मुम्बई मैथिल केँ एकजुट बनेबा मे डा. संदीप झाक भूमिका अहम्

पंकज झा, राष्ट्रीय अध्यक्ष, दहेज मुक्त मिथिला। जुन १४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिल समन्वय समिति संग सम्पूर्ण मुंबई केर वरिष्ठ आ सक्रिय मैथिल एकजुट भेलाह

maithil samanvay samiti mumbai1मुंबई उपनगर कल्याण (शहाड़)में मैथिल समन्वय समिति केर छठम् बैसार में लगभग सम्पूर्ण मुंबई केर वरिष्ठ आ सक्रिय मैथिल समाजसेवी, उद्योगपति, सिनेकर्मी, पत्रकार आदि सब वर्ग केर प्रतिनिधी जुटल छलाह.

बैसार केर विषय छल समितिक संग जुड़ल सब संस्था सँ स्वीकृती, समिति द्वारा वेबसाइट केर लोकार्पण, समिति केर योजना अनुसार वर-बधू परिचय सम्मलेन केर प्रस्ताव पर निर्णय आ आयोजनक समय निर्धारण, तथा, सम्मलेन केर रुपरेखा पर चर्चा.

बैठक केर अध्यक्षता मिथिला नवजीवन समिति ट्रस्ट केर अध्यक्ष श्री मदन झा केलनि. मैथिल समन्वय समिति केर परिकल्पना केँ साकार रूप देबाक लेल मातृभूमि प्रति समर्पणक भावना राखयवाला मिथिला रत्न डॉ संदीप झा प्रमुख भूमिका में अग्रसर छैथ और हिनक संग श्री धीरज चन्द्र झा, श्री जय माधव झा, श्री विमल झा, श्री प्रेम चन्द्र झा आदि समर्पित अभियानी सब जुटल छैथ.

मैथिल समन्वय समिति लेल सदैव अग्रसर रहयवाला श्री रविन्द्र झा, अशोक सिन्हा, कुनाल ठाकुर, पंकज झा, पं धर्मानंद झा, धनंजय झा, विमल झा, अंगद चौधरी, राजकुमार झा, दीपक झा, धर्मेन्द्र झा, प्रो कृष्णा कुमार झा, कृष्णकुमार जी (पत्रकार), रमेश झा, नविन झा, प्रमोद झा आदि बहुत रास समाजसेवी जुटल छलाह. मैथिल समाज केर वरिष्ठ अभिभावक श्री एस सी मिश्र जी, श्री मोहन गंगा मिश्र जी आदि बहुत वरिष्ठ गणमान्य लोकनि सेहो समिति केँ सदैव अपन मार्गादर्शन देबाक लेल प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि.

समिति द्वारा www.maithil.org केर नाम सँ वेबसाइट केर लोकार्पण भेल. एहि वेबसाइट पर वर-बधू केर पंजीयन सेहो होयत, संगहि शिक्षा आ रोजगार सँ जुड़ल जानकारी, मिथिलाक पौराणिक धरोहर केर जानकारी आदि केँ आकर्षक एवं वृहत् रूप मे प्रस्तुत करबाक प्रयास कएल जायत.

एहि वर्ष समिति द्वारा वर बधू परिचय सम्मलेन केर आयोजन सेहो ओक्टुबर में करबाक योजना पर निर्णय लेल गेल. आजुक व्यस्ततम् जीवन में आब एहि तरहक आयोजन केर पैघ जरुरत समाज केँ छैक. घर-कुटमैतीक परंपरा प्रवासक जीवन पर संभव नहि होयबाक कारण एहि तरहक परिचय सभा सँ उचित जोड़ी मिलानक अवसर एक-दोसर केँ ज्ञात होयत.

डॉ संदीप झा जी केर कहब छैन “नहि हमरा वोट चाही, नहि हमरा नोट चाही, हमरा समाजक सहयोग आ समर्थन चाही जाहि सँ समाज लेल कल्याणकारी योजना बनबैत ओकर समुचित क्रियान्वयन लेल हम सब प्रोत्साहित होएत रही.”

ज्ञात हो की हालहि में महाराष्ट्र सरकार द्वारा नासिक संदीप फाउंडेशन केर संदीप यूनिवर्सिटी केँ मान्यता प्राप्त भेल अछि, जेकर संस्थापक-संचालक स्वयं संदीप झा छथि. ई समाचार सम्पूर्ण मैथिल समाज केर लेल गौरव केर विषय थीक. डॉ संदीप झा जी के मैथिली जिन्दावाद के तरफ स ढेरों बधाई. ईश्वर हिनक व्यक्तित्व समान लाखों-लाख मैथिल पुत्र केर जन्म एहि धरा पर दैत रहैथ!!