Search

नेपाल भूकंपक कारण कि?

341 भ्यूज

earthquake reasons

भारतीय उपमहादेश केर प्लेट द्वारा युरेशियाकेर प्लेट मे निरन्तर धक्का मारबाक प्रक्रिया भूगर्भ मे जारी रहलाक कारण हिमालय क्षेत्रक विकास भेल अछि – कहल जाइछ जे हरेक वर्ष करीब ५ सेन्टीमीटर उत्तर दिशा मे युरेशिया प्लेट केँ ठेलबाक प्रक्रिया सँ जे दबाव उत्पन्न होइछ वैह करीब १ सेन्टीमीटरक ऊँचाई मे हिमालयक उँचाई सेहो बढेने जा रहल अछि। हरेक ७५-८० वर्ष पर ई ठेलबाक प्रक्रिया मे अप्रत्याशित बढोत्तरीक चलते भूकंपक अनुभूति कैल जाइछ। शनि दिन लगभग ८० वर्षक बाद अचानक करीब २ मीटर तक धक्का लगेबाक घटनाक्रम घटल आ ताहिक कारण हिमालय क्षेत्र केर ऊपरी सतह पर अत्यन्त भयावह भूकंपीय प्रभाव सँ क्षति भेल। जखन कि एहि पार आ ओहि पार तिब्बत धरि भूकंपीय कंपन तऽ भेल मुदा सतही नोकसान कम भेल।

स्रोत: वाल स्ट्रीट जर्नल – भूगर्भशास्त्री लुंग एस. चान तथा होंगफेंग यांग – चाइना विश्वविद्यालय, हंग कंग

Related Articles