रखलनि – अध्यक्ष कैलाश यादव जनतब देलनि।

विदिते अछि जे अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा असहाय, गरीब, अपाहिज, शहीद आर समाजक विपन्न वर्गक उत्थानक संग-संग अपन मिथिलाक भाषा आ संस्कृति समेत लेल समर्पित कार्य कएल जा रहल अछि, संगहि दहेज मुक्त मिथिला बनेबाक लेल समाज मे जनचेतनाक प्रसार कएल जा रहल अछि। विदेश मे जाकय रोजी-रोजगार कमेनाय लेकिन समाजक हित लेल अपन दुरूह-कठिन कमाइ मे सँ किछु बचत करबाक कलाक विकास केनाय एहि संस्थाक सदस्य सभक खासियत मानल जाएत अछि।

उपस्थित समस्त सदस्य लोकनि एकजुट स्वर मे दहेज मुक्त मिथिला बनेबाक आर एक विकसित नया मिथिला बनेबाक लेल सब युवा शक्ति केँ एकजुट बनबाक आह्वान कएलनि। बैसार मे श्याम दास सहित विभिन्न वक्ता लोकनि अपन विचार रखैत कहलैन जे दहेज कूरीति सँ हमरा लोकनिक समाज आरो गरिब, लचार, कमजोर होएत अछि, एक दहेज प्रथा सँ अपन मिथिला मे सब परेसान होएत अछि। ई कूरीति आब दानवी रूप धऽ लेलक अछि, तैँ नव मिथिला बनेबाक लेल एहि कूप्रथाक त्याग करब अत्यन्त जरुरी अछि। माँगरूपी दहेज नै लियौ यौ, करियौ आदर्श विवाह बेटा केँ नहि बेचियौ यौ ‍- रोकू बेटीक बर्बादी बेटिये पर अड़ल अछि एहि संसारक सृष्टि – बेटा जेकाँ बेटियो केँ पोसियौ यौ – घर घरसँ अशिक्षा हँटबियौ यौ – बेटीके एला सँ घर आँगन हँसैय – बेटिये पूतौहसँ सबहक कूल बढैय – बेटी पुतौहकेँ करै जाउ दहेजसँ आजाद – ई दहेज प्रथा सब सँ अपन मिथिला मे बहुत गरिबी बैढ रहल अछि, दहेज हँटाबु एक नया मिथिला बनाबु; यैह बात सभक जबान सँ निकलल आउर एतेक गप सप भेल छल मिटिङ मे उपस्थिति भेल!

कैलाश यादव, राम कुमार महतो, राजु महतो, सागर यादब, जहिर मन्सुरी, राम प्रकाश महतो, राम बलि राम, प्रमोद दास, राम दास, बिक्रम कापर, मनोज पासवान, ई सब पदाधिकारी एवं सक्रिय सदस्य संग संस्थाक सहयोगी लोकनि अपन-अपन राय-विचार राखि संस्थाक लक्ष्य पूरा करबाक लेल योजना बनेबाक बात पर जोर देलनि।