दोहामे अनेसास-नबोदितके ६५ म शृङ्खला आ विद्यापति स्मृति पर्व सम्पन्न
– विन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। जनवरी १६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

एहि समारोह मे विशिष्ट श्रोताक रूप मे नेपाल इंजीनियर एसोशियेशन कतारक उपाध्यक्ष तथा हेल्प मधेसीक प्रतिष्ठित सेवक विरेन्द्र कुमार साह छलाह, तहिना विभिन्न साहित्यिक कार्यक्रम प्रस्तुतिक संग मंच संचालन कवि, संचारकर्मी ओ अभियानी विन्देश्वर ठाकुर द्वारा कैल गेल छल ।
शुरुमे विद्यापतिक तस्वीर पर फूलमाला अर्पण कय दीप प्रज्वलनक संग भेल छल । तकराबाद नेपालक राष्ट्रगान आ तत्पश्चात् गायक रवीन्द्र उदासी द्वारा महाकवि विद्यापति रचित गोसाओनीक गीत – जय जय भैरवि असुर भयाउनि” केर गान संग कार्यक्रम अगाडि बढल । कार्यक्रममे ५० गोटे सँ बेसी व्यक्तिक उपस्थिती छ्ल । महाकवि विद्यापतिक जीवनी वाचन कएलनि – कवि शत्रुघ्न मुखिया । तहिना, मनिष राय, धनेश्वर ठाकुर, बेचन महतो, दिनेश कुमार, राम अधिन यादव, रामनारायण सिंह, उदगारी यादव तीर्थ, संगम राई, सीताराम थापा, मणि पौडेल, दीप मिलन, चक्र कार्की, संतोष अधिकारी, बिनोद खड्का, राजन राई, प्रेम सापकोटा, बन्धु घिमिरे, शुभ सन्ध्या, श्यामराज राणाभाट, सुरेश भट्टराई, इश्वर साही, माधव पौडेल, युवराज गौतम, सेखर वस्नेत, प्रदिप गणेश लगायतक मैथिली तथा नेपाली मिलाकय लगभग दू दर्जन सँ बेसी सर्जक सब अपन अपन रचना सुनौने छलाह ।