१६ मार्च केँ होयत ठाढी गाम मे वाचस्पति स्मृति पर्व समारोह

ठाढी, मधुबनी। फरबरी २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
भामती वाचस्पति स्मारक निर्माण समिति, ठाढीक तत्त्वावधान मे आगामी १६ मार्च केँ वाचस्पति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन होयत। ई जनतब आयोजक समितिक अध्यक्ष रत्नेश्वर झा मैथिली जिन्दाबाद केँ देलनि। ओ कहलैन जे वाचस्पतिक स्मारक स्थापित कएल गेल उद्यान मे पैछला सालक स्थापना दिवस जेकाँ अहु बेर विभिन्न सत्र मे मनायल जायत। एहि वर्ष वाचस्पति रचित ग्रंथ पर विद्वत् चर्चा कएल जायत, संगहि मैथिली कवि गोष्ठीक आयोजन सेहो कएल जायत।
 
सांस्कृतिक कार्यक्रमक विषय मे जिज्ञासा केलापर ओ कहलैन जे एहि विन्दुपर आयोजक समिति अन्तिम निर्णय नहि कय सकलाह अछि, लेकिन शीघ्रे एहि पर विचारल जायत। समस्त मिथिला सहित सम्पूर्ण विश्व भरिक विद्वान् मे वाचस्पति मिश्र केर अपन अलगे स्थान रहल अछि, एहि बातक चर्च नव्यन्यायक प्रसिद्ध विद्वान् पं. रुद्रधर झा सेहो अपन पोथी ‘गूढ तत्त्वों की समीक्षा’ मे कएने छथि। ई मानल बात छैक जे वाचस्पति समान प्रातःस्मरणीय महापुरुषक स्मृति-दिवस पर सब आयोजन भव्यतम् होयत आर स्वयं आराध्या सरस्वती एतय उपस्थित रहती। गत वर्षक भव्यता आइ धरि सहभागीजनक नजरि आ स्मृति मे बनले अछि।
 
कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति डा. विद्याधर मिश्र द्वारा एहि समारोहक उद्घाटन लगभग १२ सँ १ बजे अपराह्नक समय कएल जायत, तहिना विद्वत् सभा मे दर्शन विषयक विभागाध्यक्ष डा. बौआनन्द झा जिनका एहि वर्ष चेतना समिति पटना द्वारा चेतना सम्मान सँ सेहो सम्मानित कएल गेल अछि हुनकर उपस्थिति रहत। व्याकरणक विभागाध्यक्ष डा. शशिनाथ झा केर सहभागिताक पुष्टि भऽ गेल अछि तथा वेद विभागक डा. विदेश्वर झा केर उपस्थिति अपेक्षित अछि, संगहि डा. किशोरनाथ झा सहित विभिन्न अन्य विद्वान् लोकनि सँ सम्पर्क कएल जा रहबाक जानकारी श्री रत्नेश्वर झा करौलनि। प्रथम सत्र मे वाचस्पति प्रतिमापर माल्यार्पण ओ दीप-प्रज्वलन संग उद्घाटन उपरान्त विद्वत् चर्चा वाचस्पति मिश्रक कृतित्व – ग्रंथादिपर होयत, दोसर सत्र मे कवि सम्मेलन, तेसर सत्र – सांस्कृतिक कार्यक्रम होयबाक संभावना अछि।
 
विदित हो जे मिथिला सहित देशक मानचित्र मे एकटा अत्यन्त प्रतिष्ठित आ सुमर्यादित गाम ठाढी जतय आइयो एक सँ बढिकय एक विद्वान् एवम् विदुषीक जन्म होएत रहबाक परम्परा कायम अछि, ओहि सुन्दर गाम मे भामती वाचस्पति स्मारक निर्माण समित अछि जेकर अध्यक्ष रत्नेश्वर झा सहित काशीनाथ झा सचिव एवम् क्षमाधर झा उपाध्यक्ष केर संग समस्त ग्रामीणक उत्कृष्ट सहयोग सँ ई आयोजन अहू वर्ष कएल जायत।