दहेज उन्मूलन राष्ट्रीय अभियान नेपाल द्वारा दमुमि सम्मानित

दहेज मुक्त मिथिला केँ भेटल सम्मान

विराटनगर । १९ मई, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

amsas dmm sammaanभोर – नेपाल संस्था जेकरा द्वारा राजा सलहेश केँ राष्ट्रीय विभूति घोषित कैल जेबाक आ जनकपुर (धनुषा) केँ विश्व धरोहर घोषित करेबाक मांग पर अनवरत हस्ताक्षर अभियान केर संचालन कैल जा रहल अछि, संगहि एकर संस्थापक राज कुमार महतो द्वारा विभिन्न अभियान जाहि मे बाल विवाह आ दहेज प्रथा विरुद्ध अभियान सेहो समाहित अछि, हिनका लोकनि द्वारा ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर प्रयास केँ सराहना करैत सम्मान पत्र सँ सम्मानित कैल गेल अछि।

१४ मई, शनि दिन, विराटनगर मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सामाजिक अभियन्ता सम्मेलन २०१६ केर उद्घाटन सत्र उपरान्त दोसर सत्र मे युवा अभियानी राज कुमार महतो द्वारा निरंतरता मे राखल गेल अभियान पर प्रकाश देल गेल छल। संगहि, राजकुमार जी व हुनक संस्था एहि सम्मानित मंच पर दहेज मुक्त मिथिला केँ सम्मान पत्र सँ सम्मानित करबाक घोषणा कएलनि। ई सम्मान दहेज मुक्त मिथिला – नेपाल केर संस्थापक अध्यक्ष एवं कार्यक्रमक सभाध्यक्ष करुणा झा व अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी केँ राज कुमार महतो द्वारा हस्तान्तरित कैल गेल।

जनतब भेटय जे दहेज मुक्त मिथिला माँगरूपी दहेज केर प्रतिकार हेतु स्वैच्छिक संकल्प करबैत अभियान केँ निरंतरता देने अछि, संगहि मिथिला केर अमूल्य भाषिक-सांस्कृतिक-ऐतिहासिक-सामाजिक धरोहर केर संरक्षणार्थ विभिन्न आयोजन करैत जनजागरण करैत आबि रहल अछि। नेपाल आ भारत दुनू दिस पंजीकृत ई संस्था बिना कोनो सरकारी सहयोग केँ मात्र आ मात्र स्वैच्छिक स्वयंसेवाक बदौलत अपन विभिन्न अभियान संचालित करैत अछि। दहेज मुक्त विवाह कएनिहार केँ सम्मानित करैत अछि। वैवाहिक कार्यक्रम पर कम सँ कम खर्च करबाक आह्वान करैत अछि। संगहि, गरीब-असहाय आ प्रवासक क्षेत्र मे अपन मिथिलावासी केँ कोनो तरहक मानवीय सहयोग लेल सेहो स्वयंसेवा प्रदान करैत अछि।

नामहि सँ उद्देश्य स्पष्ट होयबाक बाद कार्यरूप भाषा आ संस्कृति पर केन्द्रित होयब ओना तऽ बहुतो केँ विस्मित करैत अछि, परन्तु उद्देश्य प्रति जन-गण-मन केर ध्यानाकर्षण लेल काजक केन्द्र एहि नारा सँ इतर धरोहर पर केन्द्रित होयबाक बात जे बुझि पबैत अछि ओ फेर एहि अभियानक अभिन्न अंग बनि जाएछ। सम्मानित भेलाक बाद अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक ई भाव स्पष्ट करैत सम्मानित कएनिहार संस्था बाल विवाह एवं दहेज उन्मूलन राष्ट्रीय अभियान तथा एकर संयोजक राज कुमार महतो केँ धन्यवाद व्यक्त केलनि।