जननायक कर्पूरी ठाकुर केर जन्मोत्सव पर सीधे पटना सँ

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

nitish cm bihar1जननायक कर्पूरी ठाकुर केर जन्मोत्सब पटनाक श्रीकृष्ण मेमोरियल हाॅल मे भव्य समारोहक संग बिहारक सत्ताधारी जनता दल युनाइटेड (जदयू) द्वारा मनायल गेल अछि । एहि समारोह केर मुख्य अतिथि जदयू केन्द्रीय नेता शरद यादव तथा विशिष्ट अतिथि वशिष्ट नारायण संग-संग जदयू पार्टी केर मुखिया बिहारक मुख्य मंत्री नीतीश कुमार एवं जदयूक तरफ सँ समस्त मंत्रीगण, सांसद, विधानसभा एवं विधान परिषद् सदस्य तथा पार्टीक समस्त नेता व कैडर्स केर मौजूदगी मे संपन्न भेल अछि।

विशाल संख्या मे उपस्थित नेता व कार्यकर्ता लोकनि बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री स्व. कर्पूरी ठाकुर जे पिछड़ा समुदायक सपुत रहितो प्रदेशक प्रखर नेताक रूप मे उभरला, जे बिहार केर पिछड़ा आ दलित समाज केर उत्थान लेल गंभीरतापूर्वक काज करैत सब दल केँ एहि लेल राजी कएलनि, जिनकर लोकप्रियताक कारण उपनाम ‘जननायक’ पड़ल, ताहि दिग्गज नेताक जन्मतिथि पर ई समारोह मे सब कियो हुनका श्रद्धा-सुमन अर्पित कएलनि। समस्त बिहार सँ पहुँचल तमाम छोट पैघ नेता सब अपन मन्तब्य-वक्तब्य रखलैन। सभक बात मे पिछड़ा, अति पिछड़ा जातिक हक व अधिकार लेल राज्य केँ आरो बेसी चौकस होयबाक मर्म छुपल छल। किछु नेता द्वारा ठाम-ठामपर खुजल कर्परी ठाकुर छात्रावास केर जर्जर मकान व दयनीयतापर सेहो सवाल ठाढ कएल गेल, संगहि नव छात्रावास बनेबाक सेहो मांग राखल गेल। परन्तु एहि दिशा मे कोनो बड़ नेताक किछो प्रतिक्रिया नहि आयब अलगे सवाल ठाढ केलक।

karpuri sabha patnaमुख्य मंत्री नीतीश कुमार अपन बात रखैत सर्वप्रथम शराब बंदी पर बिहार केर जनताक जनचेतना केँ जगाबयवला क्रार्यक्रम ‘विशाल मानव श्रृंखला’ मे अमूल्य, अद्भुत तथा अपूर्व योगदान केर बड़ाइ करैत धन्यवाद देलनि आर ईहो उद्घोष कएलनि जे आब बिहार मे कियो विकास केर धारा केँ नहि रोकि सकैत अछि । मुख्यमंत्री प्रदेश मे चलायल गेल विभिन्न परियोजना-योजनाक चर्चा करैत आम जनताक हित मे काज करैत रहबाक प्रतिबद्धता जनौलनि।

अन्त मे नीतीश कुमार नोटबंदी पर सवाल करैत कहलाह कि बढ़ियाँ दिन कतय अछि आर अहाँ जे ५० दिन मंगलौं से हम देलौं, आइ ७७ दिन भऽ गेल। बजट केर समय आबि गेल। आब बढियाँ दिन कहिया आओत। ओ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ हुनक वचनबद्धता मोन पाड़ैत बिहार प्रति उद्गार देखेबाक इशारा कएलनि। 

विदित हो जे एहि सभा मे मिथिलाक अनेकानेक नेता लोकनि सेहो पहुँचल छलाह, मुदा जाति आधारित बात छोड़ि किनको मुंह सँ प्रगतिवादी बात सुनबाक अवसर नहि प्राप्त भेल। एकमात्र मुखिया नीतीश कुमार अपन संबोधन मे कतहु सँ जाति मात्र केर नाम नहि लेलनि आर हुनकर दृष्टि पूर्ववत् मात्र विकास तथा कठोर न्याय पर मात्र केन्द्रित छल।

रिपोर्टः सीधे पटना मे आँखिक देखल मोनक बुझल बात मुताबिक!