आपबीतीः ट्रेन केर जेनरल सफर सेहो भेल महंग

अप्रैल १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

delhi station bheerआय सँ किछु दिन पहिने हम नई दिल्ली स्टेशन पर एक लड़का के चढाबय गेल रही। इमरजेन्सी मे गाँव जाय के छल हुनका। टिकट नय मिलला पर जेनरल स जाय के प्लानिंग भेल। प्लेटफार्म पर पहुँचला पर बहुत लोक सब बहुत देर स लाइन मे लागल छल। हम कोशिस केलौं कि हमहुँ लाइन मे शामिल भऽ जाय। लेकिन लोक सब नय होमय देलक। इम्हर पूलिसवला सब १०० टाका मे लाइन मे लगबैत छल। आ पूलिस के आदमी ट्रेन के गेट पर १०० टाका मे लोक सब के अन्दर करय छल। फेर अन्दर मे १०० टाका देला पर शीट मिलय छल। पाइ नय देला पर पिटय छल बुरी तरह सँ। हम तऽ अपन बिहारीपनी देखाकय बैच गेलौं, मुदा आर सब नय बचल। धन्यवाद!!

– महेश कुमार यादव (ईमेलः [email protected])

नोटः अहाँ सेहो ‘सम्पर्क करू’ बटन क्लीक कय केँ अपना संग घटल कोनो घटना एतय प्रकाशित करा सकैत छी।

मैथिली जिन्दाबादक अनुरोध

घूस लेब आ देब दुनू अपराध थीक। एहेन कोनो इमरजेन्सी लेल यात्राक विकल्प पर सेहो स्वयं विचार करू। संभव हो तऽ आनन्द विहार स्टेशन वा अन्य स्टेशन जतय भीड़ कम भेटत ताहि ठाम सँ गाड़ी पकड़ू। एहि गाड़ी मे नहि होयत तऽ कनीकाल इन्तजार करैत दोसर गाड़ी मे चढबाक योजना बनाउ। अहाँ स्वयं बिहारीपना देखायब तऽ पाइ खर्चाक संग-संग अनावश्यक पिटाइ सेहो खाएब। एहि सब तरहक अवस्था बनय तऽ चुपचाप अगल-बगल सँ फोटो खींचिकय एहेन अपराधिक गतिविधि मे सहभागी पूलिसकर्मीक शिकायत करू। स्टेशन मैनेजर आ अन्य अधिकारी तक अपन शिकायत पहुँचाउ। जागरुक उपभोक्ता बनू!