Antar-Rashtriya Maithili Kavi Sammelan 2015: Chautarafaa Saraahanaa

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलनक चौतरफा सराहना

pnc amks12

 

भारत, नेपाल, अरब तथा कतार सहित अनलाइन सहभागी विभिन्न देश सँ मैथिली साहित्यसेवी, कवि व विद्वानादिक संग संस्कृतिकर्मी अभियानि लोकनिक एक तरह सँ कुंभ मेला समान एकत्रित होयबाक लेल विराटनगर मे आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५ केर चौतरफा चर्चा कैल जा रहल अछि।

विराटनगर नेपाल मे लोकतंत्र स्थापित करनिहार आर नेपालकेँ एक सँ बढिकय एक नेतृत्वकर्ता जाहि मे देशक चारि टा प्रधानमंत्री एतहि सँ होयब उल्लेख्य अछि, ताहि योगदानक लेल तऽ प्रसिद्ध अछिये, एतय भाषा आर साहित्यक लिये सेहो एक सँ बढिकय एक अनुपम कार्य करबाक इतिहास रचल गेल अछि। एहि श्रृंखला मे ई अन्तर्राष्ट्रीय समारोह केर आयोजन केँ देखल जा रहल अछि।

पटना विश्वविद्यालय, भागलपुर विश्वविद्यालय और मिथिला विश्वविद्यालय सँ जुटल करीब दुइ दर्जन जेआरएफ और नेपालक मिथिलाक्षेत्र सँ जुटल अनेको नवतुरिया मैथिली कवि लोकनिक अनूठा संगम केर बीच बड़का सूरमा स्रष्टा लोकनिकेँ अपन प्रस्तुति देबाक लेक समय तक नहि भेट पेलनि। युवा केँ मौका देब मैथिलीक भविष्य लेल जरुरी होइत छैक, एहि तरहक भावनाक संग आयोजनकर्ता पहिने युवा आ गैर-ब्राह्मण आम जनसमुदायक कविकेँ भरपूर मौका देलनि। लोक सबकेँ यैह कहैत देखल गेल जे एहि तरहक आयोजन कम सँ कम तीन दिन लेल आयोजित होयबाक चाही।

pnc amks7

विराटनगर केर जानकी सदनहि मे  अतिथिक ठहरबाक, खेबाक-पीबाक आर आयोजन देखबाक भव्य इन्तजामक बीच दरभंगा, सहरसा, मधुबनी, सुपौल, अररिया, पुर्णिया भारतीय मैथिलीभाषिक जमघटक संग नेपाली मैथिलीभाषिक सेहो जनकपुर, काठमांडु, सिरहा, सप्तरी, सुन्सरी, मोरंग और झापा तक सँ लोक एकत्रित भेल छल।

हालहि गठित मैथिली साहित्य महासभा दिल्लीक संस्थापकद्वय संजीब सिन्हा तथा अमर नाथ झा जे क्रमश: भाजपाक मुखपत्र कमल संदेशक सह-संपादक तथा भाजपा पूर्वांचल मोर्चा, दिल्लीक महामंत्री छथि, आरो दर्जनों मैथिली साहित्यकार, कविय तथा अभियानी जाहि मे मुख्यत: विमलजी मिश्र, अखिलेश मिश्र, सुनील पवन, कौशल कुमार छलाह, हिनका लोकनिक भारतक राजधानी सँ एतय सहभागी बनैत देखि स्थानीय लोकमे बहुत हर्षक संग भाषा तथा संस्कृति प्रति मैथिल केर जागरुकता प्रेरणास्पद रहबाक भान भेलनि।

तहिना साहित्यकार आर संस्कृतिकर्मी लोकनि मे कानपुर सँ मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेशक अध्यक्ष अमित झा तथा प्रवक्ता अनिल झा केर सहभागिता आ संबोधन दुनू बात उपस्थित प्रतिनिधिक संग पर्यवेक्षक लोकनिकेँ गद्गद् कएलकनि, एकर सराहना सेहो सब कियो केलाह आ गला मिलैत एक-दोसर संग शुभकामना आ बधाई बाँटैत देखेलाह।

20150411_180715

दरभंगा सँ मिथिला राज्य अभियानी वैद्य ओ पी महतो, छात्रनेता विद्या भूषण मिश्र ‘डबलू’, तथा अत्यन्त प्राचिन आ कर्मठ राज्य तथा भाषा अभियानी प्रो. उदय शंकर मिश्र केर संग आरो बहुत रास स्रष्टा लोकनि केर उपस्थिति और प्रस्तुति केँ सब मैथिल समाज भरपुर आनन्द प्राप्त कएलनि। माहौल एना छल मानू जे दुइ बिछड़ल भाइकेँ एक ठाम गला मिलबाक अवसर भेटल हो।

पर्यटन केर दृष्टि सँ सेहो एहि कार्यक्रमक महत्त्व बड पैघ छल। सब सहभागी लोकनि विराटनगर बाजार मे अन्तर्राष्ट्रीय आयातित उत्पादन सबहक भरपूर खरिदारी केलनि। एहि समय मैथिली स्रष्टालोकनिक पैघ जमावड़ा सँ समाजक अन्य भाषा-भाषीकेँ सेहो अपने भाषा-संस्कृति प्रति कार्य करबाक उत्साह आ प्रेरणा भेटलनि – एहेन चर्चा सबहक बीच उपरोक्त महत्त्वपूर्ण कार्यक्रम केर समापन भेल।

20150411_182140

आबयवाला समय मे अहिना दुनु देशक मैथिल केँ जोड़िकय अपन भाषिक-सांस्कृतिक एकताक संग दुनु देश बीच मित्रताक जनस्तरीय सम्बन्ध केँ आरो मजबूत बनायब – एहि लेल हम कृतसंकल्पित छी, ई भावना एहि कार्यक्रमक संयोजक और आयोजक संस्था दहेज मुक्त मिथिला – भारत तथा नेपाल संयुक्त केर अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि। निकट भविष्य मे १५ वर्ष सँ नीचाँ उम्रक मैथिल कन्या केर फोटो कन्टेस्ट और पुरस्कार वितरण कार्यक्रमक आयोजन कैल जायत इहो जानकारी चौधरी मैथिली जिन्दाबाद सँ बातचीत मे देलनि।