काठमांडू, नेपाल। अक्टूबर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारत द्वारा राजनयिक स्तरपर करोड़ों-खरबोंक लगानी सँ नेपाल मे शिक्षा व्यवस्था सहित अन्यान्य लोकहित केर कार्य कैल गेल अछि। तहिना नेपालक एक दानवीर समाजसेवी द्वारा भारत मे कैल गेल महत्वपूर्ण कार्यक चर्चाक जतय सराहना हेबाक चाही ओ आइ सरकारक घोर उपेक्षाक चलते गुमनामीक अन्हार मे बर्बाद होएत देखि रहल छी। ई जनतब मधवा – महोत्तरी जिला निवासी ई. कौशल किशोर झा करबैत कहलनि जे हुनक पिता स्व. पं. उमेशचन्द्र झा द्वारा दादा-दादीक नाम सँ स्थापित शैक्षणिक संस्थान भारतक मधुबनी जिलान्तर्गत प्रसिद्ध गाम बसैठक सीता-मुरलीधर उच्च विद्यालय १९७०-८० केर दसक मे राजकीय कृत कहेबाक लेल बिहार सरकार केँ दान मे देलनि जाहि सँ ओतुका छात्र ओ शिक्षक केर भविष्य सुरक्षित होइ, लेकिन आइ स्थिति उल्टा भऽ गेल अछि।
विद्यालयक नाम मे देल अक्खा करोड़ों टकाक जमीन (सम्पत्ति) पूर्ण विपन्नावस्था मे देखाएत अछि, विद्यालयक जमीन होएत सरकारी राजपथ निकालबाक क्रम मे ओहु मे बिग्घों जमीन दाबल जा चुकल अछि, रजबा मोन्हि नामक संपत्ति जे विद्यालयक रख-रखाव आ छात्र सबकेँ निःशुल्क छात्रावासक सुविधा संग पठन-पाठन वास्ते देल गेल छल ताहि पर ग्रामीण सब द्वारा मनमर्जी अतिक्रमणक अवस्था देखाएत अछि। नेपालक जंगल सँ काठक इन्तजाम कयकेँ विद्यालय वास्ते बनाओल गेल मजबूत सखुआ-सागवानक चौखैट-केबाड़ सब टूटल-भांगल अवस्था मे देखाएछ। एहि ठामक छात्रावास जेकर प्रसिद्धि चारूकात लोक आइयो चर्चा करैत अछि तेकर खंडहरो – अवशेष आब नहि बचल देखाएछ। कौशल किशोर झा सरकार द्वारा अवहेलनाक ई वीभत्स उदाहरण रखैत ग्रामीण समाजक संग विभिन्न सामाजिक-राजनीतिक पक्ष सँ अपील केलनि अछि जे एहेन अमर कृति केँ बचेबाक आ आमजन केँ शिक्षा व्यवस्था सुचारू करबाक कार्य कैल जाय।
२०१६ ई. पं. उमेशचन्द्र झा – संस्थापक केर शतवार्षिक जयन्ति वर्ष होयबाक अवसरपर संस्थापक परिवार ओहि विद्यालय मे एकटा समारोह आयोजन करबाक नियार कय रहल अछि। अपन पुरखाक नाम पर स्थापित उपरोक्त कृति केर वर्तमान अवस्था देखि हृदय करुणा सँ भरि जायब स्वाभाविके छैक। नेपाल मे भारतक राजदूत रणजित रे केँ एहि लेल एकटा स्मारपत्र सौंपैत अनुरोध कैल गेल अछि जे उपरोक्त विद्यालय मे समारोह आयोजनक आदेश भेटय, संगहि विद्यालक अवस्था मे सुधार करैत उचित ढंग सँ नाम लिखल जाय, संस्थापक उमेश बाबू केर मूर्ति लगाओल जाय आर हुनका मिथिला विभूति घोषित कैल जाय, संगहि ओहि ठाम एकटा उमेश निकेतन नामक भवन केर सेहो निर्माण कराओल जाय।
तहिना स्थानीय मुखियाक पति ओ संस्थापक परिवारक समीपक संबंधी लाल चौधरी सहित बिहार विश्वविद्यालय केर पूर्व मैथिली विभागाध्यक्ष डा. देवेन्द्र झा एवं गाम-समाजक लोक सेहो एहि विद्यालयक अवस्था मे सुधार अनबाक संग एतय संस्थापक लेल सम्मानजनक स्थानक मांग करैत जिला शिक्षा अधिकारी संग बेर-बेर अनुरोध कएलनि अछि सेहो जानकारी ई. कौशल किशोर झा करौलनि अछि। आगामी दिसम्बर मे एहि ठाम समारोहपूर्वक संस्थापक उमेशचन्द्र झा केर शतवार्षिकी कार्यक्रम कैल जेबाक जनतब दैत एहि पत्रिकाक मार्फत फेर सँ सम्बन्धित पक्ष, आम समाज ओ राजनीतिक पक्ष आदि सँ विद्यालयक दीनता केँ दूर करबाक अनुरोध केलनि अछि।