मैथिली-मिथिलाक दिन बदैल रहल अछि

सम्पादकीय

विराटनगर – फरबरी २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

विगत किछु मास सँ मैथिली-मिथिला प्रति अभियान सब मे उल्लेखनीय बढोत्तरी भेल अछि। आब गाम-घर दिश सेहो लोक मे अपन भाषा आ संस्कृतिक महत्व स्पष्ट होमय लागल अछि। हलाँकि एहि दिशा मे एखनहु बहुत रास जागरणक आवश्यकता बाँचले अछि तथापि जे-जतेक भऽ रहल अछि ओ नीक दिन शीघ्रे अयबाक इशारा कय रहल स्पष्ट अछि।

सन्दर्भः मिथिला राज्य निर्माण केर अति प्राचीन माँग जे लम्बित अछि – राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ द्वारा उत्तर बिहार केँ मिथिला नामकरण लेल प्रस्ताव पास करबाक भरोसा भेटबाक बात मिथिला राज्य निर्माण सेनाक महासचिव राजेश झा देलनि अछि।

मिथिला राज्य निर्माण सेना व अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर सहित समस्त टोली केँ बधाई – भारत मे राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ केर नीति निर्माण मे शुरुहे स बड पैघ भूमिका रहलैक अछि आर उचित प्रयास सँ आइ ई सफलता भेटैत नजरि पड़ल अछि। कमलकान्त बाबू सेहो वरिष्ठ कार्यकर्ता आ समर्पित संघी रहि एला अछि। संगहि अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् केर अध्यक्ष सेहो स्वयं कमलकान्त बाबू छथि। डा. धनाकर ठाकुर सेहो संघी एवम् मिथिला राज्य आन्दोलनक एक प्रखर नेता – अगुआ रहि एला अछि। मिथिला राज्य निर्माण सेना जाहि तरहें डा. रंगनाथ ठाकुर केर अध्यक्षता मे मूल जमीन लहलहेबाक काज सब केलक अछि ताहि सँ ई शुभ समाचार जे राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ आब उत्तर बिहार केर स्थानपर मिथिला शब्दक प्रयोग करत ई सच मे काफी आह्लादकारी अचि। बधाई राजेश झा, महासचिव मिरानिसे – अहाँ सभक लगन आ समर्पण सँ एतेक नीक खबरि भेटल अछि। आगू सेहो बहुत दूर धरि चलबाक अछि।

सन्दर्भः दिल्ली मे दीपक फाउन्डेशन द्वारा मावलंकर सभागार मे वृहत् स्तर पर परिचर्चा गोष्ठीक आयोजन

तहिना, दीपक फाउन्डेशन तथा विश्व मैथिल संघ केर संयुक्त तत्त्वावधान मे संपन्न सभ्यता, संस्कृति और संरक्षण परिचर्चा मे मिथिलाक एक सँ बढिकय एक सपुत सब केँ मंच प्रदान करैत एतेक नीक प्रारूपक कार्यक्रमक आयोजन हेतु दीपक झाक संयोजन नमन योग्य भेल अछि। आभार प्रभास झा – अहाँक सक्रियता आ सदैव सकारात्मक दृष्टि नमन योग्य अछि। एकर विस्तृत समाचार जँ भेटैत त मैथिली जिन्दाबाद पर सेहो प्रकाशित करितहुँ। ध्यान रहय जे भले अहाँ राष्ट्रीय पत्र-पत्रिका मे समाचार प्रकाशित भेला सँ खुश भऽ जाएत छी, मुदा ई बुझू जे अपन भाषाक मीडिया केँ जाबत विज्ञप्ति आ फोटो सब नहि पठायब आ अपन भाषाभाषी लोक-वेद केँ एहि तरहक आयोजनक मर्म नहि बुझायब, कएल-धएल सब पानि मे जायत। कृपया कार्यक्रमक विस्तृत व्योरा आ फोटो सब मैथिली मीडिया केँ जरुर पठायल करू।

सन्दर्भः पिण्डारुच मे आयोजित प्रभासोत्सव – स्व. प्रभास चौधरी केर १९म पुण्यतिथिपर जमघट लागल संपूर्ण मैथिली साहित्यकार समाजक

खुशखबरी पिण्डारुच सँ सेहो अछि। मैथिलीक सुप्रसिद्ध उपन्यासकार प्रभास चौधरी केर पाँच उपन्यास केँ एक जिल्द मे विमोचन करेबाक संग-संग संपूर्ण भारत सँ लगभग सब नामी-गिरामी साहित्यकार सब केँ एकठाम समागम, ई अलौकिक कार्य भेल अछि। धन्यवाद डा. वंदना चौधरी।

हरिः हरः!!⁠⁠⁠⁠