भारतीय उपमहादेश केर प्लेट द्वारा युरेशियाकेर प्लेट मे निरन्तर धक्का मारबाक प्रक्रिया भूगर्भ मे जारी रहलाक कारण हिमालय क्षेत्रक विकास भेल अछि – कहल जाइछ जे हरेक वर्ष करीब ५ सेन्टीमीटर उत्तर दिशा मे युरेशिया प्लेट केँ ठेलबाक प्रक्रिया सँ जे दबाव उत्पन्न होइछ वैह करीब १ सेन्टीमीटरक ऊँचाई मे हिमालयक उँचाई सेहो बढेने जा रहल अछि। हरेक ७५-८० वर्ष पर ई ठेलबाक प्रक्रिया मे अप्रत्याशित बढोत्तरीक चलते भूकंपक अनुभूति कैल जाइछ। शनि दिन लगभग ८० वर्षक बाद अचानक करीब २ मीटर तक धक्का लगेबाक घटनाक्रम घटल आ ताहिक कारण हिमालय क्षेत्र केर ऊपरी सतह पर अत्यन्त भयावह भूकंपीय प्रभाव सँ क्षति भेल। जखन कि एहि पार आ ओहि पार तिब्बत धरि भूकंपीय कंपन तऽ भेल मुदा सतही नोकसान कम भेल।
स्रोत: वाल स्ट्रीट जर्नल – भूगर्भशास्त्री लुंग एस. चान तथा होंगफेंग यांग – चाइना विश्वविद्यालय, हंग कंग