दिल्ली, अगस्त ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
पैछला सप्ताह बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दिल्ली पहुँचिकय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी संग भेंटघांट करैत बाढि सँ भेल नोकसानी पर विस्तृत जानकारी करौलनि। एहि नोकसान केर भरपाई करबाक लेल केन्द्र सँ अतिरिक्त सहयोग हेतु निवेदन कएलनि। प्रधानमंत्री मोदी द्वारा सहयोगक वचन सेहो देल गेल।
जनसत्ताक खबैर मुताबिक नीतीश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सँ जखन भेंट करय एलाह तऽ दुनुक बीच ‘गुप्त बातचीत’ सेहो भेल। न्यूज वेबसाइट रेडिफ डॉट कॉम केर खबरक अनुसार दुनु नेता लोकनि आधिकारिक भेंटघांट उपरान्त आर अधिकारी सबहक अनुपस्थिति मे अकेले बातचीत केने छलाह। बंद कोठली मे भेल ई भेंटघाँट पछाति मोदी जखन नीतीश केँ छोड़य लेल बाहर निकललाह तखन दुनु गोटे एक-दोसराक हाथ धेने नजरि एलाह।
एहि विशेष भेंटघाँटक बाद नीतीश कुमार पहिलेक तुलना मे काफी बदलल अंदाज मे देखेलाह। हुनकर रुख पीएम मोदी केँ लऽ कय नर्म देखायल।
बैठक केर बाद नीतीश मीडिया सँ बातचीत मे केंद्र सरकारक गंगा सफाई केँ लऽ कय चलायल गेल कार्यक्रम ‘नमामि गंगे’ केर खूब प्रशंसा सेहो केने छलाह। ओ कहलनि जे पीएम मोदी हुनका बाढ़ि केर मादे त्वरित आर दीर्घकालिक डेग उठेबाक आश्वासन देलनि अछि। संगहि नेशनल सिल्ट मैनेजमेंट पॉलिसी बनेबाक भरोस सेहो रखलनि अछि।
रेडिफ केर रिपोर्टक अनुसार दुनु नेतागणक बॉडी लैंग्वेज बिहार केर राजनीति मे एकटा नव मोड़ एबाक अटकल केँ सेहो हवा दय देलक अछि। एहि अटकल केर मुताबिक नीतीश कुमार गठबंधन मे साझेदार लालू यादव सँ बहुत प्रसन्न नहि छथि। कहल जा रहल अछि जे गठबंधन केर साथीक रूप मे लालू अपन दबदबा बनेने छथि। एहि सँ नीतीश केँ काफी दिक्कत केर अनुभूति भऽ रहल छन्हि। भेंट केलाक बाद नीतीश केर बयान त एहि तरहक अटकल सबकेँ आरो बेसी हवा दय देलक।
गर करयवला बात ई अछि जे भाजपा और जेडीयू पूर्व मे साथी रहल अछि। दुनु मिलिकय नौ साल धरि बिहार मे सरकार चलेने छल। लेकिन साल २०१४ मे लोकसभा चुनाव सँ पहिने दुनुक बीच दरार आबि गेल। जेडीयू नरेंद्र मोदी केँ पीएम पद केर उम्मीदवार बनायल जेबाक खिलाफ छल। एकर बाद दुनु अलग-अलग भ गेल छल। एकर बाद जेडीयू और आरजेडी हाथ मिला लेने छल। चुनाव केर बाद बिहार मे अपराधक घटना सबमे काफी बढ़ोत्तरीक बीच लालू और नीतीश मे मतभेद केर खबैर आयल छल। हालांकि एहि बारे मे आधिकारिक रूप सँ दुनु पार्टी मे कहियो एहेन कोनो बात सोझाँ नहि आयल अछि।