मिथिलाक धरा सँ जन्म लेल भारतक समाजवादी पंक्तिक महान नेता कर्पूरी ठाकुर केर जन्म-जयन्ति २४ जनवरी केँ दरभंगाक कर्पूरी चौक पर मिथिला राज्य निर्माण सेनाक कार्यकर्ता लोकनि सभाक आयोजन करैत मनौलनि अछि। जननायक केर प्रतिमा पर फूल-माला अर्पण करबाक संग उपस्थित जनमानस केँ अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर संबोधन करैत कहलनि जे मिथिला राज्य मे जननायकक सब सपना केँ पूरा कएल जायत, बिहार मे मात्र जननायकक नारा केँ भजायल जा रहल अछि। सब कियो पिछड़ा, अति-पिछड़ा, दलित, महादलित आदिक हितक बात मात्र वोट लेबाक समय धरि करैत अछि। लेकिन कोनो सरकारी योजनाक संपूर्ण लाभ एखन धरि सरोकारी जनता धरि नहि पहुँचायल जा सकल अछि।
मिथिला राज्यक मांग करैत छी आर मिथिलाक धरा सँ जन्म लेनिहार महान सपुत सभ केँ स्मृति मे नहि अनैत छी – तखन अहाँक मांग पर प्रश्न ठाढ होएत अछि जे आखिर अहाँ केकरा लेल अलग मिथिला राज्य चाहैत छी। बहुत पढल-लिखल लोक केँ राज्यक मुद्दा बुझय मे नहि आयल छैक, अनपढ आर पिछड़ा वर्ग मे त आरो एहि बात प्रति कोनो तरहक जनचेतना भेटब मुस्किले अछि। मिथिला राज्य निर्माण सेना डा. रंगनाथ ठाकुर केर अध्यक्षता मे जमीन सँ जुड़ल मुद्दा पर निरन्तर काज करैत आगू बढि रहल अछि। जे काज सब राज्य निर्माण लेल छूटि गेल छल ताहि सब काज केँ आगू बढेबाक कार्य मिरानिसे द्वारा मिथिलाक मूल धरातल पर कएल जा रहल अछि। यथार्थतः अलग राज्यक मुद्दा ओहि मूल निवासीक हित मे अछि जे आइयो कष्टपूर्ण-संघर्षपूर्ण जीवन जिबैत मूल धरातल केँ मजबूती सँ पकड़ने अछि।