मिरानिसे राष्ट्रीय अधिवेशन ऐतिहासिक दरबार हॉल मे

दरभंगा, सितम्बर २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns-adhiveshan1लगभग ७ दसक सँ निरन्तरता मे रहल मिथिला राज्य आन्दोलन केँ गन्तव्य स्थान धरि पहुँचेबाक लेल संकल्पित मिथिला राज्य निर्माण सेना पहिल बेर एहि मुद्दा पर राष्ट्रीय अधिवेशनक संग ३० जिला भरिक लोक केँ एकत्रित करय जा रहल अछि, आर मिथिलाक धिया सिया केँ आध्यात्मिक तौर पर आन्दोलनक अगुआ मानिकय विशाल जनसभाक आयोजन सेहो करय जा रहल अछि। ई जनतब मिरानि सेनाक प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर देलनि। ओ कहलैन जे पौकेट मे आन्दोलनीक प्रमाणपत्र आ कोठरी मे जनसभाक कारण ई आन्दोलन बदनाम भेल जे आजुक युवा केँ मंजूर नहि अछि। आब एहि मे नव जोश, नव उत्साह आ नव संकल्पक संग सेनानी सब आगू बढि रहल अछि, आब विजय नहीं तो वीरगति। याचना नहीं अब रण होगा!

आगामी अधिवेशनक तैयारी मे पूर्ण मनोयोग संग लागल सेनाक राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा जानकारी करौलनि अछि जे ई अधिवेशन कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक अधिनस्थ दरबार हॉल लेल आइ प्रशासनक अनुमति भेट गेल अछि। तहिना जनसभा लेल सेहो एहि विश्वविद्याल अन्तर्गत रहल खेल मैदान उपलब्ध करेबाक अनुरोध केँ स्वीकार करैत प्रशासन द्वारा अनुमति प्रदान कैल गेल अछि। एकर अतिरिक्त एहि अधिवेशन मे सहभागिता देनिहार प्रतिनिधि अतिथि लोकनि केँ ठहरेबाक लेल मनोरंजन गृह सेहो उपलब्ध कराओल गेल अछि। एहि तरहें मिथिला राज्य निर्माण सेनाक प्रस्तावित राष्ट्रीय अधिवेशन लेल सब तरहक आयोजन वास्ते एक्के कैम्पस मे सब सुविधा उपलब्ध भेला सँ बड पैघ सहयोग भेटल अछि, ओ कहलैन।

ध्यातव्य अछि जे अधिवेशन (8 नवंबर) में प्रस्तावित मिथिला राज्य केर विभिन्न जिला सँ प्रतिनिधि लोकनि आबि रहला अछि। एकर अतिरिक्त देश-विदेश सँ सेहो अनेकानेक विशिष्ट अतिथि लोकनि राष्ट्रिय अधिवेशन अवलोकनार्थ दरिभंगा औता। अगिला दिन अर्थात 9 नवंबर केँ विशाल जनसभा आयोजित कैल जायत। सब मिरानिसे सेनानी केर समर्थन, सहयोग आ समर्पण सँ आगामी कार्यक्रम मिथिला राज्य आंदोलन केर दशा-दिशा तय करत। राजेश झा जानकारी करौलनि।

मिरानिसे प्रदेश अध्यक्ष रंगनाथ ठाकुर, विश्वविद्यालय सिंडिकेट सदस्य कन्हैया चौधरी, भू-संपदा पदाधिकारी उमेश झा, अवधेश झा केँ एहि अनुमति-अनुमोदन लेल धन्यवाद ज्ञापित करैत राजेश झा कहलैन जे टुनटुन भाइ ओ आनंद भाइ केर तत्परताक बिना ई संभव नै छल। हिनकर सबके सिनेह भेटैत अछि ई हमर व मिथिला आन्दोलनक सौभाग्य थीक। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।

विदिते अछि जे मिथिला राज्य निर्माण सेना एक सामाजिक-सांस्कृतिक संगठन थीक जे संघीय गणराज्य भारतक संविधान मे मिथिला राज्य केँ स्थापित करबाक लेल जनजागरण सहित अन्य-अन्य आन्दोलन करैत आबि रहल अछि। आर, यैह एकमात्र संगठन अछि जे जैड़ केँ मजबूती दैत लक्ष्य धरि पहुँचबाक प्रयत्न कय रहल अछि।