प्रकाश कमती, मुम्बई। जनवरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
तारीख ८ जनवरी, रविदिन सिडको मैदान न्यू पनवेल में ‘नवीमुम्बई मैथिल समाज’ अपन स्थापना दिवस पर बाबा विद्यापति स्मृति पर्व समारोह खूब हर्सोल्लाससँ मनौलक। एहि दिन मैथिली दिवस सेहो पड़बाक कारण उत्साह बेसी देखायब स्वाभाविके छल।
कार्यक्रम में एकसँ एक मैथिली कलाकार लोकनिक उपस्थिति छल। मिथिला सँ अनेकानेक मैथिली रत्न गायक लोकनि जाहिमे रामबाबू झा, गायक सह सिनेकर्मी माधव राय, अंतर्राष्ट्रीय पटल पर ख्याति प्राप्त सुप्रसिद्ध शंखनाद ओ शिव तांडव नृत्य केनिहार विपिन मिश्रा, नवोदित गायक लवकिशन, रितू रंजन, कुमारी दीया, मनोरमा मिश्रा (मैथिली उद्घोषिका) अपन प्रस्तुतिसँ कार्यक्रम में चारि चाँद लगा देलनि।
दिल्लीसँ प्रसिद्ध हास्य कलाकार ओ मंच उद्घोषक राधे भाइ केर उपस्थिति आर प्रस्तुति सँ समारोह गनगनाएत रहल। हिनका द्वारा हेरायल आ मेटायल मैथिली शब्दक प्रस्तुति नव स्वाद दैत अविस्मरणीय सेहो रहल।
आयोजक समिति मे रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’ संग समस्त कार्यसमिति सदस्यक प्रयास अत्यन्त सराहनीय रहल। कार्यक्रम केर भव्यता आ व्यवस्था में कुनो कमी नहि देखायल।
समारोहक विशिष्ट अतिथि में एस. सी. मिश्रा, स्थानीय विधायक प्रशांत सेठ, समाजसेवी संगहि उद्यमी भोला मंडल, पंडित धर्मानन्द झा, कमल सेठजी, जय माधवजी, पत्रकारिता क्षेत्रसँ मुनीन्द्र झा, धनञ्जय झा, रविंद्र झा, नगरसेविका पुतुल रविन्द्र झा, कुणाल ठाकुर, मैथिली फिल्मक अभिनेता राहुल सिन्हा, अभिनेता राजीव सिंह उर्फ गजराज, मैथिली दर्पण पत्रिकाक संचालक दीपक झा, प्रो. कृष्ण कुमार ‘अन्वेषक’, पं. अजयनाथ शास्त्री, सुच्चा मैथिल केर पदाधिकारी रामनरेश शर्मा, अनिल मिश्रा आदिक उपस्थिति गणनीय छल।
कार्यक्रमक आरम्भ विद्यापतिक प्रसिद्ध गोसाउनि वन्दना ‘जय जय भैरवी असुर भयाउनि’ गबैत रामबाबू झा द्वारा भेल। एहि आयोजन में विभिन्न समाजिक संस्था सेहो आमंत्रित छल। दहेज मुक्त मिथिला, मैथिली दर्पण, पालघर मैथिल समाज, संस्कार मिथिला, सुच्चा मैथिल आ नवगठित दहेज मुक्त भारत ‘दैट’ केर सहभागिता रहल।
माधव राय जहिना विभिन्न कार्यक्रमक मंचसँ दहेजलोभी पर प्रहार आ समाज केर अपन गीतक प्रस्तुति सँ अपील करैत रहलाह अछि तहिना अहुठाम ‘यौ विधना जन्म देलौं तs भाग्य कियैक नहि देलियै यौ…बेटी कियैक बनेलियै यौ’ गीत अपन करुणा भरल आवाज में गाबि उपस्थित श्रोता लोकैन केँ दहेज प्रथा केँ अंत करबाक आह्वाहन करैत कएलनि। हुनकर गीतक संगे दहेज मुक्त मिथिलाक सैकड़ों सदस्य लोकनि सेहो गाबय आ नाचय लगलाह जाहि सँ समूचा मंच आर कार्यक्रम मे ‘दहेज मुक्त मिथिला’क अमिट छाप देखाएत रहल।
जरी-मरी माता संकीर्तन मण्डली आर दमुमि संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा केर संयुक्त टोली दहेज मुक्त मिथिलाक टीशर्ट आ टोपी सहित सभा मे अपन अलगे पहिचान स्थापित केलक।
उद्घोषक राधे भाइ मैथिलीक विलोपोन्मुख व किछु पुरान शब्द सभक प्रस्तुति अपन विशेष शैली मे कएलनि जे उपस्थित श्रोताक दिल जीतबा मे सफल भेल। प्रसिद्ध शंखवादक विपिन मिश्रा सेहो अनुपम प्रस्तुति आ भोलेनाथक शिव तांडव नृत्यक श्लोक अति कर्णप्रिय स्वर मे प्रस्तुत कएलनि।
भागलपुर सँ आयल मैथिली गायिका रितू रंजन मंचसँ कहलनि जे हमरा मैथिली नहि आबैत अछि चूँकि हम अंगिका क्षेत्रसँ छी आ कहलनि जे हम हिंदी बाजू कि अंगिका, एहिपर उपस्थित मैथिल दर्शक जोरदार स्वर मे अंगिका केँ मैथिलीक बोली होयबाक यथार्थता सँ परिचय करबैत अंगिका मे प्रस्तुति देबाक अनुरोध कएलनि। आर फेर रितू रंजनक प्रस्तुति सेहो श्रोता केँ खूब झुमौलक।
जतय आरंभमे भजन, सांस्कृतिक गीतनाद सँ भेल ओतय समापन रामबाबू झा आर माधव राय द्वारा संयुक्त रूपसँ समदाउन गाबि कैल गेल। माधव राय मँच आ उपस्थित सभा केँ साक्षी राखि वरिष्ठ गायक रामबाबू झा केँ अपन गुरू होयबाक रहस्योद्घाटन करैत कहलनि जे जौं रामबाबू झा समान गुरु हुनका गायन केर शिक्षा नहि देने रहितैथ हुनक आजुक प्रतिष्ठा व पहिचान संभवतः नहि बनल रहैत। एतबा घोषणा करैत माधव राय भावुक सेहो बनि गेलाह आर ई दृश्य उपस्थित श्रोता लोकनि केँ सेहो भावुक बना देलक। हुनकर एहि समर्पण आ अभिव्यक्ति केर स्वागत जोरदार थोपरीक गरगराहट सँ कैल गेल।
पूरा आयोजन बड्ड सुन्नर छल आ समापन भेलाक बाद रात्रिभोजक व्यवस्था सेहो कैल गेल छल। समारोह मे आयल हजारों मैथिल जनमानस भव्य कार्यक्रमक आनन्द लेलाक बाद मिथिलाक विशिष्ट परिकारक स्वादिष्ट भोजक सेहो आनन्द उठौलनि आर फेर सब कियो अपन-अपन गंतव्य दिश प्रस्थान कएलनि।
ज्ञात हो ‘नवीमुम्बई मैथिल समाज’ एकटा समाजिक मैथिल संगठन अछि। कुनो तरहक समाजिक काज जेना किनको हॉस्पिटल में एडमिट करेबा में, किनको धिया-पुताक कुनो विद्यालय में दाखिला, कुनो सरकारी काजराज में अर्चन आदि सन काज में सहयोग लेल सतत प्रयासरत रहब आ सहयोग करब अहि संस्थाक मुख्य उद्देश्य थीक।