सहरसा जेल प्रशासन पर आनन्द मोहन केर आरोप

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा । फरवरी २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

saharsa mandal karaसहरसा जेल में बन्द पूर्व सांसद आनद मोहन बयान जारी करैत कहलनि जे “मेरी हत्या की जेल में रची जा रही है साजिश” । ओ कहलनि जे हमर सजा आब पूर्ण होबयवला अछि ताहि कारण राजनीतिक साजिश कयल जा रहल अछि । जेलक अधिकारी सब बंदी सबहक गुटबाजी केँ प्रश्रय द रहल अछि तकरा कारणे जेल में अराजक गतिविधि सब चलि रहल अछि । तकरा कारणे जेल में भांग, दारू, गाँजा, शराब व नशीला पदार्थ केर उपयोग धड़ल्ले सँ चलाओल जा रहल अछि । तकरा कारणे जेल में उत्सवी माहौल रहैछ जाहि मे सब केओ खा पी कय मारि-पीट करैछ । तकर परिणाम स्वरूप जेल में पगली घंटी बजा सब केँ कठोर यातना सेहो देल जाएछ । एहि तरहक आर कतेको आरोप लगबैत बिहार सरकार केर नियत पर सवाल उठबैत ओ एकर समूचित समाधान केर मांग सूबाक मुखिया नीतीश कुमार सँ कयलनि अछि । कोर्ट मे पेशी देबाक समय सेहो तरह-तरह केर घटनाक्रम सभक चर्चा करैत सुरक्षा सम्बन्धी ज्वलंत समस्या केँ उजागर कयलनि ।

विदित हो जे सहरसा जेल मे पैछला रवि दिन पगली घंटी बजेलाक बाद कैदी सब संग प्रशासन बेतरतीब मारि-पीट केने छल आर एकर विरोध मे आनन्द मोहन सहित सब कैदी भूख हड़ताल सेहो कएने छल ।