विराटनगर मे साहित्यसेवी लोकनिक सम्मान
प्रसिद्ध नेपाली साहित्यकार तथा समाजसेवी स्व. देवकुमारी थापा द्वारा अपन दिवंगत सेनानी पति बब्बरसिंह थापाक स्मृतिमे २०६० सालमे स्थापित बब्बरसिंह थापा सेवा गुठी द्वारा हरेक वर्ष एकटा प्राज्ञ-साहित्यकार केँ सम्मान करैत आबि रहला मे एहि वर्षक सम्मान मैथिली भाषाक संग नेपाली भाषा मे सेहो साहित्यसेवा देनिहार प्रतिष्ठित स्रष्टा धीरेन्द्र प्रेमर्षि केँ पुरस्कृत कैल गेल अछि। तहिना देव कुमारी थापाक २०६८ सालमे निधन भेला उपरान्त हुनक स्मृतिमे सेहो एक जन राष्ट्रीय स्तरक साहित्यिक स्रष्टाकेँ सम्मान देबाक परंपराक शुरुआत स्व. थापा दंपत्तिक दुनू बेटी-जमाय द्वारा कैल गेल पुरस्कार एहि बेर प्रसिद्ध भाषाशास्त्री बालकृष्ण पोखरेल केँ प्रदान कैल गेल अछि।
बब्बरसिंह थापा स्मृति पुरस्कार २०७१ सालक प्रशस्तिपत्रक संग नकद पुरस्कार रु.२५ हजार राशि हरेक वर्ष देल जाइछ, एहि वर्ष बारहम बेरक सम्मान स्रष्टा प्रेमर्षिजी केँ देल जेबाक जानकारी गुठीक कोषाध्यक्ष आ स्व. थापाक जमाय हरिमोहन श्रेष्ठ बतौलनि। तहिना देवकुमारी थापा स्मृति पुरस्कार २०७१ एहि बेर चारिम सम्मानित भाषाशास्त्री पोखरेलकेँ प्रशस्तिपत्राक संग नकद रु.५१,१११/- प्रदान कैल गेल अछि।
नेपाली साहित्यक स्रष्टा तथा हुनक दिवंगत पतिक स्मृतिमे देल जायवला सम्मान साहित्यक्षेत्र मे आरो बेसी सशक्त योगदान बढायत आ एहि वर्ष मैथिली भाषा केँ सेहो पुरस्कृत करैत नव नेपालक समावेशी संस्कृति केँ पोषण करबाक उद्देश्यक संग संस्था आगाँ बढल ई जानकारी संस्थाक अध्यक्ष आर आजुक सम्मान समारोहक सभापति कविराज न्यौपाने जी कहलनि।
आजुक सम्मान समारोहमे प्रमुख अतिथि नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक कुलपति गंगाप्रसाद उप्रेती केर हाथ सँ ओ सम्मान दुनू स्रष्टाकेँ हस्तान्तरण कैल गेल छल। एहि अवसरपर सभाकेँ संबोधन करैत कुलपति गंगाप्रसाद उप्रेती दुनू सम्मानक महत्त्व आ गरिमा अपने-आपमे उत्कृष्ट रहबाक आ एहि वर्ष युवा तथा बहुप्रतिभाशाली प्राज्ञ सभाक सदस्य सेहो रहल मैथिली एवं नेपाली भाषाक सेवा आ प्रभावशाली संचारकर्मी प्रेमर्षिकेँ देल जेबाक कारण आरो बेसी प्रभावी आर राष्ट्रकेँ एकटा सार्थक संदेश देबाक काज केलक से कहलनि।
समारोहपूर्वक सम्मान ग्रहण करब आ विराटनगर जेहेन साहित्यिक सौहार्द्रक ऐतिहासिक भूमि मे सम्मानित होयब अपनापर दायित्व आरो बढेबाक अभिव्यक्ति सम्मानित स्रष्टा प्रेमर्षिजी कहलनि। दोसर सम्मानित स्रष्टा बालकृष्ण पोखरेल सेहो सम्मानित होयबा पर अपन प्रसन्नता व्यक्त करैत सम्मान करयवला संस्था प्रति आभार प्रकट केलनि। आरो वक्तासब मे प्रा. डा. टंकप्रसाद न्यौपाने, समालोचक दधिराज सुवेदी, प्राज्ञ विवश पोखरेल, दिनेशकुमार श्रेष्ठ, प्रवीण नारायण चौधरी, विपुलेन्द्र चक्रबर्ती सब छलाह। मंच संचालन कवि सीमा आभाष द्वारा कैल गेल। एहि समारोहमे नेपाली तथा मैथिलीभाषाक अनेकौं स्रष्टासब सहभागी भेलाह आ सब कियो सम्मानित स्रष्टालोकनिकेँ बधाई ज्ञापन कयलनि। मैथिली तथा नेपाली दुनू भाषाक एकता तथा समीपता स्थापित करयवला स्थाल विराटनगरमे एकटा आरो नव इतिहास रचल गेल ई भावना सेहो सभा द्वारा व्यक्त कैल गेल। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सम्मानित स्रष्टा लोकनिकेँ हार्दिक बधाई।