जनकपुर। जून २७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाजसेवी – अभियानी सरोज कुमार मिश्र अपन फेसबुक स्टेटस माध्यम सँ जानकारी दैत कहलैन अछि जे जनकपुर अंचल अस्पताल आकस्मिक सेवामे कार्यरत कर्मचारी सबहक कारी करतूत सोझाँ आयल अछि।
आकस्मिक सेवाक लेल निःशुल्क उपलब्ध कराओल जायवला औषधिक वितरण मे जानि-बुझिकय बाहर सँ कीनेबाक मामिला देखायल अछि। आशंका कैल गेल अछि जे निःशुल्क देल जायवला औषधि सेहो दबाइ दोकानदार सब संग मेल-पाँच कय केँ बाहरे बेचल जाएत अछि, आर एहि तरहें अपन व्यक्तिगत आर्थिक अवस्था सुदृढ़ बनेबाक लेल गरीब जनताक हक-हित केँ मारल जा रहल अछि। बीमार लोक केर लिखल पूर्जा देखबैत आर निःशुल्क औषधिक नाम ओहिमे लिखल देखि श्री मिश्र ई आरोप अस्पताल प्रशासन पर लगौलनि अछि।
एहि सन्दर्भमे तत्काल विकास समिति केर अध्यक्ष डाक्टर नागेंद्र यादब संग बात केला पर ओ स्वीकार कएलनि जे ई कर्मचारीक बदमासी टा थीक, हम सब तऽ औषधि स्टौकमे राखबाक आर आकस्मिक सेवामे देबाक कार्य करैत आबि रहल छी।
तदोपरान्त अस्पतालक मेडिकल सुपरिन्टेन्डेन्ट डा. गौरांग मिश्रा केँ एहि विषय पर जानकारी करेला पर ओ कहलैन जे भोरे जाय हम एहि व्यवस्थाक छानबीन करैत छी, आवश्यकतानुसार एहि मे सुधार आनबाक वचनबद्धता सेहो ओ प्रकट केलनि। श्री मिश्र कहलैन जे एक सामाजिक कार्यकर्ताक रूप मे हमर ई अनुरोध अछि जे यदि अंचल अस्पतालकेँ सुधरल स्थिति मे देखय चाहैत छी तऽ हम आम सेवाभोगी जनमानस केँ सेहो पूरा सचेत होमय पड़त, आर दोषी पर कार्रबाई लेल सेहो विचार करब आवश्यक अछि। अंचल अस्पताल सुधार दिस हम सब अग्रसर होइ, कोनो तरहक त्रुटि पर शीघ्र ध्यानाकर्षण करायब। २०७३/३/२५ गते हम सब ज्ञापन सौंपिकय सुधार कार्य आगू बढायब। सब पक्षसंग सहयोगक अपेक्षा राखैत छी।