मिथिला चौक, कनाट प्लेस, नई दिल्ली। अगस्त २३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
चिर प्रतीक्षा बाद मैथिली भाषाक संचार क्षेत्र मे समाचार आ विचार संग जानकारी परसबाक एकटा नव डेग सामूहिक प्रयास सँ बढायल गेल अछि। भारतक राजधानी दिल्ली जतय लगभग ३० लाख मैथिलीभाषी अस्थायी-स्थायी निवास मे रहि रहल छथि, ओतय सँ मैथिली जिन्दाबाद केर पाक्षिक अंक प्रकाशन कार्य पहिल प्रयोगांक सँ शुरु कैल गेल अछि।
अगस्त २१ रवि दिन दिल्लीक कनाट प्लेस स्थित मिथिला चौक पर माँ पिपलेश्वरी काली मन्दिर मे मैथिली-मिथिला अभियानी लोकनिक समूह द्वारा एकर विमोचन कैल गेल। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रो. अमरेन्द्र झा केर अध्यक्षता तथा मैथिली मंच केर प्रसिद्ध आ चर्चित उद्घोषक संगहि एहि पाक्षिक केर संपादक किसलय कृष्ण केर संचालन मे विमोचन सभा कैल गेल।
मैथिली जिन्दाबाद केर प्रधान संपादक एवं दिल्ली सँ पाक्षिक प्रकाशन करबाक मूल सूत्रधार प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा सभा केँ एकर आवश्यकता मैथिली-मिथिलाक कमजोर आन्दोलन केँ मजबूती प्रदान करबाक संग-संग स्वयं मैथिल द्वारा मैथिली भाषा केर प्रयोग करबा मे लाजक अनुभूति केँ दूर करबाक प्रयास केर रूप मे प्रस्तुत केलैन। भारतक संविधान सँ सम्मानित भाषा रहितो मैथिली मे कोनो प्रिन्ट मिडिया नहि होयब एकटा लज्जास्पद विषय थीक आर एहि लेल सफलता सामूहिक योगदान मात्र सँ भेटत। दिल्ली मे समर्पित मैथिल अभियानी लोकनिक समूह द्वारा मात्र एकर सफलतम् संचालन भऽ सकैत अछि। सब कियो मिलिजुलि एकर सब्सक्रिप्सन, डिस्ट्रीब्युसन, पब्लिकेशन, न्युज कलेक्सन, आदि कय सकैत छी तखन पूर्व मे भेटल खराब अनुभव सँ सीख लैत आगाँ खूब सतर्कता सँ कार्य करबाक संकल्प लेब आवश्यक अछि। प्रवीण नारायण चौधरी एहि तरहें अपन विचार रखैत उपस्थित संपूर्ण अभियानी लोकनि सँ सहकार्य करबाक अपील केलैन।
शिशिर कुमार झा दिल्ली सँ पाक्षिक मैथिली पत्रिकाक प्रकाशन केँ पत्रिका आन्दोलनक संज्ञा दैत एहि दिशा मे स्वयंसेवाक भावना सँ कार्य करबाक अपील कएलनि। कृपानन्द झा मैथिली पत्र-पत्रिका केर स्तर आन भाषाक तूलना मे कमजोर होयबाक कारणे लोक कीनिकय नहि पढैत अछि ताहि पर सबहक ध्यानाकर्षण करैत एकर गुणस्तर उच्च आ उचित बनेबाक मांग कएलनि। पत्रिका प्रकाशन ओ वितरण व्यवस्था हेतु व्यवस्थापन भार स्वीकार करैत शरत झा एकरा आरो बेसी आगू धरि लऽ चलबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि। मो. अकरम मुन्ना जे पेशा सँ पत्रकार सेहो छथि ओ अपन मातृभाषा मे प्रकाशित पत्रिका देखि खूब प्रसन्नता व्यक्त करैत एकरा घर-घर धरि पहुँचेबाक सब स्तर पर सहयोग देबाक वचन देलनि। मिथिला राज्य अभियानी हेमन्त झा संपादक मंडल सँ अपील केलनि जे मैथिली जिन्दाबाद मे वर्तमान जनजागरण प्रक्रिया सँ स्वराज्य पर पूरा फोकस राखि जन-जन धरि समाचार संप्रेषण करबाक लेल अनुरोध करैत एहि मे अपना स्तर सँ भरपूर सहयोग देबाक वचन देलनि। युवा अभियानी विजय कुमार झा एहि पत्रिका केँ समूचा दिल्ली धरि घरे-घर पहुँचेबाक लेल एकटा विशेष अभियान चलेबाक संकल्प लेलनि। डा. संतोष भारद्वाज अपन मातृभाषा मे एतेक सुन्दर कार्य दिल्ली मे होएत देखि उत्साहित होयबाक बात कहलनि। संगहि ओ अपन विशेष प्रयास सँ आरो तकनीकी पक्ष मे सुधार आनि अपन मिथिलाक जनमानस सँ जुड़बाक नीति पर कार्य करबाक लेल जोर देलनि। भवन ठाकुर, रामचन्द्र झा, राम बाबु सिंह, अमरकान्त झा व अन्य वक्ता लोकनि सेहो अपन-अपन भावना आ सल्लाह-सुझावक संग एकर वितरण मे सहयोग देबाक वचन देलनि।
संपादक किसलय कृष्ण एवं सह-संपादक हरि शंकर तिवारी सहित प्रबंध संपादक राम बाबु सिंह, व्यवस्थापक शरत झा, सल्लाहकार हेमन्त झा, डिजाइन व प्रिन्ट कमल मोहन ठाकुर, प्रसारः विमलजी मिश्र व विजय कुमार झा एवं अन्य कार्यदल सदस्य सँ सब कियो परिचित भेलाह। ई पत्रिका आगाँ कोना प्रकाशित आ प्रसारित कैल जायत ताहि पर सामूहिक विमर्श कैल गेल। उपस्थित अभियानी लोकनि सेहो बैढ-चैढकय एकर वितरण ओ प्रसार-प्रचार करबाक भार ग्रहण कएलनि।
तदोपरान्त पहिल प्रयोगांक केर विमोचन वरिष्ठ अभियानी लोकनि शिशिर कुमार झा, कृपानन्द झा केर संग-संग उपस्थित डा. करीम, अकरम मुन्ना, डा. संतोष भारद्वाज, बबीता झा, कुमार आशीष, हेमन्त झा, सुनीत ठाकुर, राम बाबु सिंह, शरत झा, रोहित यादव, ब्रजेश कुमार झा, राजेश कुमार सिंह, श्रीचन्द कामत, भवन ठाकुर, रामचन्द्र झा, आनन्द मोहन, मोहन राज झा, बैजू बावरा, विजय कुमार झा, आनन्द भूषण झा, अमर कांत झा, सजन कुमार झा, आनन्द कुमार पुष्पम्, आदित्य भूषण मिश्र, गौरव कुमार झा, भारत भूषण राय, पंकज प्रसून, पंकज कुमार झा, हरि शंकर तिवारी, किसलय कृष्ण, कमल मोहन ठाकुर एवं प्रदीप झा सहभागी भेलाह।
विमोचन उपरान्त प्रो. कृपानन्द झा, शिशिर कुमार झा, भवन ठाकुर, डा. संतोष भारद्वाज व अन्य वक्ता लोकनि प्रस्तुत अंक केर समीक्षा करैत कहलैन जे दिल्ली सहित समस्त मिथिला लेल ई पत्रिका वर्तमान आन्दोलनक मुखर आवाज बनत। एकर गुणस्तर केँ बढेबाक लेल विभिन्न सुझाव सब देल गेल जाहि पर संपादक मंडल ऐगला अंक सँ कार्यनीति बनेबाक वचन देलनि।
विमोचन समारोह मे उपस्थित युवा मैथिली कवि आदित्य भूषण मिश्र द्वारा अपन किछु रचना सब प्रस्तुत कैल गेल। बखरा बाँटयवला आ इन्टरव्यु लेल तैयार छी, ई दुनू कविता उपस्थित जनमानस केँ खूब गुदगुदी लगेलकनि। अन्त मे अध्यक्षीय भाषण करैत प्रो. अमरेन्द्र झा एहि पाक्षिक केर सफलता वास्ते सब सँ अपील करैत घर-घर एकरा पहुँचेबाक काज पर जोर देलनि।