काठमांडु, जुन ६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारत मे कन्या भ्रुण हत्या, महिला हिंसा, दहेज उत्पीड़ण व लैंगिक विभेद केँ अन्त करबाक महात्वाकांक्षी अभियान ‘बेटी बचाउ – बेटी पढाउ’ सँ जन-जन केँ परिचित करेबाक कार्य लेल भारतक ४ महिला सूपर बाइकर्स द्वारा लगभग १० हजार किलोमीटर सँ अधिक केर यात्रा बाइक सवारी सँ कुल १० देश मे कैल जायत। एकर शुरुआत आइ नेपालक राजधानी काठमांडु स्थित भारतीय राजदूतावास सँ भारतीय राजदूत रंजीत रे द्वारा झंडा देखबैत दूतावास सँ चारू बाइकर्स केँ रवाना कैल गेल अछि। आइ भोरे साढे दस बजे ई यात्रा शुभारंभ भेल अछि।
एहि बाइकर्स समूह मे चारि केर चारू महिला थिकी, जे १० देश मे ‘बेटी बचाउ – बेटी पढाउ’ अभियान केर प्रचार करती। एहि दस देश मे दक्षिण पूर्व एशियाक देश सब शामिल अछि। महिला बाइकिंग क्लब केर ई चारि गोट उत्साही ‘बाइकिंग क्वीन्स’ ई यात्रा कुल ३६ दिन मे पूरा करबाक प्रतिबद्धता प्रकट केली। एहि १० देश मे नेपाल, भारत, भुटान, म्यानमार, थाईलैन्ड, लाओस, कम्बोडिया, वियतनाम, मलेशिया आ सिंगापुर शामिल अछि।
ई समाचार तथा फोटो साभार गोविन्द साह – बीपीकेएफ फाउन्डेशन केर फेसबुक अपडेट सँ प्राप्त भेल अछि।

1 Comment
This is the real freedom and social equality. Mr.Primeminister’s thought to save the femininity and to make her educated will absolutely be a milestone of Women’s security and empowerment.
The result of this compaign will make a absolute change in our societies about women’s equality.
The Compaign should be highly appreciated.