जनकपुर, नवम्बर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली विकास कोष केर तत्त्वावधान मे आगामी दिसम्बर ११ तारीख सँ १३ तारीख धरि तीन दिनक साहित्य एवं कला उत्सव केर आयोजन होमय जा रहल अछि। जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघ मे ११ दिसम्बर प्रातः ९ बजेक समय मे उद्घाटन होयत। तदोपरान्त डेढ घंटा केर अबधिक तीन टा सत्रवार चर्चा कैल जायत पहिल दिन जेकर विषय संघीयता आ मिथिला, मिथिला राजनीतिक सांस्कृतिक संकट आ निकास, मिनाप द्वारा एकटा नाटक आ फेर करीब ११ बजे राति धरि सांस्कृतिक कार्यक्रम कैल जेबाक जनतब भेटल अछि।
दोसर दिन १२ दिसम्बर, २०१६ केँ पौने-दुइ घंटाक एकटा सत्र सभाकक्ष-१ मे नेपालक भाषा नीति आ मैथिली विषय पर राखल गेल अछि, जखन कि करीब डेढ घंटाक दोसर सत्र एक्के समय मुदा सभाकक्ष-२ मे मैथिली कविताक स्वर आ शिल्प पर आयोजित कैल गेल अछि। पुनः मिथिला चित्रकलामे आधुनिक चेतना आ व्यावसायिकता, मैथिली साहित्य लेखनमे नारी हस्ताक्षर, मिथिलामे जातिगत विभाजनक प्रभाव आ विकल्प, पुस्तक वार्ता (इतिहासक घाओ आ सङ्क्रमण), मिथिलामे पर्यटनकेर सम्भावना, मैथिली संगीतमे लोकलय, निजत्व आ आधुनिकता, नाटक शिल्पी द्वारा आ फेर ११ बजे धरि सांस्कृतिक क्रार्यक्रम केर आयोजन राखल गेल अछि।
पुनः तेसर दिन १३ दिसम्बर, २०१६ केँ मैथिली साहित्यिक समालोचनात्मक प्रवृत्ति, मैथिली फिल्म निर्माण आ व्यवसायिकता, मैथिली भाषा विकासमे संचारक भूमिका, मैथिली रंगमंच दशादिशा आ सन्दर्भ, कवि गोष्ठी, नाटक आ नाटक, सांस्कृतिक काकार्यक्रम रंगदर्पण द्वारा करैत समापन कैल जायत।