पटना, नवम्बर ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
चेतना समिति, पटना केर तरफ सँ हकार दैत डा. रामानन्द झा ‘रमण’ जनतब करौलनि अछि जे तिरसठिम विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक अवसरपर निम्न लिखित व्यक्ति केँ सम्मानित/ पुरस्कृत कएल जएतनि।
ताम्रपत्र – १. मैथिली साहित्य – डा गंगेश गुंजन, २. संस्कृत साहित्य – डा बौआनन्द झा, ३. शिल्पकला- श्रीमती बौआ देवी ४. संगीत/नृत्य- प्रो चन्द्रकान्त लालदास, ५. विशेष अवदान – डा मंजुगीता मिश्र, ६. चेतना सेवी सम्मान- अजित कुमार ठाकुर, ७. कीर्तिनारायण मिश्र साहित्य सम्मान- श्रीमती सुस्मिता पाठक, ८. यात्री चेतना पुरस्कार – डा वीरेन्द्र मल्लिक, ९. डा माहेश्वरी सिंह महेश’ ग्रन्थ पुरस्कार – अमित मिश्र (अंशु बनि पसरि जाएब, बाल कविता संग्रह), १०. डा माहेश्वरी सिंह महेश’ निबन्ध पुरस्कार – सुश्री कुमकुम कुमारी (पी जी सेन्टर, आर के कॉलेज मधुबनी), ११. सिद्धेश्वरी देवी मिथिला चित्रकला/लोककला पुरस्कार’- सुश्री अमृता शाम्भवी, १२. सिद्धेश्वरी देवी मिथिला संस्कार गीत प्रतियोगिता – सुश्री ईशा वैद्ही, १३. यशोदादेवी स्मृति मिथिलाक्षर लेखन प्रतियोगिता – सुश्री कीर्ति मंजरी।
१३ नवम्बरकेँ महाकवि लालदास पर केन्द्रित विचार गोष्ठी होयत। १४ नवम्बरकेँ पं श्री गोविन्दझा लिखित लोढ़ानाथ’ नाटकक मंचन होयत। नाटकक निर्देशक छथि- प्रसिद्ध रंगकर्मी कुणाल। अपने लोकनि सपरिवार सादर आमन्त्रित छी। डा. रमण अपन हकार दैत उपरोक्त जानकारी देलनि अछि। पटना मे हरेक वर्ष तीन दिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह होएत रहल अछि आर एकर भव्यताक चर्चा विश्व-स्तरपर कैल जाएछ। संगहि दर्जनों पुरस्कार आ सम्मान केर वितरण सँ मैथिली भाषा, साहित्य, कला, संस्कृतिकेर निरन्तर संरक्षण-संवर्धन सेहो कैल जाएछ जे आर सब लेल सेहो अनुकरणीय अछि।