विराटनगर, सितम्बर १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
आगामी 23 सितम्बर विराटनगर केर ऐतिहासिक भूमि पर प्रसिद्ध आ सर्वथा लोकप्रिय कार्यक्रम मुशायरा होमय जा रहल अछि। ई अहोरात्रि चलयवला कार्यक्रम थीक। चूँकि एकर पहिल प्रस्तुति बन्द सभागार में एतेक भव्य भेल जे तहिये स ई निर्णीत छल जे एहेन भव्य कार्यक्रम खुल्ला मैदान में राखल जाय, ताहि अनुरूपे ई मजलिस नगरपालिका बजारक डी प्लॉट पर विराटनगर केर हृदय केंद्र बुद्धहाट चौक पर यानि बीच बाजार में राखल गेल अछि। ई जानकारी कार्यक्रम संयोजक ताजीम अहमद करौलनि।
इंडो नेपाल मुशायरा (कवि सम्मेलन) में भारत सँ सात मशहूर शायर 5 पुरुष आ 2 महिला तथा मैथिली, हिन्दी, भोजपुरी ओ नेपाली सहित अन्य भाषा केर करीब एक दर्जन कवि लोकनि अपन-अपन प्रस्तुति खूब अहगर कय रखताह। ऊर्दू भाषाक प्रसिद्ध शायर संग मैथिली व अन्य भाषाक मिश्रण दर्शक-श्रोता केँ भरपूर आनन्द देत अहमद कहलैन। खूब जमत, प्रस्तुति में जोश आ श्रोताक वाहवाही में सेहो बेजोड़ तुकबन्दी होयत; ठीक जेना पूर्वक आयोजन सब में देखल गेल अछि।
आयोजन समिति मे ताजीम अहमद केर संयोजन आ जफर जमाली केर सह-संयोजन, संगहि मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक भूमिका सेहो एक सहयोगी सल्लाहकार केर रूप मे कौमी एकता समाज – विराटनगर केँ रहबाक जानकारी भेटल अछि। प्रवीण नारायण चौधरी कहलैन जे एहि बेरुक तैयारी आ रूपरेखा सँ आयोजन नव इतिहास रचत से सुनिश्चित अछि।
अपना तरफ सँ सेहो एहि महत्वपूर्ण कार्यक्रम मे सहभागिता लेल आमंत्रित करैत ओ फेसबुक मार्फत कहलैन अछि जेः
“साहित्य सुधा रस पियब जँ
असली जीवन फेर जीयब तँ
मानव छी बात से सिखब जँ
कौमी एकताक बल गिनब तँ
ऐगला शुक्र दिन सब कियो हमर आमन्त्रण पर जरूर आबी आ मिथिला केर मुसलमान आ हिन्दू बीच एक अटूट सम्बन्ध निहारी, भैर भैर बाकूट आनन्द लूटी, एक्के साल नहि अनेकों साल लेल बटखर्चा ल जाय।”
एहि कार्यक्रमक पूर्व संयोजक व संचालक आर स्वयं मशहूर शायर जफर अहमद जमाली जानकारी करौलनि जे पूर्वक समान अहू बेर साहित्य आ समाजक प्रगतिशीलता लेल विशेष योगदान कएनिहार सर्जक सब केँ सम्मानित करबाक योजना अछि। संगहि कार्यक्रम मे महत्पूर्ण आतिथ्य प्रदान कय देबाक लेल भारतीय राजदूतावास केर बीपी कोइराला फाउन्डेशनक प्रमुख रूबी जसप्रीत शर्मा सहित अन्य-अन्य स्रष्टा लोकनि केँ आमंत्रित कैल गेल अछि।