जागैत मिथिला समाज आ एकजुट होएत मैथिल लोक

विशेष सम्पादकीयः मिथिला चौजुगी केकरा कारण सँ जीबित अछि!!

appan-mithila-sewa-samajहिमालय (उत्तर), गंगा (दक्षिण), गंडक (पच्छिम) आ कोसी (पूरब) केर बीच निहित पवित्र भूमि केँ सिद्धस्थली मिथिलाक रूप देनिहार जनक केर सपना छलन्हि समरस समाज – समृद्ध संसार। कालान्तर मे ओहि समृद्ध-समरस मिथिलाक बदहाली एहेन भेल जे आइ संसारक भूगोल सँ मिथिले पार भऽ गेल अछि। मुदा नव तकनीक आर सामाजिक संजालक सहयोग सँ आइ मिथिलाक लोक फेर सँ अपन मूल संस्कार तरफ वापस जाएत देखाय लागल अछि। बीच मे तऽ राजनीतिक अराजकता सँ जनकक मिथिला केँ बाभनक मिथिला आर एतुका मीठ भाषा मैथिली केँ सेहो बाभनहि केर भाषा कहनिहार घोर जातिवादी नेता तथा कच्चू अध्येता संग-संग किछु उकट्ठी विद्वान् एम्हर-ओम्हर अभरैत छल। एखनहु गोटेक लोक मे ई भ्रम बनले अछि। धरि यथार्थ धरातलपर अपन भाषा आ संस्कार प्रति प्रेमक कतेको रास उदाहरण देखबाक लेल भेटैत अछि आर एहि विधा मे नेपाल पारक मिथिला भारतक मिथिला सँ कतेको डेग आगू देखाएत अछि।

एहने जाग्रत मिथिला समाजक युवा सब मिलिकय निर्माण कएला अछि अपन मिथिला सेवा समाज – नेपाल। ई सब विदेशी रोजगार मे गाम-घर आ अपन लोकवेद सँ बहुत दूर रहि रहला अछि। लेकिन अपन लोकक समस्या पर हिनकर नजरि रहैत छन्हि। कहैत छथि जे केकरो ४-४ टा बेटी छैक, खेत मे मजदूरी करैत जीवन निर्वाह कय रहल अछि, बेटी सभक विवाह कराओत से सामर्थ्य नहि छैक – ओ हमर समाजक एक गरीब लोक छी, हम सब बाहर रोजगार सँ किछु पाइ कमाएत छी आ घर लेल बचाकय अपन परिवारक रक्षा करैत छी – मुदा समाजक एहेन गरीब लोक लेल सेहो सेवा करबाक प्रबल भावना मोन मे रहैत अछि। अपना समाज मे गरीबी सब सँ पैघ अभिशाप अछि। सरकार केर पास कोनो एहेन योजना नहि छैक जाहि सँ गरीब लेल रोजगारक गारंटी होएक। सभक समस्याक निदान लेल कोनो समुचित फोरम कतहु जमीन पर नहि देखाएत अछि। लोक-समाजक दया आ दरेग सँ ओकरा सभक कल्याण होएत छैक। मुदा आजुक समय मे विखण्डित समाज आ जाति आ धर्मक नाम पर बँटल समाज मे स्वार्थक पाछाँ सब अपने लेल बेहाल रहैत अछि, के देखतैक ओहि गरीब-असहाय केँ, अतः हम सब ओहेन लोकक सेवा लेल काज करबाक वास्ते एकटा समूह केर निर्माण केलहुँ अछि।

संस्थाक सक्रिय सदस्य जे एतेक पढल-लिखल छथि कि संस्थाक सब बात केँ अपन भाषा मैथिली मे लिखिकय सक्षम सचिव समान काज कय दैत छथिन – हुनका सँ बातचीत भेला पर ओ जानकारी करौलनि कि “अपन मिथिला सेवा समाज – नेपाल नामक संस्था जोन है भाइजी एकर काज मकसद सिम्पल है। जेना कि असहाय, कमजोर, वृद्ध, शहीद (नेपालक मधेस आन्दोलनमे शहादत देनिहार) परिवार, अनाथ, लाचार, महिला सब केँ सहयोग और सहारा बननाय संस्थाक काज थीक। ताहि मे मठ, मन्दिर, जग, जाप, विवाह, शादी, आदि मे सहभागी होनाइ; जिनका ४/५ गो बेटी है और हुनका पास अपना बेटी के शादी कराबय के क्षमता नय है हुनका सब के सहयोग करनाइ, ई नय कि पूरा सहयोग हैत, लेकिन किछु सहयोग जरुर हैत से उम्मीद राखू। अभी अपन मिथिला सेवा समाज – नेपाल नामक संस्था सिर्फ सोशल नेटवर्क पर मात्र है। मगर धीरे-धीरे नेपाल सरकार केर इजाजत सेहो लऽ लेत यानि कि दर्ता सेहो करा देबैक एकरा। सोटकट मे कहू त समाज सेवा समाज कल्याण हेतु काज मात्र करत। अहाँ सब देखैछी कि अपना सब के समाज मे दान दहेज कतेक बड़का समाज के बीच केन्सर जेकाँ भ गेल है। ई सब के रोकत। फर्क है कि एके बेर नय होत। लेकिन जब समाज मे घूमब, सब स गप करब, तहन धीरे-धीरे दान दहेज सेहो रोके के कोसिश करब यइ संस्था के मार्फत। लेकिन ई सब हम अहाँ स नय होत भाइ जी आइ काज मे समाज के सहयोग चाही। मिथिला के युवा सब के एक जुट होवे के जरुरत है। ईहे कोशिस मे लागल छी हम सब कोई। और कि कहू प्रवीण सर जी बाकी अहा खुद देख देबै ओर नीक स छापब से आस है। समाज के जाग्रत करे के कोई तरीका अहुँ कहू भाइजी, हम सब ओहि मार्गदर्शन मोताबिक काज करब। नमस्कार धन्यबाद!”

कैलाश यादवक बात हमर मोन केँ एतेक गहिंर धरि छू गेल अछि जे होइ यऽ अपन प्राणो एहेन-एहेन समर्पित युवा – सुच्चा मैथिल समाज केँ दय दी। मई महीना मे ई संस्था जखन आरम्भ कैल जा रहल छल तऽ एकर परिकल्पक मलेशिया सँ फोन पर आ व्हाट्सअप पर साउन्ड पठा-पठा अपन भावना राखैत छल। पूछैत छलय जे “भाइजी, सोशल मीडिया मे अहाँक नाम आ काम दुनू हमरा आर के बड़ निमन लागय है। अहाँ हमरा आर के सल्लाह-सुझाव दू जाहि से हमे आर कोइ भी सेवा के काज अपना मिथिला समाज के लागि कर सकी।” फेर हम लिखिकय जबाब पठबियैक आर सभक परिचय मंगियैक त पता चलय जे अधिकांश युवा जे एहि मुहिम मे जुड़ल अछि ओ सब अनपढ आ बोनिहारी मजदूर जे मलेशिया, कतार, यूएई, सउदी आदि देश मे लेबर कान्ट्रैक्ट पर गेल अछि आर ओतय सँ अपन लोक-समाजक वास्ते अपन कठोर परिश्रमक कमाई सँ सेवा-दान करय चाहि रहल अछि। हमर पहिल सुझाव एकरा सब लेल यैह रहैक जे अहाँ सब पहिने स्वयं सेहो साक्षर बनू आ केवल साउन्ड क्लीप नहि बल्कि लिखिकय अपन बात राखि सकी सेहो जोगार लगाउ। आर अनपढ होयबाक दर्द केँ यदि सही सँ बुझि पबैत होइ तऽ सब सँ पहिने अपन लोक-समाज मे शत-प्रतिशत बच्चा विद्यालय कोना जायत, कियो अनपढ-निराक्षर नहि रहत से सेवादान करू। बहुत प्रसन्न होएत ओ सब अपन-अपन गाम-समाज के बच्चा सब लेल शिक्षाक गारंटी हेतु ग्रामीण सब केँ भार देने छलय। आइ ओ संस्था एतेक सबल बनि गेल अछि जे अपन मजूरीक पाइ सँ एकटा सबल कोष ठाढ कय चुकल अछि आर कैलाशक शब्द मे सेवाक प्रकृति पढिये लेलहुँ। शत-शत बेर नमन योग्य काज आ जागृति थीक ई – हमर मिथिला एना फेर सँ निर्माण होयबाक संकेत थीक ई।

एकरा सभक नारा छैक – जय शम्भु जय मिथिला। सहयोग केनिहारक आ बाकी-बक्यौता रखनिहारक नाम सेहो सार्वजनिक करैत अछि। कारण पारदर्शिता सब सँ पैघ बात भेल। सहयोगदाताक नामक सूची निचाँ केवल एहि लेल राखि रहल छी जे अहाँ पाठक सब स्वयं मनन करियौक जे ई कोन वर्गक लोक सब थिकाह आ कतेक नीक सोच छन्हि अपन मिथिला समाज लेल।

साभार कैलाश यादव नाम, देश आ सहयोग रकम केर सूची पर एक दृष्टिः

१. श्री कैलाश यादव (साउदी) १३३/रियाल पैड
२. श्री श्री पाल दास (मले..) १५१/रिंगेट पैड
३. श्री तेज नाथ यादव (मले..) १०१/रिंगेट
४. श्री रामजतन शर्मा (कतार) २०१/रियाल पैड
५. श्री कृष्ण सर्मा (साउदी) १३०/रियाल पैड
६. श्री सन्तोष सर्मा (कतार ) १५१/रियाल
७. श्री अशोक पासवान(मले..)१०१/रिंगेट पैड
८. श्री सुजित चौधरी (दुवै ) १०१/दिराम
९. श्री विजय ठाकुर (कतार ) ५१/रियाल पैड
१०. श्री संजय यादव (मले..) १५१/रिंगेट पैड
११. श्री ललित प्रेमर (कतार ) १५१/रियाल
१२. श्री मनोजपासवन(साउद)१५०/रियाल पैड
१३. श्री कौशलयादव(साउदी )२५५/रियाल पैड
१४. श्री राजीव यादव(मलेसिया)१११/रिंगेट
१५. श्री जिवछ यादव (मलेसिया) ५१/रिंगेट
१६. श्री एमडी जहीर(साउदी)१५१/रियाल पैड
१७. श्री सलमान नदाफ(मलेसिया)१५१/रिंगेट
१८. श्री कैलाश सरदार(कतार)१०१/रियाल पैड
१९. श्री महेश मण्डल(साउदी)१६०/रियाल पैड
२०. श्री प्रमोद दास (मलेसिया)१५५/रिंगेट
२१. श्री गोविन्द महारा (कतार)५१/रियाल पैड
२२. श्री श्रीदेव सदा (कतार )१५५/रियाल
२३. श्री एमडी सदीफ ( साउदी ५१/रियाल पैड
२४. श्री शोनिल महरा (कतार ) ५१/रियाल पैड
२५. श्री वीरेन्द्र दास (साउदी) १५१/रियाल
२६. श्री श्याम दास (कुवेत ) ५१/दिनार
२७. श्री निरज दास ( दुवै ) १०१/दिराम
२८. श्री हरि देव सर्मा (दुवै ) १०१/दिराम
२९. श्री राजु महतो (साउदी) १०१/रियाल

एतबा नहि! एहि सूची मे सँ जेकरा लंग पैसा बाकी छैक तेकरो नाम बेहिचक सार्वजनिक करैत अपन घोषणा पर बरकरार रखबाक सिद्धान्त रखैत अछि ई युवा सब। कैलाश लिखैत छथि, “नमस्कार! अपन मिथिला सेवा समाज – नेपालक सम्पूर्ण पदाधिकारी लगायत सदस्य सर तथा भाइ जी सब केँ सर अपन मिथिला सेवा समाज मे जतेक सर सब गोटे साउदी अरबिया मे छी हुनका सबक नाम लिस्ट स्पष्ट करैत जनाबी। समाज कल्याण हेतु सहयोग कैल गेल रकम आ लिस्ट मे अपन नाम लिखैत काल व्यक्ति और जोन सर सब अपन पाइ लिखित कर चूकल ऐछ। जहिना किछ सर सब लिस्ट अनुसार पाई पेड क देने है हुनका सबक नाम हम प्रस्तुत करै छी। और ई सब सहयोग भेल रकम जिल्ला धनुषा जनकपुर २५ बगेवा संस्था अध्यक्ष श्री कैलाश यादव लग साउदी अरबिया मे संकलन भेल अछि। जहिना किछ ब्यक्ति लिस्ट अनुसार अपन अपन रकम जम्मा क चूकल ऐछ जोन लिस्ट हम अहा सब लग द रहल छी। धन्यबाद!

(नाम) (देश ) (रकम)
१. श्री कैलाश यादव (साउ..)१३३/रियाल पैड
२. श्री एमडी जहीर (साउ..)१५१/रियाल पैड
३. श्री एमडी सदीफ (साउ..) ५१/रियाल पैड
४. श्री मनोज पास.. (साउ..)१५०/रियाल पैड
५. श्री कृष्ण सर्मा (साउ..)१३०/रियल पैड
६. श्री कौशल यादव (साउ..)२५५/रियाल पैड
७. श्री महेश मण्डल (साउ..)१६०/रियाल पैड
८. श्री वीरेन्द्र दास (साउ..) १५१/रियाल
९. श्री राजु महतो (साउ..) १०१/रियाल
————
१२८२/ जम्मा
– १०३०/ पैड
————
२५२/ पैड नय भेल

समाज कल्याण समाज सेवा के हेतु जम्मा कैल गेल साउदी रियाल रकम एतेक है ( १०३० ) । ई सब रकम संस्था अध्यक्ष कैलाश यादव जी के पास जम्मा कैल गेल अछि ।

जोन सदस्य के लिस्ट मे नाम पर पेड लिखित ऐछ हुनकर सभक पाइ संस्था अध्यक्ष लग जम्मा भ गेल अइ। जोन सदस्य सबक नाम पेड नय लिखित होइ हुनका सब स आग्रह है कि अहूँ सब अपन अपन नाम लिस्ट मे पेड लिखित करे के कोशिश करब। धन्यबाद! 🌺जय मिथिला जय मैथिली जय जानकी 🌺
🌹🙏🙏🙏🙏🙏🌹”

हमरा त भाइ अहाँ सब पर बहुत गर्व भ रहल अछि। आर अहाँ सँ सब केँ प्रेरणा भेटय। मिथिलाक चौजुगी जीबित रहबाक पाछाँ यैह तरहक समर्पित सामूहिक योगदान थिकैक। अहाँक उदाहरण विश्व भरिक मैथिल केँ हम सुनायब ई गछैत छी। जय मिथिला – जय जानकी!! हरिः हरः!!