बिहारमे शराबबन्दीः सीमावर्ती नेपाली क्षेत्र मे दारू अड्डाबाजी बढैत

रंजित झा, बलरा, सर्लाही। सितम्बर १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

liqor-shops-at-borderबिहार मे दारु पर प्रतिबन्ध लगला बाद दारुक कारोबार बिहार सँ सटल नेपालक सिमावर्ती जिल्ला सभ मे बढि गेल बुझाएत अछि। नेपालक मिथिला मधेश केर सर्लाही, रौतहट, धनुषा, महोत्तरीलगायत जिल्ला सभक सिमावर्ती बजारसभ लगभग ‘मदिरालय’ मे परिणत भ गेल अछि।

सर्लाही जिल्ला केर मुख्यालय मलंगवा लगायत बलरा, अर्नाहा, अचलगढ, मधुबनी, बारा उधोरण, सिमरा, भाडसर सहितक सिमावर्ती बजार मे बिहारक मिथिला व अन्य ठामक लोक सब खुल्लमखुल्ला दारु पीबय आबि रहल अछि।

एकटा उच्च माध्यमिक, दुटा प्राथमिक आ एकटा निजी स्तर के विद्यालय रहल सर्लाही जिल्लाक बलरा गा.वि.स. मे अखनि 10 टा दारु भट्टी खुजल अछि मुदा दुखद जे एखन धरि एतय एकटा मात्रे किताब केर दोकान अछि।

ज्ञातव्य हो जे साल भर पहिने बलरा मे जम्मा तीन टा दारु भट्टी मात्रे छल। तहिना बलरा सँ सटल अचलगढ गा.वि.स के नरहरगञ्ज मे लगभग दुचार घर हँटिकय एकटा भट्टि जरुर भेट जाएत। दारुक भट्टि वृद्धि सँ शिक्षा क्षेत्र मे कोन असैर पड़तै कहिकऽ पुछला पर बलरा उच्च मावि केर प्रधानाध्यापक वीरेन्द्र झा बतौलथि कि ‘एहि तरहक माहौल सँ शिक्षा क्षेत्र मे बहुत खराब असैर पड़तैक। जँ समय पर गारजियन धियान नञि देता त धियापुता सेहो बाद मे जाकऽ दरुवा भऽ सकैए। बच्चा सभ के स्कूले मे जिज्ञासू बनाएल जाएत अछि ताकी ओकरा मे किछु सिखबाक ललैक रहय। कोन ठीक! ओ सभ दारुवे केर स्वाद बुझयला भट्टि चलि जाए।’

एम्हर बलरा जब्दी टोल निवासी आशुतोष ठाकुर सरकार आ मधेशी दल प्रति आक्रोशित होइत कहलाह् जे ‘मिथिला मे सेहो दारु पर प्रतिबन्ध लगेबाक चाही। मधेशी दल खाली मधेशे मधेशे चिचियाइत अछि मुदा मधेशक समाजिक समस्या पर चुप अछि।’ एम्हर दारु अप्पन खराब असैर देखाबऽ के सुरुवात केने अछि। 4 महिना पहिने सर्लाहीक बलरा मे दारु पिने बराती संग आर्केस्ट्रा मे मार पिट भेल छल। तहिना किछुवे दिन पहिले बलरा 5 केर मुखा राय यादव मोटरसाईकल दुर्घटना मे घाहिल भेल छल।