कि फेर आओत कोसी मे महाप्रलयंकारी बाढि?

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जून २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

सहरसा-मानसी रेलखंड पर कोशी केर बाढिक खतरा

saharsa manasi rail line kosiसहरसा-मानसी रेलखंड केर फनगो हॉल्टक एरिया में कोशी नदीक धारा रेलवे ट्रैक केँ कखनो बहा सकैछ हालाँकि अखन नदी में बेसी पानि नहि अछि लेकिन नेपाल क्षेत्र मे भऽ रहल निरंतर भारी वर्षा सँ स्थिति कखनो बिगैड़ सकैछ ।

नदी के कटाव त फनगो हॉल्ट केर निकट रेल लाइन केँ कटान-बहान करैत जल प्रलय के संग एहि रेल खंड केँ ठप कय सकैछ – स्थानीय निवासी आ विज्ञ अनुभवी सब ई चिन्ता व्यक्त कय रहला अछि।
सुखाड़ केर दिन मे रेलखंडक सुरक्षा लेल कोनो व्यवस्था नहि कएल जाएत अछि आओर नवयोजना सब खाली कागजे मे बनाओल जाएत अछि, लेकिन बाढ़िक समय में रेल अधिकारी निरीक्षण केर नाम पर प्रतिवर्ष पैघ-पैघ बजेट राशि केँ गपटगोल करैत छथि – ई आरोप लोक सब रेल प्रशासन पर लगबैत अछि। ओना आइ समस्तीपुर मंडल रेल केर डीआरएम सुधांशु शर्मा द्वारा फेनगो हाल्ट केर पास 47 नम्बर पुल व कोसी केर कटाव जायजा लेलनि। 47 नंबर पुल केर पास कोशी पर भीषण दबाव बनल अछि। मानसी स सलखुआ केर बीच 20 किलोमीटर केर दूरी मे सीमित रफ्तार सँ ट्रेनक परिचालन करबाक निर्देशन देल गेल अछि जाहि कारण सब ट्रेन लेट चलि रहल अछि। डीआरएम मानसी सँ मोटरचालित ट्रॉली मे सलखुआ धरिक सूक्ष्म निरीक्षण कैलनि अछि। हुनका संग कतेको आर और रेलवे अधिकारी मौजूद छलाह।

कोशी मे फेर प्रलयंकारी बाढिक आशंका

saharsa manasi rail line kosi1विगत किछु दिन सँ जाहि तरहें नेपालक कोशी जलग्रहण क्षेत्र मे निरंतर भारी वर्षाक समाचार अछि ओ डराबयवला कहल जाएछ। दिनहुँ एक लाख क्युसेक सँ बेसी गति सँ कोशी मे पानिक बहाव चैल रहल समाचार भेटल अछि। कोशीक पेट मे रहल बहुतो रास गाम डूबान मे पड़बाक खतरा देखैत स्थानीयवासी सुरक्षित स्थान पर बास लऽ लेलनि अछि। २००८ केर प्रलयंकारी बाढि पुनः नहि दोहराय एहि बात लेल सम्बन्धित अधिकारी विशेष चौंकन्ना छथि।