मिथिला रत्न सम्मान सँ बढल आत्मसम्मानः रैफ अधिकारी अश्विनी झा

शिव कुमार झा, जमशेदपुर। मार्च २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

ashiwini jhaमिथिला सांस्कृतिक परिषद् – जमशेदपुर एवं झारखंड मिथिला मंच – राँची द्वारा रैफ अधिकारी अश्विनी झा जिनका एहि वर्ष २०१६ केर लार्ड बेडेन पावेल सम्मान भारतक राष्ट्रपति महामहिम प्रणव मुखर्जीक हाथ सँ देल गेलनि तिनका क्रमशः मिथिला विभूति एवं मिथिला रत्न सम्मान यैह अप्रैल २ आ ३ तारीख जमशेदपुर एवं राँची मे हस्तान्तरित करबाक निर्णय लेल गेल अछि।

विदित हो जे अपन ईमानदार सेवा आ समर्पण सँ रैपिड एक्शन फोर्स केर अधिकारी नक्सल प्रभावित छत्तीसगढ आर आब झारखंड मे निरन्तर कार्यरत छथि। हुनकर समर्पण केँ राष्ट्रीय स्तरक सम्मान सँ मैथिल समाज अत्यन्त उत्साहित अछि। मिथिला विभूति व मिथिला रत्न सम्मान विभिन्न समाजसेवी संस्था द्वारा एहने सपुत केँ देल जाएत रहल अछि। अश्विनी झा एहि निर्णय पर प्रसन्नता व्यक्त करैत सम्मान देनिहार संस्था केँ धन्यवाद प्रकट केलनि अछि। ओ कहलैन अछि जे राष्ट्र स्तर पर भलेहि अहाँ सम्मानित होउ, जाबत घर मे सम्मानित नहि होयब ताबत आत्मसम्मानक असल मर्म सँ परिचित नहि भऽ सकब। ई घरक सम्मान हमरा लेल राष्ट्र स्तरक सम्मान सँ आरो बेसी महत्वपूर्ण अछि। अपन मातृभूमि आ मूल संस्कृतिक रक्षा करब सेहो हमरा लोकनि परम कर्तब्य होएछ, आर एहि लेल हम सदा-सदा समर्पित भावना सँ कार्य करैत रहब। घरक सेवा, परिवारक सेवा, गामक सेवा आ देशक सेवा – सेवा मात्र हमर कर्म थीक आर एहि लेल अपन ईमानदारिता व निष्ठा संग कहियो कोनो समझौता नहि करब, श्री झा मैथिली जिन्दाबाद संग अपन भावना किछु एहि तरहें व्यक्त कएलनि।

मैथिली जिन्दाबाद परिवार दिस सँ श्री अश्विनी झा केँ बहुत रास शुभकामना आ सम्मान लेल बधाई, तहिना सम्मान देनिहार संस्था केँ सेहो एहि सुकार्य लेल हृदय सँ धन्यवाद संपादक प्रवीण नारायण चौधरी प्रकट केलनि अछि।

अपने एहि सम्मानक लेल पूर्णतः डिज़र्व करैत छी, अपने केँ सम्मानित क’ मिथिला सांस्कृतिक परिषद जमशेदपुर आ झारखण्ड मिथिला मंच रांची अपना प्रति हमरा सन सरल मैथिली – मिथिला प्रेमी केँ आरो आसक्त क’ देलक, अपन मिथिला सं दूर आन भूखण्ड में अपन मिथिलामक स्थापन कय दुनू संस्था हमरा सभ कें प्रवासी सं अधिवासी बना देलक। एहि संस्था सबहक सकल पदाधिकारी आ निर्णायक मंडल कें आभार ! बहुत उत्कृष्ठ निर्णय ! अपने अपन मिथिलाक नवका पिरहीक लेल आदर्श छी ! शुभकामनाक संग – शिव कुमार झा ‘टिल्लू’, जमशेदपुर।