साक्षात्कारः मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्याम सुन्दर झा संग
– प्रकाश कमती, मुम्बई। मई १, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला में एखन पंचायती चुनाव केर तांडव चरम पर अछि, मिथिला राज्य निर्माण सेना सेहो अपन पुरना जोश आ जज्बा सँ एकबेर पुनः आंदोलित होएत अपन मिथिला राज्य केर संघर्ष सँ जन-जन केँ परिचित करेबाक लेल प्रयास शुरु करबाक लेल आब-तब मे लागल अछि। आउ मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री श्याम सुन्दर झा संग भेल किछु चर्चा सहित हुनकर एक साक्षात्कार एतय पढैत छी।प्रकाश :- अहाँक संछिप्त परिच देल जाऊ…?
श्याम सुन्दर झा :- हम श्याम सुन्दर झा ग्राम +पो 0-बिठौली, बहेड़ी, दरिभंगा केर निबासी छी । पिता स्व0 सुभ कान्त झा गृहस्थ छलाह संगहि सोझमतिया सेहो ताहि ल’क’ दाव पेंच सँ दूर रहलहुँ । 1986 में मैथिली ऑनर्स बीए मारवाड़ी कॉलेज सँ कए1986-89 LLB कएल दरिभंगा सीएम ला कॉलेज सँ । 84 सं नेहरू युवा क्लब संचालित कए बहुतो रास प्रशिक्षण कार्यक्रम चलाओल जाहि में “मिथिला पेंटिंग, सिलाई प्रशिक्षण, दमकल मिस्त्री प्रशिक्षण, बिजली मिस्त्री प्रशिक्षण आदि – आदि केर संचालन कय युवा मैथिल समाज केँ स्वरोजगार एवं कृषि क्षेत्र मे आगू बढबाक विभिन्न स्वयंसेवा सब करबाक अनुभव समेटने छी।
प्रकाश :- मिरानिसे अर्थात् मिथिला राज्य निर्माण सेना जेकर अहाँ राष्ट्रीय अध्यक्ष सेहो छी, एकर वर्तमान अवस्था कि अछि? आर पंचायती चुनावक समय में जनजागरण सँ मिथिला राज्य केर विषय पर आम जनमानस केँ बुझेबाक लेल कोन तरहें प्रयास कएल जा रहल अछि…?
श्याम सुन्दर झा :- मिरानिसे 2013 में बनल आ 15 में गतिहीन भेल जाहि सँ हमहुँ उदासीन भए बैसि रहल छी । हम अध्यक्ष पद सँ सेहो निबृत होमए चाहलहुँ मुदा संजय मिश्र जी रोकि देलन्हि जे समय आबए दियौक । (अर्थात् मिरानिसे वर्तमान समय मे पूर्ण निष्क्रिय आ बिना कोनो अभियान संचालन कएने बस नाम केर जीबि रहल अछि।)
प्रकाश :- चुनावक गहमा-गहमी में प्रचार-प्रसार तs चरम पर होएत छैक एना में मतदाता केर आकर्षित करबाक लेल प्रत्याशी लोकनि पम्पलेट, बैनर, पोस्टर में अपन भाषा मैथिली केर कोन तरहें स्थान देलनि छथि….?
श्याम सुन्दर झा :- पंचायत चुनाव मे कोनो तरहक गतिविधि MRNS द्वारा नहि चलैछ । ओना चुनाव प्रचार मे कैसेट मैथिली मे सभतरि अबश्य बाजि रहल छैक।
प्रकाश :- सुनबा में आयल जे मिरानिसे केर कार्य गति पंचायती चुनावक पश्चात पुनः पटरी पर शीघ्र आओत, अहिं सँ अहाँ कतेक सहमत आ संतुष्ट छी….?
श्याम सुन्दर झा :- हँ, चुनाव बाद MRNS लेल काज होएत । जहांधरि संतुष्टी केर प्रश्न छैक से नहि छी । कारण जे जाहि उद्देश्य सँ MRNS केर स्थापना भेल से सफल नहि भेल । मैथिल स्वभावहिं सँ स्वाभिमानी, स्वहितपोषी आ अहंकारी होइछ, जाकर प्रमाण संस्था दर संस्था बनल देखल जाइछ । हमर नाम चमकए ताहि हेतु उताहुल रहैछ । (अपवाद सभतरि )।
प्रकाश :- अहाँ मिरानिसे केर सबसँ उच्च पद पर आसीन छी तैं अहिं मैथिल हितैषी संस्था संग अपन किछु बीतल अनुभव साझा कएल जाऊ जाहि सँ पाठक लोकनि सेहो संतुष्ट हेताह…?
श्याम सुन्दर झा :- मिरानिसे बनल 2013 मे । ओही साल राम नरेश आ राजेश राय गाम मे सभा कएलन्हि जाहि मे हमरहु भागीदारी रहल । PNC भाइ सेहो कएक बेर बिठौली अएलाह । हमरा आत्मा में मिथिलाक प्रति भाव छलहे से सक्रीय भेलहुँ । अध्यक्ष रहितहुँ किछु काज एहन भेल जे नहि होएबाक चाही छल । काज होएत रहए से सोचि गुम रहलहुँ, बुझबा मे आबि गेल छल जे संस्था आगाँ बढ़ए से समझौता करैत रहलहुँ । मुदा हमरे सनक सभ नहि छलाह जाहि सँ MRNS टूटि गेल । गाम मे लोक भारा पर भेटैछ । सभ खर्च दियौक तखन संगे जाके उपकार कए देताह ।
प्रकाश :- मिथिला राज्य आंदोलन ऊपर अहाँ केहन सोच राखैथ छी आ अहि आंदोलन लेल कोन तरहक योजना, दृष्टिकोण बनाओल जेबाक आवश्यकता बुझना जाएत अछि ताहि पर अपन किछु विचार देल जाऊ…।
श्याम सुन्दर झा :- मिथिला राज आंदोलन केँ भविष्य उज्ज्वल छैक । लोकक प्राथमिकता रोजी-रोटी छैक जे स्वाभाविके । जनजागरण केर आवश्यकता छैक । लोक केँ बुझबए परत जे मिथिला राज किएक ? शिक्षित लोक जल्दिए बुझैछ चाहे ओ कोनो जाति के हो ।
प्रकाश :- मिथिला केर वर्तमान अवस्था पर किछु विचार देल जाऊ….।
श्याम सुन्दर झा :- अखन मिथिला में ढेरी-ढाकी संस्था छैक । कहबा लेल सभक उद्देश्य एक रहितहुँ आपसी मनमुटाव एकत्रित होमए में पैघ रूकावट । अहि मे अहं आगि मे घी केर काज करैछ । हम कोनो काज करब ताहि मे सहयोग सभ करथि मुदा नाम आ फोटो हमर चमकए, अहि प्रवृत्ति केर लोक बेसी छथि जाहि सं आंदोलनक अपूरणीय क्षति भए रहल अछि । मैथिल के सोचए परत जे पहिने केर गलती सँ सिखैत आगाँ बढी जाहि सँ गंतव्य सुरक्षित आ सुगम होअए ।
जय भवानी ।
बड्ड सुन्नर मिरानिसे अध्यक्ष महोदय, अपन बहुमूल्य समय मैथिली जिंदाबाद कए देलौं ताहि हेतु सहृदय धन्यवाद ज्ञापित करैत छी। जय भवानी। जय मिथिला।

2 Comments
Bahoot nik vichar…
mrns fer sa appan gati pakraI se ummid achhi aagu maiya janki ke kripa muda shyam sir ke agutai me mrns nik kaj karat se pakka achhi jai mithila
मैथिल मिथिला आ मैथिली पर मिरानसे के राष्ट्रीय अध्यक्ष के साक्षात्कार बहुत निक लागल। हिनकर स्वच्छता आ अंतर्मन सँ राखल गेल विचारक पक्षधर हमहू छी। एकजुटता के घोर आभाव, वर्चस्वता के विकास, मैथिल हित सँ पहिने स्वहित आर अहंकार ई सबके सब प्रमुख अड़चन अछि जे स्वयं के द्वारा बनाएल गेल अछि। सम्भव अछि मुदा मिथिला हित के लेल पहिने अन्तर निहित स्वार्थ पर विजयी होबक अछि फेर जे चाहबै सब भेट जएत। मैथिलि जिन्दाबाज पर साक्षात्कार के निक प्रस्तुतिकरण हेतु भाई प्रकाश कमती, प्रवीण जी आ श्याम सुन्दर झा जी केर बहुत बहुत आभार।