विचार
– राम बाबु सिंह, कलुआही (मधेपुर) – हाल दिल्ली सँ
सन्दर्भः मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा जानकी केर मिथिलाक पुनर्निर्माण सम्बन्धी अभियान आ ताहि लेल जनसमर्थन व जनसहयोग केर अपील
किछु लोक अपन वैभव ऐश्वर्य चल अचल सम्पति पाबि स्वयं में अतेक आत्ममुग्ध भS जाएत छथि कि अपन मानवीय कर्तव्य सँ विमुख भ स्वयं के स्वयंभू आ दोसर के लेल हिनकर मोनक आत्मीयता समाप्त सन देखल जाएत छनि। इतिहास साक्षी अछि कि कतबो प्रभावशाली आ प्रतिभाशाली व्यक्ति जखन कर्तव्यपथ के त्यागि स्वपोषित हित आ समाजविरोधी काज कएलाह हिनकर समूल नष्ट भेल अछि।
हमर आशय अछि हम सब मनुक्ख छी तखन मनुक्खक जे पारिवारिक सामाजिक दायित्व होयत छैक ओकर निर्वाहन करब पहिल प्राथमिकता होबाक चाहि अन्यथा जनम अकारथ भेल चाहे अहाँ कतबो पैघ पाय आ कहबैका छी मुदा मान सम्मान जे भेटक चाहि से कदापि नै भेटत।
क्षमा सँग कहै चाहै छी पाय कौड़ी आ धन्ना सेठ छी ताहि सँ किछु लोक जरूर चिन्हत मुदा समाज में सामाजिक सरोकार नै रखलहुँ तखन केहन सम्मान भेटत सेहो सब जनैत छी? सामाजिक जीवन में जनिका अपन मातृभूमि सँ प्रेम नै छनि वो मनुक्ख भए नै सकैए कारण जाहि माटि पानि में पोसल पालल शिक्षा दीक्षा ग्रहण कएलक वो कियो कोना बिसरि सकैए छथि? पाथड़े हेताह जे जन्मभूमि के चर्चा मात्र सँ हृदय में प्रसन्ताके लड्डू नै फुटैत हेतैनि?
एकटा आरो बात एतय राखय चाहब, चाहे कतबो प्रभावशाली आ धन्ना सेठ छी मुदा शरीर सँ प्राण गेलाक बाद अपन स्वयं प्रियवर घण्टो नै बर्दास्त करत। शरीर के तुरन्त उठाक घरक बाहर राखि देत।निष्प्राण शरीर कोनो काजक नहि रहैत अछि, जेकर छल वो त चलिए गेल किएक त यएह प्रकृति के नियम छैक, यएह परम्परा छैक मुदा अपन अपन धार्मिक संस्कार के द्वारा अलग अलग तरह सँ संस्कार कS देल जाएत छनि। जखन मृतप्राय शरीर के लोक तुरन्त घर सँ बाहर कय संस्कार कय दैत छैक तखन दोसर अहि सँ बहुमूल्य की भ सकैछ सोचु?
घर में सेहो चारु तरफ कचड़ा भड़ल रहैत अछि मुदा फेक में हम सब असमर्थ रहैत छी। एकबेर फेक कय देखु घर संगहि मोन दुनु सुन्दर स्वस्थ आ हल्लुक बुझायत।ठीक ओहिना हमरा सबहक माथाक स्थिति अछि जतय अनावश्यक अनुयोगी विचार सड़ल गलल व्यवस्था सँ अपन दिमागी डिस्क के भरि लेने छी आ अहि कचड़ा रूपी विचार सँ स्वयं के बीमार सँग पूरा समाज के बीमार करैत छी।
तें अहि तरहक कचड़ा मानसिकता बाला विचार के छोड़बाक नितान्त आवश्यक अछि।तखने सामाजिक सरोकार विषय के अपन माथ में भरल जा सकैए आ फेर अहि नव विचार सँग स्वस्थ वातावरण के संचार कय समाज में जन क्रांति आनि मिथिला राज्य पुनर्स्थापना के जे हमर सबहक सपना अछि नियत समय में साकार हएत तकर आशा नै पूर्ण विश्वास अछि।
मिरानिसे के सँग अभियान में सहभागी बनि मातृभूमिक सपूत बनि अपन कर्तव्य के निर्वाहन करू। नव गठित प्रदेश कार्यकारिणी के सदस्य लोकनिक भविष्य के ठोस रणनीति सँग काज कएनाइ शुरू कय देलथि। शुभ कामना भविष्य में मिरानसे के ध्वज सम्पूर्ण मिथिला में फहराबथि। मिरानिसे के अकाउंट नम्बर निचा देल जा रहल अछि।आब अपन अपन सहयोग राशि जमा करा सकै छी। एतय खर्चा आ आमदनी केर हिसाब किताब सेहो ईमानदारी सँ सबहक सोझा समय समय पर राखल जाएत रहत।
जय मिरानसे जय मिथिला जय जानकी।
Mithila Rajya Nirman Sena
Account No.: 1004551030062009
Bank: Uttar Bihar Graameen Bank Bithouli, Darbhanga
IFSC code CBIN0R10001
मिथिला राज्य निर्माण सेना
खाता संख्याः १००४५५१०३००६२००९
बैंकः उत्तर बिहार ग्रामीण बैंक, बिठौली, दरभंगा
आइएफएससी कोडः CBIN0R10001