Search

महाशिवरात्रिक धूम गाम – गाम …….

231 भ्यूज

रविन्द्र भारती ,खजौली। फरबरी २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

खजौली रेलवे स्टेशन सँ ३ किलो मीटर दूर अछि , कन्हौली गाम जे कमला नदी के

घाट पर बाबा श्री श्री १०८ बाबा कमलेश्वर नाथ महादेव स्थित अछि , वैह घाट पर हाट सेहोलागैत अछि । कमला घाट पर स्थित भेला के कारण हुनक नाम कमलेश्वर नाथ महादेव राखल गेलैन । स्थापना – २००२ ई० में ग्रामीण सभक सहयोग से निर्माण कराओल गेल बाबा के कृपा के बखान दूर दूर तक पसरल अछि स्थान में प्रत्येक वर्ष महाशिवरात्रि बहुत धूम धाम सँ मनाओल जाइत अछि ,अहि बेर सेहो बहुत धाम सँ मनाओल गेल जाहि में २३ फ़रवरी क मटकोर गामक महिला सब मिथिलाक विधि व्यव्हार सँ मनौलैन । जाहि में भगवान शिव आ माता पार्वतीक नैना भुटका सब के भगवानक रूप बना पूजन केलैन पुजन उपरांत अपन अपन घर सँ पूरी पकाअ,तेल औंकरी लाइब प्रसाद रूप में परोसलईन राति के ९ बजे प्राम्भ भेल लोक सभक भीर बहुत भ गेल मंदिर पर जगह नै वेट रहल छल पूजा समिति द्वरा महिला सभक दू समूह में बाइट देलैन एक समूह शिव भगवान के पूजा करौलेन दोसर माता पार्वती के  छनिक समय में लागल जे केकरो बेटा बेटीक विवाह होइ दुनु तरफ सँ गीत नाद सुरुभ गेलै मैथलानी सब यही विवाह बिभोर भ गेलैन मनोरम दृश्य लगैत छल २४ फ़रवरी कं बारातक तैयारी ०५ बजे सँ प्राम्भ भ गेल पुरुष वर्ग डोली बनेबाक तैयारी जुटी गेलैन , बाराती के लेल ११ टा वाहनक व्यवस्था कयल गेल छल जाहि में बैंड पार्टी संगे चारिटा डी जे व्यवस्था कायल गेल छल दिन के ठीक १० बजे डोली

उठाओल गेल बगलक गम चतरा सँ होइत समूचा गामक परिक्रमा केलक लगभग

१० – १२ किलोमीटर पाऊं पैदल महिला सब बाबा के डोली कन्धा पअ लअ बारात

आनंद उठौलैन केकरो मुख मंडल पर तनिक कोनो कष्टक अनुभूति नै बुझाई छल

एहन भक्ति के लहार चरहल की ओतबा कष्ट सहितो बाबा के जयकारा कम नै

केलक , परिक्रमा उपरांत राति सांस्कृतक प्रोग्राम सेहो छल जाहि में आयल

कलाकार सब द्वरा २३.०२ के राजा भर्तहरि धार्मिक नाटक देखाओल गेल , तथा

ग्रामीण युवा द्वारा महान धार्मिक नाटक कृष्ण अवतार , कंश वधः नाटक

खेल देखाओल गेल , यही महाशिव रात्रि में पूर्व बाबूबरही ३४ क्षेत्रक विधायक उमाकांत यादव , गामक मुखिया रामाशीष सिंह , जिला पार्षद प्रमोद कुमार सिंह, चतरा पंचायत पूर्व मुखिया राम भरोष सिंह संगे बहुतो नेता सब पूजा समिति के यही आयोजन के लेल धन्याद और प्रोत्साहित केलैन , पूजा समिति दुखरन सिंह , गंगा राम चौधरी , नागेश्वर प्रसाद , राम विलास सिंह, सुधीर कुमार,प्रदीप कुमार,राजेश , बैधनाथ , पिंटू , छोटू , प्रमोद, लक्ष्मन ,और समथ ग्रामीण के तन मन धन सं सहभगिता रहल ।

Related Articles