अहूँ चलू मिथिला राज्य निर्माण यात्रा ४ पर मिरानिसे केर संग

दरभंगा, अगस्त ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली जिन्दाबाद केर विशेष प्रस्तुतिः मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा मिथिला राज्य निर्माण यात्रा ४ केर परिप्रेक्ष्य विशेष रूप सँ फोटो फीचर सहित प्रस्तुत

प्राचीनकाल सँ आइ धरि प्रचूर इतिहासक संग जीबित मिथिला केँ आगुओ जीवन देबाक लेल भारतीय संघ मे राज्य रूप मे स्थापित कैल जेबाक अभियान गाम-गाम मे जा रहल अछि। २०१३ मे स्थापित युवा जन मैथिल केर समूह ‘मिथिला राज्य निर्माण सेना’ समस्त मिथिलावादी केँ एकत्रित करैत प्रत्येक जिला आ गाम केर यात्राक दौड़ २०१३ मे सम्पन्न पहिल ३ यात्रा केर उपरान्त २०१६ केर अगस्त ६ सँ पुनः आरम्भ केलक अछि। आउ, एहि बेरुक यात्रा मे मिरानिसे द्वारा कोन ठाम कि सब गतिविधि कैल गेल तेकर एकटा व्योरा राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा द्वारा प्रस्तुत अपडेट सँ जानकारी ली।

अगस्त ६, २०१६ – समय ११ः३० बजे विहान कालः 

mrny2यात्रा लेल संपूर्ण तैयारीक संग समस्त यात्री लोकनि श्यामारूपी जानकीक समक्ष आबि हुनकर चरणक फूल लैत यात्रा संकल्प कय निकैल पड़ैत छथि। राजेशजी अपन फेसबुक सँ भगवतीक प्रांगण केर एक फोटो, मिरानिसे केर बैनर व यात्रीक समूह केँ देखबैत अपन भावना रखैत कहैत छथि, “जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे। मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा आहूत ‘मिथिला राज्य निर्माण यात्रा 4’ श्यामा माई केर दर्शन कय केँ शुरू भ चुकल अछि। अगिला पड़ाव टेकटार अछि। जय मिथिला जय जानकी।”

mrny1यात्रा मे मिरानिसे केर प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर सहित राजेशजी, टुनटुनजी, बटोहीजी आदि यात्रा आरम्भ करैत छथि। सब कियो एकटा खुबसुरत मारुति एस्टीम कार मे बैसि भगवती जानकी केँ हृदय मे धारण कय मिथिला यात्रा पर निकैल पड़ैत छथि। मोन मे एक्के टा बात – कतय जायब, कि बात करब आ कोना अपन मिथिलाक जन-गण-मन केँ अपन स्वराज्य लेल भावना सँ ओत-प्रोत करब। लोक केँ बुझल तऽ सब बात छैक, परञ्च अन्ठेने जे अछि से जगायब कोना। आर कारवाँ निकैल पड़ैत अछि रनरनाइत एनएच ५७ होएत टेक्टाइर केर रूट पर! उपरोक्त घोषणा केँ देखैत समस्त मिथिलाप्रेमी मे नव उत्साह केर संचरण होएत अछि, शुभकामना देनिहारक बुझू जे धरोहिया लागि जाएछ। एक रविन्द्र चौधरी प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर नेतृत्वक्षमताक प्रशंसा करैत आगामी क्रान्ति लेल गद्गद् हृदय सँ अपन भावना प्रकट करैत छथि, सब कियो एहि मुहिम मे संग रहबाक वचन दैत अछि। यात्रा बढैत रहैत अछि।

अगस्त ६, २०१६ – समय १२ः४५ बजे, स्थान टेक्टाइर गाम

mrny3यात्री लोकनि अपन परिचित सूत्र सबहक माध्यम सँ टेक्टाइर गाम मे बैसार बीच पहुँचैत छथि। सबहक खूब स्वागत सत्कार कएला उपरान्त यात्राक उद्देश्य पर चर्चा आरम्भ होएछ। दरभंगा मे राष्ट्रीय महाधिवेशन केर टार्गेट सब केँ देल जा रहल अछि। जन-गण-मन मे मिथिला राज केर तत्त्व प्रवेश करेबाक लेल जागरण पसारबाक विनती कैल जाएछ। वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे समाजक कल्याण आ हित या विकास केर कोनो सोच नहि रहि जेबाक नीति सँ पर्दा उठायल जाएछ। अपन स्वराज्य केर फायदा पर प्रकाश देल जाएछ। आर फेर राजेश झा द्वारा एहि गाम-समाज केँ जोड़बाक भार ग्रहण कएनिहार विनय व अविनाश केर नाम घोषणा कैल जाएछ। हुनका लोकनिक प्रतिबद्धता जे कम सँ कम १०० सदस्य एहि मुहिम संग जोड़ब आ दरभंगा केर महाधिवेशन केँ अपार सफलता देब तेकर बोध होएछ। ग्रामीण लोकनिक संग-संग देश-विदेश मे पसरल सब मैथिल एहि तरहक यात्रा केर भरपूर सराहना कय रहल छथि, सब अभिव्यक्त कय रहल छथि जे ई अत्यन्त आवश्यक अछि। फेर सब कियो ‘जय मिथिला – जय जानकी’ केर सामूहिक नारा लगबैत कारबाँ केँ आगाँ लेल विदा करैत छथि।

अगस्त ६, २०१६ः समय – २ बजे अपराह्न

mrny4यात्राक अत्यन्त महत्वपूर्ण ध्येय जे प्रदेश समिति केँ सेहो विस्तार देबाक अछि, एहि मुहिम मे सक्षम नेतृत्वकर्ता लोकनि केँ सेहो जोड़ैत चलबाक अछि – एहि सब सोच संग यात्री लोकनि पहुँचि जाएत छथि बिस्फी केर पूर्व विधायक श्री हरिभूषण ठाकुर केर पास आ हुनका सँ अपन उद्देश्य कहला उपरान्त हुनक आह्लादकारी वचन सुनि गद्गद् भऽ जाएत छथि। राजेश झा पुनः अपन अपडेट मार्फत जानकारी दैत ओहि आह्लाद केँ शब्द मे एना संयोजन करैत लिखैत छथि, “संगठन केर प्राण शक्ति होइ छै नेता। एहेन नेता जिनक नाम स आकृष्ट भ कय लोक सहजे संगठन स जुड़ाव बुझै। आजुक दिन मिरानिसे के लेल ऐतिहासिक अछि। ‪‎बिस्फी‬क पूर्व विधायक, संपूर्ण मिथिला में लोकप्रिय बलशाली आ कर्मठ व्यक्तित्व केर धनी श्री हरिभूषण ठाकुर ‪उर्फ ‎बचौल‬ आइ ‎मिरानिसे‬ केर सदस्यता ग्रहण कयला। संगहि जोरदार ढंग सँ मिथिला राज्य केर मांग केँ समर्थन केला। आगामी 8-9 नवम्बर केँ आहूत विशाल आमसभा लेल हर तरहक सहायता के आस्वासन दैत बचौल भाई कहला जे गोली चलाब पड़ैक या गोली खाय पड़ैक, हम दुनू लेल सदैव तैयार छी। मिरानिसे मिथिला अध्यक्ष श्री रंगनाथ ठाकुर केर आग्रह पर बचौल भाई मिरानिसे प्रदेश समिति केर सदस्य बनै लेल सेहो सहमति देलाह।
जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

यात्रा मे सेहो सहभागी वरिष्ठ सेनानी शंकर नाथ झा उर्फ बटोही भाइ सेहो अपन उद्गार रखैत कहलैन जे बचौल भाइ सन् कर्मठ नेता केर जूड़ला सँ मिथिला राज्य निर्माण केर किछु संगठन के लोक जे मिथिला राज्य केँ अपन दुकानदारी बुझैत छथि हुनका सबहक छाती पर साँप लोटय लागल अहि से बर्दास्त करु एखन त शुरू भेल अछि, समस्त मिथिलांचल स सब पार्टी सब जाति केर लोक जुड़त, अपने लोकनि अगर मिथिला राज्य आत्मा सँ बनाबय चाहैत छी त अपने लोकनि अपन दुकान केँ बन्द कय मिरानिसे सँ जूड़ि जाउ। और कोनो एहन टिप्पणी नही करु जाहि स खुद केर छिछा लेदर हुअय।” ई चेतावनी वास्तव मे ओहेन लोक लेल अछि जे मिथिलाक नाम तऽ भजबैत छथि मुदा कोनो तरहक कार्य बढेबा मे यथार्थतः कोनो रुचि, समर्पण या त्याग नहि देखबैत छथि। मिथिला आन्दोलनक दोकानदार असल मे एहि प्रवृत्तिधारी केँ कहल जाएछ।

अगस्त ६, २०१६ः समय ३ः१५ बजे

mrny5aराष्ट्रीय महासचिव पुनः अपन फेसबुक स्टेटस सँ जानकारी करबैत कहैत छथि, “मिरानिसे निर्माण यात्रा 4 घोघराहा पहुँच चुकल अछि। सहसपुर पंचायत केर लगातार तेसर बेर निर्वाचित मुखिया श्री अरुण कुमार श्रीवास्तव मिरानिसे केर सदस्यता ग्रहण केला। क्षेत्र में काफी लोकप्रिय छथि। अरुण भाई मिरानिसे आहूत 8-9 नवम्बर जनसभा लेल 100 सदस्य बनेबाक जिम्मेदारी लेला है। एहने-एहेन जनप्रिय लोक केर नेतृत्व देने मिथिला राज्य केर मांग सहरज़मीन पर ठाढ हैत। श्रीवास्तव जी के मिरानिसे में हार्दिक स्वागत अछि। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

स्पष्टे अछि जे मिरानिसे यथार्थ धरातल पर सशक्त नेतृत्व देनिहार आ अपन समाजक संग राज्य-देश सब लेल सोच रखनिहार केँ आब ई भार आ नेतृत्व सौंपि रहल अछि जेकरा सँ मिथिला राज्य स्थापना केर सपना पूरा होयत। यात्रा मे ओना तऽ आरो जनसमुदाय सब सँ भेट करैत कार्य करबाक आवश्यकता बेसी छैक, परन्तु एकटा युवा अभियान आ सेहो अपन लुक्खी प्रयास मे प्रारंभ एहि तरहें कयलक अछि ई अत्यन्त प्रशंसा योग्य छैक। बेर एतैक जहिया मिरानिसे सेहो रोड शो कय सकत, गाम-गाम जनसभा कय सकत आर जनजागरण केर स्तर मे निरंतर सुधार करैत रहत।

अगस्त ६, २०१६ः समय ४ः१० बजे, स्थान पुपरी

mrny5यात्रा क्रमशः आगू बढैत आब पुपरी पहुँचि चुकल अछि। एतय पूर्वहि सँ संकलित विभिन्न नेतृत्वकर्ता सब संग फोन पर भेटबाक समय लैत यात्री लोकनि निर्धारित स्थान पर भेंटघांट आरम्भ करैत छथि। बात रखबाक लेल एकटा फिक्स्ड फरमेट छैक। बेसी बाजबाक आवश्यकतो नहि पड़ैत छैक। आखिर स्वराज्य कोनो एक गोटाक स्वार्थ वा कोनो समूह समुदाय विशेष लेल नहि भऽ आम जनमानस केर आवश्यकता थिकैक। अतः सब कियो किछेक औपचारिक वार्ता सँ उद्देश्य सँ परिचित भऽ जाएत छथि आर बेर छैक अपन समर्पण सँ मातृभूमिक प्रति तैयार होयबाक – तखन राजेश झा पुनः अपन अपडेट सँ उत्साह भरल जानकारी दैत कहैत छथि, “धनंजय चौधरी जी पुपरी में रहै छथि। राजबाग युवा संस्थान पुपरी के अध्यक्ष छथि। संगहि पुपरी-सुरसंड-चोरौत क्षेत्र में सबसे प्रख्यात कृषक समूह केर सेहो नेतृत्व प्रदान करैत छथि। धनंजय भाई किसानी स जुड़ल आम कृषक वर्ग केर समस्या केँ उठेनहार लोक केर रूप में चर्चित छथि। धनंजय भाई आइ आधिकारिक रूप सँ मिरानिसे केर सदस्यता ग्रहण केला। संगहि 100 किसान केँ मिथिला आंदोलन सँ जोड़बाक निश्चय केला है। हिनक नेतृत्व में 8-9 नवम्बर के अहि क्षेत्र सँ विशाल जनसमूह मिरानिसे केर जनसभा में सम्मिलित हैत। हिनक हार्दिक स्वागत अछि मिरानिसे परिवार में। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

mrny6पुपरी पैघ बाजार छैक – यात्री लोकनि केँ आरो व्यक्तित्व सब सँ भेटबाक प्रेरणा देश भरिक सेनानी लोकनि द्वारा आयल छन्हि। दिल्ली सँ हेमन्त झा अलग, संजीब सिन्हा अलग, राम बाबु सिंह अलग आर सोशल मीडिया सँ जुड़ल एहि अभियान केर समर्थक लोकनि अपना-अपना तरहें विभिन्न व्यक्ति लोकनिक सम्पर्क सूत्र दैत आबि रहला अछि। ताहि अनुरूपे आब यात्री लोकनि पुपरी मे आरो भेंटघांट करबाक लेल बढैत छथि। संध्याकाल लगभग ६ बजे राजेश जी अपडेट लगबैत जानकारी दैत छथि, “पुपरी में ब्रजेश कुमार जालान भाइ सँ भेंट भेल। मिरानिसे केर पुरान सहयोगी छथि। बकौल ब्रजेश भाइ मिरानिसे आहूत 8-9 नवम्बर विशाल जनसभा में पुपरी सँ लोक केर हिस्सेदारी उम्मीद स बढ़ि कय हैत। पुपरी तन, मन आ धन स मिरानिसे केर सहयोग करत। बहुत पैघ आस बन्हल। मैया जानकी एहेन भाइ सबकेँ जोश बरकरार राखथि। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

अगस्त ६, २०१६ः समय – रातिक लगभग ९ बजे

mrny7फरीदाबाद सँ सक्रिय सहयोगी भाइ ब्रजेश झा केर क्षेत्र थीक सुरसंड। ब्रजेश भाइ सदैव मिथिला आन्दोलन केँ जमीन पर उतारबाक पक्षधर रहला अछि। हुनकर निर्देशन अनुरूप यात्री लोकनि

आब सुरसंड मे सम्पर्क अभियान संचालन कय रहला अछि। स्वयं राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा सेहो एहि क्षेत्र मे अपन जीवनक किछु समय देने छथि। शिक्षण संस्थान डीपीएस केर संचालन केर जिम्मेवारी सम्हारैत एहि क्षेत्रक लोक केर भीतर रहल जानकीभाव आ मिथिला निर्माण प्रति समर्पण केँ ओ पहिनहु सँ आत्मसात कएने छलाह। आर आइ साक्षात् जानकीक दूत बनिकय अभियान मे आयल छथि।

ओ अपन अपडेट मे लिखैत छथि, “आइ भोर में जहने श्यामारूपी जानकी केर दरबार सँ मिथिला राज्य जनजागरण निर्माण यात्रा केर शुरुआत लेल पहुंचलौं आ कि मैयाक आरती शुरू भ गेल। घरिघंटा बाजय लागल। बुझा गेल जे मैयाक आदेश भ गेल। यात्रा सुफलदायक हैत।

mrny8आजुक अंतिम बैसार सुरसंड, सीतामढ़ी में भेल। सुरसंड केर जिला परिषद भोला भाइ केर नेतृत्व में समाज के प्रत्येक वर्ग केर लोक बैसार में उपस्थित छलाह। पुरजोर आवाज में मिथिला राज्य केर मांग केँ समर्थन भेटल। मिरानिसे आहूत विशाल जनसभा में 100 लोक केर उपस्थिति केर आशीर्वाद केर संग-संग तन, मन और धन केर सेहो सहयोग रहत। सब लोक मिरानिसे केर सदस्यता ग्रहण केला। संपूर्ण मिरानिसे परिवार दिस स हम सब गोटे केँ हार्दिक स्वागत करैत छी। सच अछि अहि आंदोलन केँ मैया जानकी केर आशिर्वाद प्राप्त अछि।
आइ यात्रा केँ आब विश्राम द रहलौं अछि। काइल भोरे पुनः भगवती जनकलली केर सेवार्थ प्रस्तुत हैब हम सब। आइ के यात्रा में श्री रंगनाथ ठाकुर, श्री टुनटुन भाई, श्री शंकर नाथ झा उर्फ़ बटोही भाई और मैथिल सिने स्टार नवीन भाई संग छलाह। हिनके सबके मार्गदर्शन में ई यात्रा चलि रहल अछि। सुरसंड के बैसार लेल ब्रजेश झा भाई केँ कोटिशः धन्यवाद। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

mrny9पुनः भोजन उपरान्त राजेश जी उत्साह सँ भरल एकटा पोस्ट करैत कहैत छथि, “राइत सुरसंड में भोजन के बाद चोरौत केर पूर्व प्रमुख श्री संजय ठाकुर जी सँ पान के दुकान पर भेंट भेल। करीब दू-तीन घंटा तक मिथिला आंदोलन केर विभिन्न आयाम पर घमर्थन केला संजय भाई। उचित-अनुचित बहुत किछ बात सब कहला आंदोलन केर विषय में। हुनक एक बात बहुत प्रासंगिक बुझायल। कहला जे अहि आंदोलन में त हम देखै छी जे अगर एक आदमी बढ़ि-चढ़ि कय काज केनाय शुरू केलक त आन सहयोगी सब केँ द्वेष भावना आबय लगैत अछि। अहि स मनोबल कमजोर होइत अछि। खैर, अंततः मिरानिसे संग सहकार्य करबाक निर्णय केला। मजबूत लोक छथि। स्पष्ट बाजनिहार लोक। मिरानिसे में स्वागत अछि भाई के।”

एहि तरहें यात्राक पहिले दिन बहुत रास महत्वपूर्ण व्यक्ति सब सँ भेंट, बहुत रास संयोजन कार्य पूरा करबाक कार्य आ पुनः विश्राम काल मे किछु सार्थक आलोचना सँ पथ-प्रदर्शन कएनिहार सच्चा निष्ठावान् व्यक्ति सँ सीख सेहो भेटल।

अगस्त ७, २०१६ः मधुबनी

यात्राक दोसर दिन राजेश जी केर अपडेट अछि, “आब मधुबनी पहुँचि चुकल छी। किछ लोक सब स भेंट के बाद किरण देवी जी एत्तय पहुँचब। रामबाबू भाई के द्वारा प्रेरित बहुत लोक ओत्त पहुँचता। आई मधुबनी में मिरानिसे यात्रा 4 अछि। इच्छुक लोक संपर्क क सकै छी। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।” सीतामढी मे यात्रा संचालन हेतु एकटा ठोस रणनीति स्पष्ट देखायल, जखन कि मधुबनी लेल यात्री लोकनि समुचित मार्गदर्शन लेल अनुरोध करैत देखाएत छथि। निश्चित छैक जे कोनो कार्य केँ उचित ढंग सँ पूरा करबाक लेल पहिने सँ मार्गचित्र तय करय पड़ैत छैक, परन्तु बहुत दिवसक बाद जेना नव जोश फेर आयल अछि ताहि लेल राजेश झा स्वयं एक अनुभवी आ परिपक्व नेतृत्वकर्ताक संग-संग समर्पित महासेनानी सेहो छथि। जा धरि दिल्ली क्षेत्र मे रहला, नित्य किछु न किछु महत्वपूर्ण कार्य भेल छल। तहिना आब दरभंगा मे रहि रहला अछि आर वैह जुनून फेर जानकीक कृपा सँ हिनका पर आबि गेल अछि। हम सब आभारी छी, मिथिला निर्माणक ई दोसर भोर भेल कहि सकैत छी।

अगस्त ७, २०१६ः अपराह्न ३ बजे

mrny10दिल्ली मे प्रवास रहि रहल पूर्ण समर्पित अभियानी व स्तम्भकार-लेखक राम बाबु सिंह केर संयोजन मुताबिक मधुबनी मे ठाम-ठाम पर यात्री सब केँ सम्पर्क करबाक छल। राजेश झा केर अपडेट मुताबिक, “मधुबनी क्षेत्र केर प्रख्यात समाजसेविका श्रीमती किरण देवी आई मिरानिसे केर सदस्यता लेलीह। किरण देवी प्रातः स्मरणीय चुनचुन मिश्र केर संग मिथिला आंदोलन में काज केने छथि। जखने नाज़िरपुर में हुनक आवास पर पहुंचलौं – “भीख नै अधिकार चाही, हमरा मिथिला राज्य चाही” – कहि हमरा सबकेँ स्वागत केलीह।

रामबाबू जी के बहुत ग्रामीण हुनक आवास पर उपस्थित छलाह। रामानंद चौधरी, विनोद भाई, गुलज़ार भाई आदि बहुतो लोक मिरानिसे अभियान केर समर्थन में आगू अयबाक बात केलाह। अहि क्षेत्र में किरण देवी जी केर नेतृत्व में सदस्यता अभियान शुरू भ गेल अछि।

हमसब आस्वस्त छी जे मिरानिसे बहुत जल्द कलुआही, जितवारपुर, कनैल, सेरमा, बहारबन, मधवाकोइठ, राज राजेश्वरी डोकहर स्थान आदि क्षेत्र मिरानिसे घर-घर तक अपन पहुँच बना लेतै।

जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

विदित हो जे मिथिला आन्दोलनक ‘हनुमान’ केर रूप मे प्रख्यात चुनचुन मिश्र आब एहि धरा पर नहि छथि, परन्तु आइ हुनकर आत्मा केँ एतेक प्रसन्नता भेटल हेतैन जे हुनकर देखल सपना जे अधूरा रहि गेल अछि से आब पूरा जरुर होयत। जनजागरण अभियान एकरा मंजिल धरि अवश्य पहुँचायत। मिरानिसे केर समस्त यात्री व समर्थक लोकनि केँ ओ महात्मा भरपूर आशीर्वाद देने हेताह। जानकीक प्रसन्नता तऽ सहजहि अकानल जा सकैत अछि।

दोसर दिनक अन्त करैत राजेश झा कहैत छथि, “मिथिला राज्य निर्माण यात्रा -4 केर संग दरभंगा पहुँचि चुकल छी। काइल आ आइ – दुनू दिन मिला कय – अभियान में बीतल समय आब इतिहास अछि। भविष्य के निर्माण हैत इतिहास द्वारा। मिथिला के निर्माण हैत मिरानिसे द्वारा। जय मिथिला जय जानकी जय मिरानिसे।”

समस्त यात्री केँ बेर-बेर अभिनन्दन – अहाँक जोश आ उर्जा सँ एकटा नव इतिहास बनि रहल अछि। एकर महत्व दैविक, आध्यात्मिक, भौतिक – हर रूप मे अविस्मरणीय रहत। जय मिथिला – जय जानकी!! पुनः दोसर यात्राक घोषणा होयत एहि आशाक संग मिथिला राज्य निर्माण सेना केँ बेर-बेर बधाई आ शुभकामना!!