नेपालक कथित उत्कृष्ट संविधान आ नव विवाद पर सुतिहार

विराटनगर, जुलाई १९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

ramlal sutihaarनेपाल मे एक बेर फेर राजनीतिक उद्वेलन चरम पर पहुँचि गेल कहि सकैत छी। संविधान निर्माण करैत नेपाली काँग्रेस सँ नेतृत्व परिवर्तन करैत देशक प्रधानमंत्री आ मुख्य प्रोफाइल पर नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (एमाले) तथा नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (एकीकृत माओवादी) केर हाथ मे अन्य छोट-छोट दलक समर्थन सँ पहुँचल। परन्तु महीनों बीत गेलाक बादो कोनो उपलब्धिमूलक कार्य नहि होएत देखि – संगहि देश मे असन्तुष्ट पक्ष संग सेहो सब वार्ता आ समाधान सब स्थगित रहल देखि सत्ताक एकटा प्रमुख घटक दल नेकपा एमाओवादी एहि सरकार सँ अपन समर्थन वापस लऽ लेलक अछि। आर, एम्हर अपना केँ राष्ट्र केर हित मे एकलौता सर्वोच्च हितचिन्तक सिद्ध करय मे बेहाल नेता व दल नेकपा एमाले सत्ताक खेल मे एखनहु अपना केँ सूपर पोजिशन पर मानैत अल्पमत मे आबि गेलाक बादो प्रधानमंत्री द्वारा इस्तीफा नहि दैत, नहिये असेम्बली भंग कय नव चुनाव केर घोषणा करैत – राजनीतिक उद्वेलनक स्थिति ठाढ करब पसिन केलक अछि।

एहेन अवस्था मे असन्तुष्ट पक्षक एक नेतृत्वकर्ता विराटनगर केर स्थानीय बुद्धिजीवी वकील आ संगहि राजनीतिक दल सँ सेहो आबद्ध श्री रामलाल सुतिहार जिनकर आलोचनात्मक व्याख्या असन्तुष्ट मधेस व मधेसीक पक्ष मे बात करैत बुझल जाएत अछि, ओ अपन फेसबुक मार्फत पुनः वर्तमान अराजक अवस्था पर चुटकी लैत किछु विचार रखलैन अछि, जेकरा मैथिली जिन्दाबाद केर पाठक लेल राखि रहल छी।

“विश्वक उत्कृष्ट संविधान मे नव सरकार बनेबाक नहि अछि कहाँदैन । हमरा लोकनिक छातीमे गोली ठोकिकय दिपावली मनेनिहार तथाकथित राष्ट्रवादी कहेनिहार एमाले, कांग्रेस आर माओवादीजन! अहाँ सब केँ जे जतेक भेलाक बादो एक थान संविधान नामक कागजक पुलिन्दा जारी कय केँ देश लूटबाक छल, लूटि लेलहुँ। आबो ओहि कागजक पुलिन्दा केँ फेकब कि? सब विचारवान वकील लोकनिक साझा छाता संगठन कहल जायवला कांग्रेस आर एमालेक बन्धक बनाओल गेल नेपाल बार एशोसिएसन द्वारा पर्यन्त उत्कृष्ट संविधान कहैत दिपावली मनाओल गेल छल । आर आब ओही बारकेर वकील लोकनिक अलग-अलग विचार कियैक? ई संविधान त्रुटिपूर्ण रहबाक जिक्र कएनिहार ओ दिपावली मनेनिहार वकील सब केँ लाज लागबाक चाही कि नहि? ई पढल-लिखल वकील सँ त संविधानक विरोध कएनिहार ओ निमुखा, गरीब मधेशी, आदिवासी जनजाति, मुस्लिम, पिछडावर्गक जनता सब बेसी बुझनिहार अछि जे समैये मे त्रुटिपूर्ण संविधानक विरोध केने छल ।”

स्पष्ट कय दी जे नेपालक वर्तमान सरकार अल्पमत मे रहितो वर्तमान संविधान मे नव सरकार गठन लेल स्पष्ट व्याख्या नहि रहबाक कारणे एखन तरह-तरह केर टीका-टिप्पणी कैल जा रहल अछि। जखन कि मधेस व अन्य असन्तुष्ट पक्ष द्वारा आन्दोलनक समय लगभग सब कियो एहि संविधान केँ संसारक सर्वाधिक उत्कृष्ट संविधान हेबाक दावी करैत छल। एतेक तक जे असन्तुष्ट पक्ष केर आन्दोलन केँ दमन लेल राज्य द्वारा सब शक्तिक प्रयोग कैल गेल छल। देशक आन्तरिक सुरक्षा लेल सेना तक केँ खटायल गेल छल। आर, आब जखन सत्ता साझेदार सबहक बीच अपने मे खटपट भेल आ नव सरकार गठनक बेर भेल तऽ सरकार कोन आधार पर चुनायत ताहि लेल एहि तथाकथित उत्कृष्ट संविधान मे कोनो स्पष्ट प्रावधान नहि रहबाक कारण ई हास्यास्पद बनि गेल अछि। जे सब दिपावली मनौने छल ओहो सब आब तरह-तरह केर बात करय लागल अछि। एहि सब पर आंगूर उठबैत श्री सुतिहार अपन तीक्ष्ण टिप्पणी देलनि अछि। आशा करैत छी जे नेपाल मे सर्वपक्षीय सहमतिक बाट खुजत आ सब कियो मिलिजुलिकय एहि देश केँ आगू बढेबाक लेल सहमति बनाओत।