दिल्ली, अक्टुबर ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिल मंच केर संचालक मणि भूषण राजू जानकारी करबैत कहलैन अछि जे चीनी मिल केँ फेर सँ चालू करबाक आन्दोलन मात्र एकटा हौवा बनिकय रहि गेल अछि। ओ आन्दोलनी पर हवाई फायरिंग छोड़ि यथार्थ स्थिति सँ परिचित होएत सार्थक प्रयास करबाक अपील सेहो कएलनि अछि।
हालहि मैथिल मंच एकटा प्रतिनिधि मण्डल संग सकरी चीनी मिल्स केर सन्दर्भ मे तिरहुत इण्डस्ट्रीज केर मालिक प्रदीप चौधरी सँ भेंट केलनि अछि। दिल्लीक गौतम नगर स्थित इण्डस्ट्रीजक कार्यालय मे सहजता सँ लगभग अढाइ घण्टा धरि अहि विषय पर विस्तार सँ चर्चा भेल। “मैथिल मंच” के प्रतिनिधि मंडल मे रामबाबू सिंह, मणिभूषण राजू, राजेश झा, मनोज झा, घनश्याम कुमार, धीरेन्द्र मिश्रा, विवेक मिश्रा सहभागी छलथि।
प्रदीप चौधरी चीनी मिल फेर सँ चालू करबाक लेल कि सब बाधा अछि ताहि पर प्रकाश देलनि। हुनका द्वारा जाहि तरहक कमी-कमजोरी तथा सरकारी असहयोगक चर्चा कैल गेल ताहि हेतु मंच हुनका सँ एकटा प्रेस कान्फ्रेन्स करबाक अनुरोध केलकनि। संगहि मंच ईहो चेतौनी दैत कहलकैन जे जँ ई जानकारी गलत भेल त एहि वास्ते दिल्ली आ मिथिला मे विरोध कार्यक्रम आरो उग्रता सँ कैल जायत।
मैथिल मंच एहि चीनी मिल प्रकरण मे एक मध्यस्थकर्ताक भूमिका निभेबाक जिम्मेदारी अपन कान्ह पर लेलक अछि। छूछ विरोध केकरो नहि कैल जेबाक चाही। बल्कि तिरहुत इण्डस्ट्रीजक पक्ष सेहो बुझबाक जरुरत अछि राजू कहलैन। ओ आरोप लगबैत नेतागिरीक सार्टकट छोड़बाक अनुरोध करैत कहलैन जे केवल फोटो चमकाकय कोनो तरहक विरोध करब उचित नहि। किछु लोक आ एकटा विद्यार्थी केर नाम पर खेलार्थी संगठन पूरा मिथिला केँ बुरि बनाबय के खड्यंत्र में अछि। ओकर मिथिला प्रभारी आम आदमी पार्टी केर कार्यकर्ता थीक आर पटना में मोहल्ला सभा करै या। दरिभंगा या की मिथिला तखने आबै या जेखन दलाली करबाक रहैत छैक। जेखन चीनी मिल के 3 ट्रक स्क्रैप मिल स निकैल गेलै तखन मैथिल मंच केर राष्ट्रीय संयोजक रजनीश झा केँ ई खबर संज्ञान मे एलैन। तदोपरान्त ओ अपन जान पर खेलिकय स्क्रैप लोड ट्रक पकड़लाह। सब मैथिल स आग्रह जे सोचू कनी, ई सब पीयर टी शर्ट के भेष में कहीं मिथिला के नाम पर अपन हरियरी त नै करय के प्लान में ऐछ? – मणि भूषण राजू मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करबैत आम मैथिलजन केँ छद्म आन्दोलन प्रति ध्यानाकर्षण सेहो करौलन्हि।

2 Comments
Mohmaya mithila aviyan ai ke hum north Bengal ma Chala rahal chhu Aime bahut gota jural aichh aur hum aasha karaichhi je aanha Humar e nisulk samaj sevi pawan karya ke badhaba hetu hamar sahyog karab hum Pura desh bidesh ke mithila Logan ke ek hi mancg ma dekha chahaichhi
Mohmaya
Siliguri
Dist Darjeeling
West Bengal
9800924936
जरुर, अहाँ सम्पर्क मे बनल रहू। अपन ‘मोहमाया’ केर अभियान सब पर रिपोर्ट पठबैत रहू। प्रवीण – ००९७७-९८५२०२२९८१